• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

लंबा सन लकीर खींच संपन्‍न भेल कोशी फ़िल्म फ़ेस्टिवल 

November 12, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
सुनील कुमार झा
सहरसा । दू दिनक कोशी फ़िल्म फ़ेस्टिवल एकटा लंबा सन लकीर खींच संपन्‍न भेल। सहरसा ग्रुप क बैनर तर पहिल बेर आयोजित भेल एहि महोत्‍सव में अनुज कुमार निर्देशित हिंदी फिल्‍म आत्‍मग्‍लानी कए बेस्‍ट फिल्‍म क पुरस्‍कार भेटल जखन कि मैथिली भाषाक श्रेणी मे विकास झा निर्देशित कवि कल्‍पना सर्वश्रेष्‍ट फिल्‍मक पुरस्‍कार पौलक। सर्वश्रेष्‍ट निर्देशक क पुरस्‍कार फिल्‍म नाइन लेल रुपणी वीणा एक देल गेल। सर्वश्रेष्‍ट अभिनेताक  पुरस्‍कार राहुल वर्मा कए फिल्‍म तिरंगा लेल आ सर्वश्रेष्‍ट अभिनेत्री क पुरस्‍कार मायरा सिंह कए सियोर लेल प्रदान कैल गेल। शंकर आनंद झा कए सर्वश्रेष्‍ट सिमेमाओग्राफी क पुरस्‍कार राजनगर वाइस्‍कोप लेल प्रदान कैल गेल।
एहि स पूर्व सहरसा ग्रूप द्वारा आयोजित कोशी फ़िल्म फ़ेस्टिवल क विधिवत शुरुआत 10 नवंबर कए कला भवन क सभागार मे ज़िला उप विकास आयुक्त राजेश कुमार सिंह दीप नेस के कलथि। एहि अवसर पर मुख्य रूप स सदर अनुमंडल पदाधिकारी शम्भूनाथ झा, अभिनेता पंकज झा, अभिनेता नवनीत झा आदि उपस्थित छलथि।
सहरसा ग्रूप क पाँचम मिलन समारोह क रूप मे कोशी फ़िल्म फ़ेस्टिवल क आयोजन शुरु भेल अछि। कार्यक्रमक उद्घाटन करैत राजेश कुमार सिंह कहला जे सहरसा सन शहर मे कोशी फिल्म फेस्टिवल क आयाजन एहि क्षेत्र क लोक संस्कृति कए संरक्षित करत। एहि स स्थानीय कलाकार कए बढ़ावा भेटत। सदर अनुमंडल पदाधिकारी शंभू नाथ झा एहि आयोजन क सार्थकता पर प्रकाश दैत एकरा संपूर्ण कोशी प्रमंडल क उपलब्धि बतौलाह।
कोशी क पुत्र आ बॉलीवुड कलाकार पंकज झा कवि दुष्‍यंत क कविताक पाति क उल्‍लेख करैत कहला जे सहरसा हमर शहर छी, एकर मिजाज स परिचित छी। एहि तरहक आयोजन एहि शहर मे भ रहल अछि इ अविश्‍वसनीय अछि। सहरसा ग्रुपक सदस्‍य आ सभागार मे बैसल लोक कए अभिनंदन। श्री झा कहलथि जे एहि ठाम पढलहुं, पैघ भेलहुं, इ हमर शहर छी मुदा एहन आयोजनक कल्‍पना नहि छल। रंगबाजी आ नेतागीरी स अलग एहन सकारात्‍मक सोच लेल सहरसा ग्रुप कए बधाई। ओ कहला जे जखने एकर संबंध मे जानकारी भेटल, हम बनारस मे शूटिंग छोडि अपन शहर क एहि आयोजन मे भाग लेबा क लोभ छोडि नहि सकलहुं। श्री झा कहला जे हमर इ सौभाग्य छी जे पहिल फिल्म फेस्टिवल मे हमरा आमंत्रित कैल गेल। नवनीत झा कहला जे हम सब मिलकए काज करब। कार्यक्रम क संयोजक सह मंच संचालक आनंद झा कहला जे कोशी मे प्रतिभा क कमी नहि अछि। एहि ठामक कलाकार अपन अभिनय स मायानगरी कए चकाचौंध क देने छथि। कुंभ मेला पर बनल लघु कथा फिल्म क निर्देशक संदीप कुमार कहला जे इ हमर सौभाग्य अछि जे सहरसा सन शहर मे कोसी फिल्म फेस्टिवल मे शामिल भ रहल छी।
दो दिवसीय कोशी फिल्म फेस्टिवल क उद्घाटन समारोह मे बालीवुड कलाकर मनीष राजपूत, विपुल आनंद, निर्देशक अमृत सिन्हा, को एंकर शैली मिश्र क अलावा रजनीश रंजन, डॉ शशि शेखर सम्राट, मुक्तेश्वर सिंह मुकेश, प्रो गौतम कुमार सिंह, अभिषेक वर्धन, कुमार अमरज्योति, मोनु झा सहित अन्य लोग मौजूद छलाह।
पहिल बेर आयोजित भेल एहि फिल्म फेस्टिवल मे स्थानीय कलाकार सब रंगारंग प्रस्तुति कलथि। पहिल दिन फिल्म फेस्टिवल क शुरुआत स्वरांजलि क बालिका ग्रुप क स्वागत गीत स भेल। श्रेया जी, निक्की, साक्षी शिवानी, रिया दास, सुषमा, अंशिका आर्या, श्यामा शैलजा, शिल्पी पवन, ब्यूटी श्री, रश्मि जी, लक्ष्मी, आरुषि, प्रियदर्शिनी, रीया, सौम्या सहित अन्य कलाकार सब समूह नृत्य गायन क प्रस्तुति केलथि। एहि क्रम मे कोलकाता स आयल ड्राप बीट बैंड क कलाकार सेहो जमिकए धूम मचेलथि। बैंड क कलाकार मे सौरभ राय, रजनीश सिंह, विपुल, सुमित कुमार, विनय कुमार, दिव्या कुमारी, रौशन कुमार, करिश्मा कुमारी, छोटु कुमार, ऋषु कुमारी, दीपांकर राय, दिनेश कुमार सहित अन्य शामिल छलाह।
पहिल दिन संदीप कुमार क फिल्म महाकुंभ, निदेशक अमलेश आनंद क फिल्म अनामिका दी बेटरायर, ,अहमद जमाल क डॉक्यूमेंट्रीह् एसिस्ट, आशुतोष सागर क माइंड, राहुल वर्मा क तिरंगा, शंकर आनंद झा क राजनगर बायोस्कोप, गौतम आजाद क डॉक्यूमेंट्री गुल्ली कोचि, राजमणि मौर्य क फोकलवा आ सचिन मीना चैनपुरी क नाइन फिल्म कए प्रदर्शित कैल गेल। कार्यक्रम क आखिरी कड़ी मे फिल्‍मकार सब संग संवाद कार्यक्रम सेहो भेल। एहि फ़िल्म फेस्टिवल क सबस
खास गप इ रहल जे एहि मे कोसी क्षेत्र क ओहन महारथी शामिल भेलथि जे मायानगरी मे बतौर प्रोड्यूसर, निर्देशक, अभिनेता, अभिनेत्री, विलेन आ गायन क्षेत्र मे परचम लहरा रहल छथि।
सहरसा ग्रुप एडमिन रविशंकर कुमार कहला जे कोशी फिल्म फेस्टिवल एकटा सोच अछि, एकटा एहन कल्पना जेकरा धरातल पर उतारबा क मकसद अपन भाषा अपन संस्कृति कए पूरा देश क सामने रखब अछि। कोशी प्रमंडल जे अपन मे सांस्कृतिक विरासत स लकए प्राचीन काल मे मंडन मिश्र क भूमि रहल अछि जाहि ठाम कोशी अपन तांडव रूप स न जानि कतक बेर एहि भूमि कए
अपना मे समा लेने अछि। कोशी फिल्म महोत्सव लल सहरसा ग्रुप क उत्साही  युवक दिन राति एक क देने छलाह। जाहि मे साकेत आनंद, आनंद झा, मृत्युंजय तिवारी, जय चौहान, विपिन सिंह आ उद्घोषक क रूप मे शैली मिश्र क योगदान उल्‍लेखनीय रहल। एहि अवसर पर सहरसा ग्रुप किछु चुनिंदा पत्रकार सब कए सेहो मिथिलाक पाग आ तौनी स सम्मानित कलक। लगतार दू दिन तक मंच कखनो खाली नहि रहल आ नहि सभागार खाली भेल।
Tags: Biharfilm festivalkoshi

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

एयरबेस बनलाक 55 साल बाद होएत दरभंगा मे पहिल एयर शो

मिथिला राजक सीमा बुझेबा लेल चलल रथ

अगिला साल फरवरी मे बाल्मिकीनगर मे बैसत नीतीश कैबिनेट

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि