विनीत ठाकुर

आडिटर द्वारा २००६ क बाद अधिकाई भुगतान क आधार आओर कोन नव क्षेत्र शामिल कयल गेल अछि, प्रदशर्न क कोनो उत्तर नहि देल गेल। अंकेक्षक अगस्त २००६ क बाद निर्मित भवन आ सफाई हेतु शामिल कयल गेल क्षेत्र आ ओकर मापी के संबंध में पूछलैथ एंकर कोनो संतोष प्रद उत्तर नहि देल गेल ।
सफाई कार्य लेल में. हिमालयन इंस्टिट्यूट ऑफ पोल्यूशन कंट्रोल एवं इकोनोमिक डेवलपमेंट दरभंगा क संग अप्रैल २००६ मे १० पैसा प्रति वर्ग मीटर भीतर क लेल आ छ हजार रुपैया निर्धारित कयल गेल छल। एकर अनुकूल २००६ क अप्रैल से जून तक एजेंसी क भुगतान ६९७४ वर्ग मीटर क्षेत्रफल सफाई हेतु कयल गेल परन्तु जुलाई आ अगस्त २००६ में मात्र २६३१ वर्ग मीटर क्षेत्रफल दर से भुगतान विपत्र क अनुसार कयल गेल आ बाद मे क्षेत्र बढ़ैत गेल, एहि सब पर अंकेक्षक द्वारा आपत्ति कयल गेल अछि।
संचिका के अवलोकन से स्पष्ट अति जे मात्र तीन वर्ष में अस्पताल के भीतरी साफ सफाई के क्षेत्र चौगुना बढ़िया गेलै।२० दिसंबर २००९ मे में. दीपक फाउंडेशन, पटना के संग भेल एकरारनामा मे १० पैसा प्रति वर्ग मीटर भीतरी आ छ हजार रुपैया बाहरी सफाई हेतु निर्धारित भेलैक। ई एजेंसी मात्र २०१२-१३ तक काज केलक आ भीतरी सफाई के लेल करीब २३२१२ वर्ल्ड मीटर की दर से भुगतान लेलक। क्षेत्रफल कोना बढ़ल ,एहि से संबंधित कोनो अभिलेख अंकेक्षक क सम्मुख प्रस्तुत नहि कयल गेल।