• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

भगिरथ प्रयास : 86 साल बाद फेर जीवित होएत कमलाक पुरान धार, किसान कए पटौनी मे होएत सुविधा 

दरभंगा जिलाक जीबछ नदीक बाद मधुबनी जिलाक झंझारपुर प्रखंड क लोहना दक्षिणी पंचायत में पुरान कमला नदी क धार कए 86 साल बाद फेर स अविरल बनेबाक काज जोर-शोर स जारी अछि., जाहि मे स 88 हजार कए रोजगार उपलब्ध करा देल गेल अछि।

June 5, 2020
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

मधुबनी. भगिरथ मां गंगा कए धरती पर लौटा अनने छथि, मिथिलाक तीर्थ कमला कए फेर स हुनकर पुरान धार स जोडबाक प्रयास जल संसाधन विभाग क रहल अछि। एहि काज लेल विभाग परदेस स लौटल मजदूरक उपयोग क रहल अछि। विभागक एहि प्रयास स एक दिस जतय गाम मे बढि रहल बेरोजगारीक समस्या स निपटबा मे मदद भेटत ओतहि इ योजना मिथिलाक तस्‍वीर बदलि देत। 1954 मे तटबंध बना जाहि नदी सब कए मारबाक प्रयास भेल छल, ओहि नदी सब कए फेर स कलकल अविरल बहेबाक प्रयास क देज गेल अछि। दरभंगा जिलाक जीबछ नदीक बाद मधुबनी जिलाक झंझारपुर प्रखंड क लोहना दक्षिणी पंचायत में पुरान कमला नदी क धार कए 86 साल बाद फेर स अविरल बनेबाक काज जोर-शोर स जारी अछि। इ धार 1934 में आयल भूकंप आ 1935 मे आयल बाढि क बाद नदीक मुख्‍य धारा स कटि गेल छल आ कालांतर मे सूखा गेल छल। 1935 तक इ मधुबनी क पिपराघाट स दरभंगा तक कमला नदी क धार क रूप मे बहैत छल। 1935 में आयल बाढि क बाद झंझारपुर प्रखंड मे नदी क मुख्‍य धार पूरब दिस चल गेल आ बलान मे मिल गेल। समय क संग कमला नदीक पुरान धार अपना अस्तित्व खत्‍म करैत गेल। एहि बीच मिथिला मे पैघ पैघ नेता भेलाह मुदा इ भगिरथ प्रयास 86 साल बाद शुरु भेल अछि। 86 साल पहिने जे धार कलकल अविरल छल तेकरा एक बेर फेर से अविरल धार बनेबाक प्रयास कैल जा रहल अछि। इ काज संपन्‍न भेला स दरभंगा आ मधुबनीक किसान कए एक बेर फेर पटौनी सुलभ भ जायत। जल संसाधन विभाग नदी कए फेर स जिंदा करबा लेल आकर उड़ाही क कार्य कए मंजूरी देलक अछि आ काज जोर-शोर स भ रहल अछि।

झंझारपुर प्रखंड क लोहना दक्षिणी पंचायत मे कमला नदी क जीर्णोद्धार क काज लेल 49 लाख 91 हजार टकाक मंजूरी देल गेल अछि एहि प्रोजेक्ट मे करीब साढ़े 4 सौ पुरुष आ महिला श्रमकि एक अपन पंचायत मे रोजगार क अवसर भेटल अछि। इलाका मे काफी खुशी अछि. वर्षो बाद परदेस स गाम लौटल मजदूर कए इ चिंता छल जे गाम मे करब की, मुदा अपन पंचायत मे करीब 400 लोक लेल रोजगार देखि सब संतुष्‍ट अछि। नदी उडाही मे लागल मजदूर क कहब अछि जे आब अपन गाम, अपन पंचायत मे पसीना बहाकए अपन जिला आ राज्‍यक क कपार बदलब। मेहनती श्रमिक लेल मनरेगा क तहत रोजगार क अवसर उपलब्‍ध करौउल जा रहल अछि। मजदूरों क जोश देख मिथिला मे बदलाव क स्‍पष्‍ट संकेत भेटैत अछि।

जिला प्रशासन दिस स सेहो मजदूर कए काम उपलब्ध कराउल जा रहल छै। जिला अधिकारी निलेश रामचंद्र देउरे क कहब अछि जे मधुबनी जिलाक 21 प्रखंडों मे करीब 90 हजार मजदूर कए रोजगार क दरकार छल, जाहि मे स 88 हजार कए रोजगार उपलब्ध करा देल गेल अछि। मधुबनी जिला मे फिलहाल जल संरचना स संबंधित नहर, पईन आ पोखर क खुदाई क कुल 715 टा प्रोजेक्ट पर काज जारी अछि.

जानकार क कहब अछि जे बाहर स आयल मजदूर क संख्या फौरी तौर पर भले परेशानी क सबब बनल अछि मुदा इ फौज मधुबनी सन पिछड़ल जिला कए विकास क बाट पर ल जेबा लेल पैघ योगदानकर्ता बनत। मधुबनी मे बाहर स आयल मजदूर क स्कील्ड क स्क्रीनिंग क काम सेहो जोर-शोर स जारी अछि। जिला प्रशासन क स्‍तर पर एहि लेल गंभीरता देखा रहल अछि आ सबस पैघ गप जे जल संसाधन विभाग मे एहि बेर जमीन पर किछु काज होइत देखा रहल अछि। इ विभाग पिछला पांच दशक स कागज पर काज करैत आयल छल।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
सुशांत अहां कए ऐना नहि जेबाक छल

सुशांत अहां कए ऐना नहि जेबाक छल

बिहार मे पास भेल 16 टा नव स्टार्टअप, मधुबनीक क्राफ्टवाला मारलक बाजी

बिहार मे पास भेल 16 टा नव स्टार्टअप, मधुबनीक क्राफ्टवाला मारलक बाजी

दुनिया लेल मिथिलाक सनेस : एक सकेंड मे कोरोना जांच, 100 टका मे भेटत रिपोर्ट

दुनिया लेल मिथिलाक सनेस : एक सकेंड मे कोरोना जांच, 100 टका मे भेटत रिपोर्ट

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि