• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

MithilaCalling : लामबंदी मे कमजोर रहल मैथिल समाज ट्विटर पर ट्रेंड भ दुनिया कए चौंकेलक

अभियान चारि घंटा क भीतर भारत मे एक लाख स बेसी ट्वीट क संग पहिल रैंक प्राप्त केलक। विश्व स्तर पर शीर्ष 25 क सूची मे ट्रेंड भेल। मिथिलाक नाम पर लामबंदी क इ पिछला 50 साल मे सबसे सफल अभियन रहल।

April 20, 2020
in समाचार
A A

 

 

दरभंगा । कोविड-19 लॉकडाउन क बीच मिथिला मूल क लोक सब रविदिन अपन समृद्ध सांस्कृतिक विरासत आ पहचान कए बढ़ावा देबा लेल ट्विटर पर एकटा अदभुत, अविश्‍वासनीय, अकल्‍पनीय अभियान चला इतिहास रचि देलथि। लामबंदी मे कमजोर रहल मैथिल समाज रविदिन ट्विटर पर ट्रेंड भ दुनिया कए चौंका देलक।

मिथिलाकॉलिंग नामक ट्विटर पर चलल इ अभियान विशुद्ध रूप स मिथिला मूल क लोकक एकटा गैर-राजनीतिक पहल छल, जो दुनिया क विभिन्न हिस्सा मे सक्रिय छल। अप्रवासी मैथिल क विशेष रूप स युवा वर्ग अभियान मे भाग लेलक आ मिथिलाक कला, संस्कृति और सामाजिक पहलु स संबंधित रोचक तथ्य साझा केलक।

आश्‍चर्य क गप इ रहल जे, “मिथिलाकॉलिंग” नामक इ अभियान महज एक छू मिनट मे भारत मे दस पायदान क भीतर ट्रेंड करै लागल। अभियान चारि घंटा क भीतर भारत मे एक लाख स बेसी ट्वीट क संग पहिल रैंक प्राप्त केलक। विश्व स्तर पर शीर्ष 25 क सूची मे ट्रेंड भेल। मिथिलाक नाम पर लामबंदी क इ पिछला 50 साल मे सबसे सफल अभियन रहल। एहि अभियान मे सब वर्गक लोक हिस्‍सा लेलक, नौकरशाह, डॉक्‍टर, शिक्षाविद, पत्रकार, खिलाडी, वैज्ञानिक आ राजनीति से जुडल लोक सेहो बढि चढि कए भाग लैत देखल गेल।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नवभारत टाइम्‍स के पत्रकार नरेंद्र नाथ कहैत छथि, ”हम सब मिथिला क्षेत्र क समृद्ध विरासत आ क्षमता क बारे मे लोक कए जागरूक करबा लेल एहि अभियानक कल्पना केने रही, जाहि मे मिथिलाक लोक शामिल छलथि।” पत्रकार पंकज प्रसुन कहैत छथि जे लॉकडाउन क समय क हम सब सदुपयोग कैल। लॉकडाउन क एहि समय मे एकटा इतिहास रचि देल गेल। कुछ दिन पहिने तक मिथिलाक नाम पर पांच सौ लोक जमा नहि होइत छल। पिछला किछु दिन पहिने एकटा अभियान Mithilarise स लामबंदी क नव जमीन भेटल छल, ओ अभियान सेहो ट्विटर पर महत्वपूर्ण स्‍थान प्राप्‍त क देश ध्यान मिथिला दिस आकर्षित केने छल। 19 अप्रैल क इस दिन आब हरदम स्‍मरण रहत, किया त एहि दिन पहिल बेर ट्विटर पर मिथिला शब्द पहिल पायदान पर ट्रेंड कर रहल छल। एक लाख स बेसी लोक एहि हैशटैग कए ट्वीट केलथि। सेहो महज किछु घंटा मे। अभियानक सूत्रधार आ मिथिला स्‍टूडेंट यूनियनक महासचिव आदित्‍य मोहन कहैत छथि जे एहि अभियान मे सब पंथ आ विचारक लोक भाग लेलक। करीब 30टा देश मे बसल मिथिला क लोक ट्वीट केलथि अछि। खास बात इ रहल जे एहि दौरान लोक मिथिला क पिछड़ेपन क कारण कए खूब उजागर केलथि। जनप्रतिनिधि पर सेहो खूब सवाल भेल। मिथिला आ मैथिली लेल मैथिल कए लामबंद करबाक इ अभियान एकटा पैघ सफलता क रूप मे देखल जा सकैत अछि।

द टेलीग्राफ क पत्रकार विजयदेव झा कहैत छथि जे हमरा सब कए आब जानकीनंदन सिंह, लक्ष्‍मण झा आ सुरेंद्र झा सुमन सन नेता चाही जेकर एक मात्र लक्ष्‍य मिथिला छल। इसमाद क शोध संपादक सुनील कुमार झा कहैत छथि जे मिथिला एकटा एहन क्षेत्र अछि जेकर इतिहास काफी समृद्ध रहल अछि, मुदा राजनीतिक इच्छाशक्ति क अभाव कहू या अन्य कारण एखुनका दौर मे इ अत्यंत पिछड़ल इलाका भ चुकल अछि।

आइ बहुत लोक इ सवाल क रहल छथि जे एहि प्रकारक ट्रेंड स की होएत। एनडीटीवीक पत्रकार दयाशंकर सिंह एहि संबंध मे कहैत छथि जे हम मैथिल सब भाषाक नाम पर एकजुट भ जाइत छलहुं मुदा क्षेत्र क समस्‍या लेल हमर लामबंदी बेहद कमजोर छल। कमजोर लामबंदी क कारण सरकार हमर सबहक गप नहि सुनैत छल आ विकासक मामला मे हम सब पछुआ गेल छी। इ अभियान हमर सबहक कमजोर लामबंदी कए मजबूत हेबाक प्रमाण बनत। ठीक छै जे सम्‍मेलन, सभा या रैली मे हम सब एतबा संख्‍या मे जमा नहि भ सकलहुं अछि, मुदा एहि मच पर सेहो एतबा संख्‍या मे लामबंद भेनाइ कम आश्‍चर्यक गप नहि अछि। आजुक तारीख मे प्रधानमंत्री स लकए मुख्यमंत्री आ तमाम नीति निर्धारक अधिकारी ट्विटर क गतिविधि पर नजरि रखने छथि। मिथिला स जुड़ल मुद्दा अगर ट्विटर पर ट्रेंड करत त एकर बहुत दिन तक अनदेखी नहि कैल जा सकैत अछि। जनप्रतिनिधि सेहो सतर्क हेताह आ सरकार सेहो जागत।

मैथिलक एहि लामबंदी पर मीडिया संस्थान क सेहो नजर बनल रहल। ट्विटर क ट्रेंडिंग कए देखकए तमाम राष्ट्रीय चैनल कए बुझबा मे आबि गेल जे मिथिला कए प्रमुखता स स्थान देब आब टीआरपी क मामला अछि। ट्विटर पर टॉप ट्रेंड करबाक अर्थ इ सेहो भेल जे मिथिला क लोक सोशल मीडिया पर काफी एक्टिव छथि। बस एहि समाज कए लामबंद करबाक जरुरत छै, जे आब भ रहल छै।

Tags: maithilimithilaMithilaCallingMithilarise

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Corona Virus Test in India, Corona Virus,. Corona Virus maithlii news, Maithili news

विकिपीडिया कए रहल अछि मैथि‍ली मे कोरोना वायरसक सूचना क प्रसार

सबटा कानून शिथिल क तेलंगाना पठाउल गेल मिथिला स गुलाम मजदूर

सबटा कानून शिथिल क तेलंगाना पठाउल गेल मिथिला स गुलाम मजदूर

चाही मिथिला मे कारखाना भेल टवीटर पर ट्रेंड, 2 लाख ट्वीटक संग 30 देश स 3 हजार लोक भेलथि शामिल

चाही मिथिला मे कारखाना भेल टवीटर पर ट्रेंड, 2 लाख ट्वीटक संग 30 देश स 3 हजार लोक भेलथि शामिल

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि