
निरीक्षण पश्र्चात अहर्ता (क्वालिफाइंग) मैच क आयोजन भेल जाहि मे पुरूष ( १३ वर्ष से कम) एकल राऊंड १ मे वेदांक वत्स , मुजफरपुर ,आकाश आर्य, पटना के २३-१,१९-२१,२१-१९ स हरौलनि। अंकित कुमार, पटना , जीशान आलम, पूर्णिया, क विरुद्ध वाक ओभर प्राप्त कयलन्हि। आयुष कुमार, पटना से स्वास्तिक, जहानाबाद हारलाह।
एकल रांउड २ मे तनवीर अहमद , मुजफरपुर ,से अमन कुमार, पटना २१-०५, २१-०८ से हारला। वेदांक वत्स ( मुजफरपुर) कृष( पटना )क विरुद्ध आ अंकित कुमार ( पटना) मो अतहर क विरुद्ध वॉक ओभर पौलन्हि। आयुष कुमार ( पटना) से मुजफरपुर के लक्ष्य २१-०४,२१-११ से हारला।
एहि तरहें पुरुष एकल मे अंकित कुमार,अदिकअख्तर, तनवीर अहमद, वेदांक वत्स आ आयुष कुमार अहर्ता प्राप्त कय प्रतियोगिता क मुख्य ड्रा हेतु अपन स्थान सुनिश्चित कयलन्हि।
पुरुष (१५ वर्ष से कम) एकल मे अमृत राज, हिमांशु कुमार आ रौनक कुंवर अहर्ता प्राप्त कय प्रतियोगिता का मुख्य ड्रा हेतु अपन स्थान सुनिश्चित कयलन्हि। ध्यातब्य अछि जे बृहस्पति दिन एक बजे प्रतियोगिता क उद्घाटन नगर भवन, मधुबनी मे श्री मयंक बरसे, आयुक्त, दरभंगा दिस स कैल ।