शिवहर क बेटी कल्पना देश भरि मे टाॅॅप
पटना । विहारी प्रतिभा फेर अपन परचम फहरौलक। नेशनल एलिजि बिलिटी कम एंट्रेंस टेस्ट ( नीट) मे शिवहर जिलाक नरवारा गाँव क छात्रा कल्पना कुमारी देश भरि मे प्रथम स्थान प्राप्त कय परिवार सहित मिथिलांचल के गौरवान्वित कयलन्हि अछि. ओ 99.999921 परसेंटाइल प्राप्त कयलन्हि अछि. कल्पना के कुल 720 मे 691अंक प्राप्त भेल अछि। जीव विज्ञान मे 360 मे 360, भौतिक मे 180 मे 171अंक आ रसायन मे 180मे से 160 अंक प्राप्त भेल अछि।कल्पना क पिता श्री राकेश मिश्रा, टीचर ट्रेनिंग कालेज, डूमरा सीतामढ़ी मे इंसपेक्टर छथि आ माता ममता.देवी कन्या मध्य विद्यालय शिवहर मे शिक्षिका छथि। सी बी एस ई क दिस से जारी टाप -50 क सूची मे कल्पना क अतिरिक्त अन्य कोनो विहारी क नाम नहि छैक।
कल्पना 10 वीं परीक्षा जवाहर नवोदय विद्यालय, शिवहर से 2016 मे पास केलैथ जाहि मे हुनका 10 सी जी पी ए प्राप्त भेल छल। इंटर ओ ( विहार बोर्ड ) तरियानी कालेज से पास कयलन्हि। ओ आकाश इंस्टीट्यूट ,दिल्ली से नीट परीक्षा क तैयारी कयलन्हि। बेटी क सफलता क सूचना पबितहिँ हुनक माता पिता दिल्ली प्रस्थान क गेला।. कल्पना अपन तीन भाई बहिन मे सबसे छोट छथि। हुनक जेठ बहिन भारती कुमारी एन आई टी, पटना से बीटेक क डिग्री लेला कबाद इंडियन इंजीनियरिंग सर्विस क्लियर केलथि आ समप्रति विशाखापतनम मे पदस्थापित छथि। हुनक भाई प्रणय प्रताप आई आई टी, गुवाहाटी मे अंतिम वर्ष क छात्र छथि।