पटना । बिहार सरकार 16 टा नव स्टार्टअप कए मान्यता देलक अछि। उद्योग विभागक तकनीकी शाखाक बैसार क बाद इ निर्णय लेल गेल। बैसार मे बहुत रास स्टार्टअप आईडिया पर विचार विमर्शक पश्चात 16 टा बिजनेस आईडिया कए मान्यता देल गेल। चुनल आइडिया कए 10 लाख टका 10 साल लेल बिना कोनो सूद पर अपन्न बिजनेस स्टार्ट करै वास्ते देल जायत। एकर अलावा बहुत तरहक आन आन तकनीकी मदद समय समय पर सरकार द्वारा सेहो देल जायत। ज्ञातव्य हो जे बिहार सरकार क द्वारा अपन स्टार्टअप नीति क तहत कुल 50 करोड़ रुपया स्टार्टअप मद मे पहिने देने अछि। उद्योग विभाग क अधीन जहन 2016 मे स्टार्टअप बिहार पॉलिसी लॉंच करल गेल तकर बाद स अय दौरान 11 हजार स्टार्टअप आइडिया क आवेदन सरकार कए प्राप्त भेल, मुदा एखन्न तक मात्र 100 स्टार्टअप आइडिया योग्य पायल गेल। जेकरा पहिल क़िश्त फण्ड सरकार द देने अछि। किछ कए दोसरो क़िश्त भेट चुकल अछि। आब ई नब 16 टा आईडिया 2020-21 वित्तीय वर्ष मे सेलेक्ट भेल अछि।
की अछि सेलेक्शनक प्रकिया
स्टार्टप आईडिया क सेलेक्शन त्रि-स्तरीय अछि। जाहि मे पहिले निदेशालय द्वारा प्रारंभिक स्तर पर स्क्रूटनी करल जाईत अछि। तद्पश्चात ओय आईडिया पर बनल प्रोजेक्ट रिपोर्ट कए बिहारक पैघ-पैघ उद्योगपति स बनल कमिटी मे आईडिया क बिजनेस मॉडल क जाँच परख करल जायत अछि। तहन जा कए पुनः उद्योग विभाग क तकनीकी निदेशालय द्वारा अंतिम रूप स उद्योगपति सबहक कमिटी स पास भेल आइडिया मे स अंतिम रूप स चुनाव क ओय आईडिया कए मान्यता देल जायत अछि। मिथिला मे मधुबनी स क्राफ्टवाला ( हस्तकला एवं शिल्प ब्रांड ) स्टार्टअप कए सेलेक्शन भेल। बता दी जे ई ब्रांड पहिले स अप्पन काजक बदौलत एकटा पहिचान बिहार मे बनौने अछि। ताहि पर स बिहार सरकारक, स्टार्टअप बिहार मे सेलेक्श स ई अपन्न काज आब आर बेसी नीक स करत। अय तरहक योजना स बिहार सरकार उद्यमिता कए बढ़ावा त दैते अय संग संग पलायनक समस्या कए बहुत हद तक रोकबा क प्रयास क रहल अछि।