पटना । राजधानी पटना मे मेट्रो ट्रेन क अन्तिम प्रारूप पर राज्य सरकार क स्वीकृति भेट गेलैक अछि। वर्ष २०२४ ईस्वी स पटनावासी मेट्रो ट्रेन क सवारी क आनन्द लेता।
मंगल दिन मुख्य सचिव दीपक कुमार द्वारा नगर विकास विभाग क संग आयोजित बैसक मे मेट्रो डी पी आर पर विचार विमर्श उपरांत अंतिम रूप देलन्हि। ओ जनौलन्हि जे राज्य सरकार अपन हिस्सा क काज पूरा क लेलक अछि, डी पी आर केंद्र सरकार क स्वीकृति हेतु पठाओल जा रहल अछि। राजधानवासी २०२४ स मेट्रो ट्रेन क सवारी क आनन्द लेता।
राजधानी मे मेट्रो ट्रेन क दू रूट होयत । पहिल रूट दानापुर से मीठापूर तक होयत , जकर कुल लंबाई १६.९४ कि. मी. होयतैक। एहि मे ११.२१ कि.मी. अंडरग्राउंड रहतैक आ ५.४९ कि.मी. एलिवेटेड अर्थात जमीन क ऊपर रहतैक. दानापुर से मीठापूर क बीच तेरह गोट स्टेशन बनत ।
दोसर रूट पटना रेलवे स्टेशन से इंटरस्टेट बस टर्मिनल तक होयत जकर लंबाई साढ़े चौदह कि.मी होयत। एहि खण्ड मे कुल बारह स्टेशन होयतैक। एहि खंड मे दस कि.मी एलिवेटेड आ साढ़े चारि कि.मी अंडर ग्राउंड रहतैक। एहि परियोजना लेल दू डीपो, पहिल एतवारपुर मे आ दोसर इंटरस्टेट बस टर्मिनल क नजदीक बनतैक।
पटना मेट्रो क दानापुर – मीठापुर रूट मे सगुना मोड़, आर पी एस मोड़ ,.पाटलिपुत्रा,.रूकनपुरा, राजा बाजार, गोल्फ क्लब, चिड़िया घर, विकास भवन, हाईकोर्ट, इन्कमटैक्स चौराहा आ पटना जंक्शन पर मेट्रो स्टेशन होयत। रेलवे स्टेशन से आई एस बी टी रूट मे आकाशवाणी, गाँधी मैदान, पी एम सी एच. पटना यूनिवर्सिटी, प्रेमचंद रंगशाला, राजेन्द्र नगर, एन एम सी एच , कुम्हरार, गाँधी सेतु आ जीरो माईल मे मेट्रो स्टेशन बनत।