• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिला विकास बोर्ड लेल जुटलाह एमएसयू

December 4, 2018
in समाचार
A A

दरभंगा। मिथिला स्टूडेंट यूनियन दिस से मिथिला विकास बोर्ड क माँग क लकए विशाल जनसभाक आयोजन संकल्प रैली क रूप मे दरभंगा राज मैदान मे कैल गेल, कार्यक्रम क संचालन सागर नवदिया केलथि ओतहि मुख्य वक्ताक तौर पर उपस्थित राष्ट्रीय संगठन मंत्री अविनाश भारद्वाज कहलाह जे एतय जे पचास हजार नौजवान आएल छथि हुनकर आंखि मे समृद्ध मिथिला क सपना देखल जा सकैत अछि, ई भीड़ सत्ता कए चेतावनी दए रहल अछि जे मिथिलाक नौजवान आब अपन उपेक्षा बर्दाश्त नहि करत ओ कहलथि जे आखिर ई कुन व्यवस्था अछि जाहिमे सात करोड़ मैथिल क पूछ नहि अछि, एतय क शिक्षा व्यवस्था क हालात दयनीय अछि, स्वास्थ्य व्यवस्था ध्वस्त भए चुकल अछि , किसान दाना-दाना लेल तरसि रहल अछि, नौजवान कए रोजगार नहि भेटि रहल अछि, पटनाक सत्ता होए वा फेर दिल्ली क ओहिमे हम मिथिलावासी क भागीदारी 7 करोड़ क अछि, मुदा हमर पूछ किएक नहि अछि एहि क विरोध मे आय हजारक संख्‍या मे नौजवान एतय अपन अधिकार मांगय आयल छथि‍, सशक्त समृद्ध मिथिला क परिकल्पना कए साकार करय आयल छथि । आय ई भीड़ कहि दिए चाहैत अछि सत्ताधीश मठाधीश से जे जों अहॉं हमर अधिकार मिथिला विकास बोर्ड नहि देब त हम एतेक सशक्त भए चुकल छी जे अहॉंक समीकरण बदलि देब पटनाक गलियारा मे भूचाल आनि देब दिल्ली क सत्ता डोलय लागत डगमगबे लागत, ई जे भीड़ अछि ओ अहाँ जेना किनल भीड़ नहि अछि, ई ईमानदार क भीड़ अछि, पढ़ल-लिखल नौजवान/छात्र/छात्रा क भीड़ अछि जे आय अहॉंस अपन अधिकार मांगय आयल अछि ।

भारद्वाज कहलथि जे भयक बिनु प्रीत नहि भए सकैत अछि ओहिना आय हम शांतिपूर्ण ढंग से अपन अधिकार मांगय आएल छी जों हमर सबहक मांग प्रीत क बाट नहि भेटत त हम भयक रास्ता सेहो अख्तियार कए सकैत छी । ओतहि यूनियन क राष्ट्रीय अध्य्क्ष रौशन मैथिल कहलथि जे ई हजार क भीड़ मिथिलाक गाम-गाम से अपने चलि कए आएल अछि इकर एक्‍के टा मांग अछि जे मिथिला विकास बोर्ड क माध्यम से केंद्र सरकार एक लाख करोड़ मिथिला क विकासक लेल एहि क्षेत्र मे ख़र्चा करय एतय स्पेशल एडुकेशन जोन बनाओल जाए जाहि से उच्च शिक्षा क व्यवस्था सुदृढ़ भए सकय । ई विद्वान क धरती अछि एतय क विद्वान पूरा विश्व कए रास्ता देखेन अछि, ई सरस्वती क धरती सेहो अछि, मुदा ई मगही सरकार साजिश क तहत मिथिला क नामो-निशान मिटेबाक प्रयास केने अछि, मिथिला मे बन्‍न पड़ल 14टा चीनी मिल जों चालू भए जाए त 10 लाख लोग कए प्रत्यक्ष रूप से रोजगार भेटत, चुकी ई कृषि पर निर्भर क्षेत्र अछि आओर कृषि मे एक मात्र नगदी फसल अछि गन्‍ना, गन्ना क खेती जों होएत त एतय क किसान समृद्ध होएत जे आदिकाल मे छल ।

श्री भारद्वाज IT पार्क IIT तारामंडल, एयरपोर्ट अओर दरभंगा क तीनू तालाब कए एक एक कए पर्यटन स्थल बनेबाक मांग केलक, मधुबनी मे केंद्रीय विद्यालय एडवेंचर पार्क, झंझारपुर कए जिला क दर्जा, बेगूसराय मे LNMU क एक बैंच, पूर्णियां, सुपौल, अररिया खगड़िया जेहन अति पिछड़ा जिला कए 5-5 हजार करोड़ कार्पस प्रदान करबाक मांग, समस्तीपुर से दिल्ली भेज देल गेल पूसा एग्रीकल्चर रिसर्च सेंटर कए फेर से समस्तीपुर मे स्थापित करबाक मांग केलक ओतहि राष्ट्रीय महासचिव आदित्य मोहन कहलथि जे आय सात करोड़ क आबादी एकटा डीएमसीएच पर निर्भर अछि जेकर हालात अपने वेंटिलेटर पर अछि आओर केकरो से छुपल नहि अछि । सरकार जखन पटना मे AIIMS बनाबैत अछि त अलग जगह बनाबैत अ‍छि ताकि स्थानीय लोग कए रोजगार भेट सकय हज़ार क संख्या मे रोजगार क सृजन होएत मुदा जखन मिथिला मे एम्स क बारी अबैत अछि तो DMCH कए अपग्रेड करबाक गप करय लगैत अछि अरे अहॉं PMCH कए अपग्रेड किएक नहि केलहुँ । अलग से एम्स बनाकए सरकार ओतय पैसा खर्च केलक मुदा सरकार नहि चाहैत अछि जे पैसा एतय खर्च होए एतय क लोग कए रोजगार भेटय यैह कारण अछि जे मगही सत्ता ई कुचक्र रचि रहल अछि । हम सत्ता कए कहि देबय चाहैत छी जे हमर जे अधिकार अछि ओ अहाँक देबय पड़त नहि त हम एहि संघर्ष कए आओर तेज करब ।

ओजस्वी संचालन करैत वरिष्ठ छात्र नेता सागर नवदिया कहलथि जे मिथिलाक विश्वविद्यालय क हालत केकरो से छुपल नहि अछि, प्रथमिक स्तर पर वा फेर मध्य वा उच्च स्तर पर शिक्षा कए सरकार जानि बूझि‍कए ठीक नहि कए रहल अछि एतय क डिग्री क कोनो मूल्य नहि अछि । ग्रेजुएट नौजवान कए चार पाँच साल मे डिग्री भेटि रहल अछि, शिक्षक नहि अछि । एतय आदिकाल मे दर्जन टा से बेसी उद्योग-धंधा होएत रहल छल मुदा वर्तमान मे एकरा साजिशन लेवर जोन बना देल गेल । शिक्षा-स्वास्थ्य-किसान-छात्र-नौजवान क प्रति सरकार सजग नहि अछि जेकर परिणाम आगामी दिन मे सरकार कए एतौका उपस्थित हज़ारक हज़ारक जनसभा देखाओत ।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

युवा कवि सह पूर्व राष्ट्रीय प्रवक्ता राजनिश प्रियदर्शी कहलथि जे मैथिली भाषा पर सरकार कए ध्यान नहि अछि । प्राथमिक स्तर पर मैथिली कए पाठ्यक्रम मे शामिल नहि कैल जा रहल अछि । पांडुलिपी क संरक्षण पर सरकार क ध्यान सेहो नहि अछि । डीडी. मैथिली स्वतंत्र चैनल क बात होए वा फेर मैथिली क संवर्धन पर सरकार विफल रहल अछि । ओतहि पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष अनूप मैथिल कहलथि जे हम गैर-राजनीतिक संगठन छी विगत चारि साल से मिथिलाक विकास लेल संघर्षरत छी जेकर परिणाम अछि जे आय हम हज़ारक संख्‍या मे एतय इकठ्ठा भेलहूँ आओर संकल्प रैली क माध्यम से मिथिला विकास बोर्डक माँग केलहूँ । ओ‍तहि अध्यक्षीय संबोधन करैत दरभंगा जिलाध्यक्ष अमित ठाकुर कहलथि जे मिथिला विकास बोर्ड क माध्यम से मिथिला अंतर्गत 20टा जिलाक 7करोड़ लोगक सर्वांगीण विकास हेतु केंद्र सरकार एहि क्षेत्र में 1 लाख करोड़ मिथिला विकास बोर्ड क माध्यम से खर्च करय AIIMS, IIT, IIM, It park, texttile पार्क क स्थापना होए स्पेशल एजुकेशन जोन (SEZ) आ हरेक जिला मे मेडिकल आ इंजीनियरिंग कॉलेज क स्थापना होए, बंद उद्योग धंधा (चीनी,जुट,पेपर,खाद,सूत मिल,खादी भंडार,सिल्क उधोग) क गठन होए सेंट्रल यूनिवर्सिटी मे नीक सुविधा होए, हवाई अड्डा, रेलवे आ रोड नेटवर्क क समुचित व्यवस्था,टूरिज्म ,कल्चर आओर भाषा क संवर्धन लेल बजट,लधु उद्योग जेना डेयरी, मत्स्य पालन, कुककटु पालन आदिक लेल व्यापक कार्ययोजना, महिला शशक्तिकरण लेल जिला स्तर पर व्यापक मैन्युफैक्चरिंग चेन क माँग केलथि । ओतहि विश्वविद्यालय अध्यक्ष अमन सक्सेना वा बिहार प्रभारी प्रियरंजन पांडे कहलथि जे जों मिथिला विकास बोर्ड क माँग पूरा नहि होएत त संघर्ष कए तेज करल जाएत आओर आंदोलन क चिंगारी पटना आओर दिल्लीक लंका रूपी सरकार कए जरेबाक क काज करत । पटना आ दिल्ली मे उग्र-आंदोलन कैल जाएत कार्यक्रम मे मृत्युंजय ठाकुर, गणपति मिश्रा, नीतीश कर्ण, शिवेंद्र वत्स, विनय ठाकुर, कृष्णनंद मिश्र, धीरज झा, विकास पाठक, गोपाल चौधरी, सुमित सिंह, शशि अजय झा, कौशल क्रांतिकारी, दिवाकर झा, विक्की, संदोष मिश्रा संगे हजारक भीड़ उपस्थित छलाह ।

Tags: Mithila Vikash BoardMithilavaadMSU

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

35 दिन बनल 1200 मीटर लंबा बांसक पुल

1912 स मांगल जा रहल अछि अलग मिथिला राज्‍य, कहिया धरि ताकब बाट

मैथिली भाषा मे पढ़ाई लेल दरभंगा प्रमंडलक स्कूल सीबीएसई कए पठाओत स्मार-पत्र

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि