• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मैथिली एखनो सिनेमाक पटल पर अनुपस्थित अछि : श्रीपति

December 17, 2014
in साक्षात्‍कार
A A

दोसरसमाचार

भोजपुरी भाषा लेल आब संघर्ष करत आप : नीरज पाठक

भोजपुरी भाषा लेल आब संघर्ष करत आप : नीरज पाठक

February 6, 2020

गामे-गाम गृह उद्योग स्थापित करबाक अछि योजना : अमरनाथ

May 28, 2018

योग मे बनायब तेसर विश्व रिकॉर्ड : योगाचार्य रवि व्योम शंकर

May 13, 2018

मैथिल सिनेमा जगत मे प्रेमक बसात बहेबा लेल तैयार छथि रुपक

March 8, 2018

Manoj Sripatiपटना। अपन लघुफिल्‍म रक्‍त तिलक स राष्‍ट्रीय स्‍तर पर पहचान बना लेनिहार फिल्‍मकार मनोज श्रीपतिक कहब अछि जे मैथिली मे एखनो तक कोनो फिल्‍मक निर्माण नहि भ सकल अछि। मैथिली फिल्‍मक नाम पर जे दर्शक कए देखाउल जा रहल अछि ओ कोनो नजरि स सिनेमाक परिभाषा स मेल नहि खाइत अछि। मैथिली एखनो सिनेमाक पटल पर अनुपस्थित अछि। श्रीपति पिछला रवि कए पटना मे इसमाद क संग विशेष गपशप मे कहला जे मैथिली फिल्‍म लेल गंभीर प्रयासक आवश्‍यकता अछि। ममता गावै गीत स शुरु भेल यात्रा आइ पूर्णत: भटकि चुकल अछि। मैथिली सिनेमाक नाम पर जे किछु सामने आबि रहल अछि ओ देख लाज होइत अछि। ओ कहला जे बिना सिनेमाक अध्‍ययन या प्रशिक्षण लेने या कोनो निर्देशक क सहायक भेने बिना आइ सीधा लोग मैथिली फिल्मक निर्देशन मे उतरि रहल अछि। श्रीपति कहला जे सिनेमाक मतलब केवल लाइट, कैमरा आ एक्‍शन नहि होइत अछि, ओहि मे कईटा पक्ष होइत अछि जे सोझा स देखाई नहि दैत छैक, मुदा ओकर बिना सिनेमा कोनो सिनेमा नहि भ सकैत अछि। ओ कहला जे सिनेमा त प्रकाश मेहरा क शब्‍द मे ओ भेल जे परदा पर देखाउल गेल झूठ तक अहां कए सच जेका लागै। अहां ओकरा सच मानि थोपरी बजाबी और आंखि स नोर टपकाबी। मैथिली सिनेमा मे बढैत भोजपुरी तडका कए आत्‍मघाती कहैत श्रीपति कहला जे भोजपुरी अपने मलियाली सिनेमा स प्रेरित भ चुकल अछि। एहन में मैथिली कए अपन स्‍वाद कए बना कए रखबाक चाही, मुदा दुखद अछि जे मैथिली आइ भोजपुरीक रंग मे रंगा रहल अछि। श्रीपति इ मानलथि जे मैथिली सिनेमाक बाजार महज 15 स 20 लाखक करीब अछि आ एतबा मे कोनो सिनेमा क निर्माण नहि भ सकैत अछि। तथापि मैथिली मे सिनेमा क निर्माण क प्रयास किछु स्‍तर पर भेल अछि आ किछु भ रहल अछि। श्रीपति कहला जे मैथिली क कलाकार असमिया या उडिया जेकां सहयोगी क भूमिका मे नहि छथि। असमिया या उडिया क कलाकार अपन तुलना मुंबईया या बंगाली कलाकार स नहि करैत छथि, मुदा मैथिली कलाकार फिल्‍म क सेट पर बोतलबंद पाइन तक मांग करैत छथि। महिला कलाकारक घोर अभाव अछि। सिनेमाक नाम पर तीन स पांच लाख टका मे बनि रहल निम्‍न स्‍तरक ड्रामा स सिनेमाक छवि प्रभावित भ रहल अछि। महिला कलाकार सब मे मैथिली क प्रति गलत समाद जा रहल अछि। श्रीपति कहला जे ओ एखन धरि कोनो मैथिली सिनेमाक योजना जमीन पर नहि अनलहुं अछि, मुदा एकटा कहानी पर काज चलि रहल अछि। महेंद्र मलंगिया ओकर संवाद लेखन क रहल छथि। बाढ पर आधारित एहि सिनेमा कए अगिला साल फ्लोर पर एबाक उम्‍मीद कैल जा सकैत अछि। श्रीपति कहला जे मैथिली मे कहानी क अभाव नहि अछि आ दर्शक क अभाव सेहो नहि अछि, अभाव अछि त बस गंभीर प्रयासक जे एखन धरि शायद नहि भ सकल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Related Posts

भोजपुरी भाषा लेल आब संघर्ष करत आप : नीरज पाठक

भोजपुरी भाषा लेल आब संघर्ष करत आप : नीरज पाठक

February 6, 2020

गामे-गाम गृह उद्योग स्थापित करबाक अछि योजना : अमरनाथ

May 28, 2018

योग मे बनायब तेसर विश्व रिकॉर्ड : योगाचार्य रवि व्योम शंकर

May 13, 2018

मैथिल सिनेमा जगत मे प्रेमक बसात बहेबा लेल तैयार छथि रुपक

March 8, 2018
Manish Anand Mithila Naturals

मिथिला मे कुटीर उद्योग कए पुनर्जीवित करबा मे लागल अछि मिथिला नेचुरल्स : मनीष

January 17, 2018

मैथिली कए सम्‍मान देबा लेल 1975 मे तैयार भए गेल छलाह अटल

December 25, 2017
Next Post
Esamaad Epaper Website

आशा मिश्रा कए साहित्य अकादमी पुरस्कार

Esamaad Epaper Website

बहुत किछु कहि गेल झारखंड क जनादेश

लिखबा स बेसी मिटाउल गेल बनारस हिंदू वि‍श्वविद्यालय क इतिहास

Comments 1

  1. AMIT ANAND says:
    10 years ago

    bar neek, saakshatkaar.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि