पटना: बिहारक राजनीतिक क्षेत्र स’ पैघ खबरि अछि. खबरि यह है कि पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी की पार्टी हम एनडीएमे शामिल होयत. एहि संबंधमे पार्टी प्रवक्ता दानिश रिजवान जनतब दैत कहलनि जे 3 सितम्बरके जीतन राम मांझीक पार्टी हम एनडीएमे शामिल भ’ जायत. एहि संबंधमे जीतन राम मांझी ऐलान करताह.
पार्टी प्रवक्ता दानिश रिजवान कहलनि जे पार्टी विकासक लेल एनडीएक संग द’ रहल अछि, सीट हमरा लेल कोनो मुद्दा नहि अछि. बता दी जे महागठबंधन स’ कात होयबाक बाद हालमे पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी राज्यक मुखिया नीतीश कुमार स’ हुनका आवास पर भेट कयने छलाह. ओहि दिन इ तय भ’ गेल छल जे जीतन राम मांझीक नाव एनडीएक कात लागत. यद्यपि ओहि दिन एहि संबंधमे पूछल जयबा पर पार्टी प्रवक्ता दानिश रिजवान कहने छलाह जे क्षेत्रीय मुद्दाके ल’ भेट कयल गेल अछि. एकरा राजनीतिक नहि बुझू. पार्टी आगू की निर्णय लेत अहाँके किछु दिनमे बता देल जायत.
ज्ञातव्य होअय जे जीतन राम मांझी महागठबंधन स’ नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादवक मनमाना रवैया स’ तमसा क’ कात भ’ गेलाह अछि. जीतन राम मांझी महागठबंधनमे लगातार कॉर्डिनेशन कमेटीक गठनक मांग क’ रहल छलाह जाहि स’ चुनावक पहिने सीट आ सीएम कैंडिडेटके ल’ स्थिति स्पष्ट भ’ जाय. मुदा बेर-बेर कहब आ अल्टीमेटम देबाक बादो तेजस्वी यादव हुनका बात पर ध्यान नहि देलनि परिणामतः जीतन राम मांझी महागठबंधन स’ अलग भ’ गेलाह.