• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बनैली क शैली सुनौलथि लोक गायनक पुरातन शैली

February 13, 2016
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पद्मश्री गजेंद्र नारायण सिंह केलथि पुरातन ताल आ लय मे तैयार बेर कालक गीत क सीडीक लोकार्पण

प्रितिलता मल्लिक
Geet Naadपटना । बिहार मे संगीत क इतिहास बिना बनैली राजघराना क जिक्र केने नहि लिखल जा सकैैछ। महान ख्याल गायक कुमार श्यामानंद सिंह जरुर आब अपना लोकनिक ख्याल मे जा बसलाह अछि, मुदा जाहि प्रकार स शुक्रदिन पटना मे इ राजघराना कतेको साल बाद अपन प्रस्तुति देलक, ओहि स इ कहब गलत नहि जे बिना बनैली राजघराना क जिक्र केने बिहार मे संगीत क वर्तमान आओर भविष्य सेहो देखब संभव नहि। बनैली राजघराना क उदयीमान गायिका शौली सिंह क गायकी स पटना यूथ हॉस्टल प्रांगण मे बैसल लोक मानू कोनो मंदिर में पहुंच गेल।

Geet Naad Shaili Singhएहि स पूर्व पुरातन ताल आ लय तकबाक उपरांत तैयार कैल गेल मैथिली बेर कालक गीत क सीडी गीत नाद क लोकार्पण भेल। सीडी क लोकार्पण करैत पद्मश्री गजेंद्र नारायण सिंह एहि घरानाक विस्तार स परिचय देलथि। श्री सिंह कहला जे आब राजपरिवार सब और सरकार दूनू संगीत क संरक्षण लेल ओहन प्रयास नहि क रहल अछि, जेहन पहिने करैत छल। राज परिवार आर्थिक कमजोर भ गेल आ राज्य सरकार त एहि दिस कहियो गंभीर नहि भ सकल। मिथिलाक गौरवशाली संगीत क लगातार उपेक्षा भेल। कुमार श्यामानंद सिंह आ रामचतुर मल्लिक क विशेष रूप स उल्लेख करैत श्री सिंह कहला जे मिथिलाक एहि दूनू रत्न कए मिथिला मे उचित सम्मान नहि भेटल, जखनकि संगीत क दुनिया मे हिनकर सम्मान ओतबा अछि जेतबा बहुत कम लोक कए भेटल अछि।

एकर बाद गायिका शैली सिंह क गायन शुरु भेल। शैली क गायन एतबा क्लिष्ट ताल मे तालबद्ध छल, जे लोकगीत क शास्त्रीय परंपरा जीवंत भ उठल। एहन एहन ताल मे, जे आजुक शास्त्रीय संगीत मे सेहो कम प्रयुक्त होइत अछि। रूद्र ताल, तेवड़ा, आड़ा-चौताला इत्यादि ताल मे निबद्ध इ गीत अपन ओहि मौलिक रूप मे सामने आयल जे कतहु सुनबा लेल नहि भेटैत अछि। पटनाक कला प्रेमी क इ सौभाग्य जे एकटा मिशन क रूप मे पिछला दस साल स एहि पर शोध क रहलाह बनैली-चम्पानगर ड्योढी क कुमार गिरजानंद सिंह क प्रयास कए बुझबा आ सुनबाक पहिल मौक़ा भेटल। अपन शोध आ ओकर प्रस्तुति पर प्रकाश दैत श्री सिंह कहला जे इ गीत हमरा स्त्रीगण स प्राप्त भेल। ओ कहला जे आइ जाहि रूप मे हमसब मिथिला क संस्कार गीत सुनैत छी, ओ एकर मूल रूप नहि अछि। दरअसल इ गीत हमरा मौखिक परम्परा स प्राप्त भेल, आओर चाहे-अनचाहे एहि मे तरह-तरह क तब्दीली होइत रहल। विभिन्न मांगलिक आ सामयिक अवसर पर हम आइ जेे गीत गबैत या सुनैत छी आ  रिकाड्र्स बजबैत छी, ओ मूल सुर आ ताल मे नहि अछि। एहि गीत सबहक सुर आ ताल पर कहियो कोनो शोध नहि भेल, दरअसल इ गीत मूल रूप स कोन ताल मे निबद्ध छल, सेहो स्पष्ट नहि भ पाबि रहल छल। एहि कारण शोध मे समय लागल। एहि गीत कए संगीत प्रदान करब बेहद क्लिष्ट आ कठिन रहल, जेकरा पूरा करबा मे गुरूजी श्री अमर नाथ झाजी योगदान रहल। शैली सिंह क रूप मे एकटा सधल आवाज भेटल।
श्री सिंह क मानब अछि जे मिथिला क संस्कार गीत क अपन अलग अस्तित्व अछि। एकर अपन परम्परा अछि। अपन इतिहास अछि। अपन लोक शास्त्रीय भाव अछि। इ परंपरा कहिया स शुरु भेल इ त ज्ञात नहि अछि मुदा महाकवि विद्यापति क काल मे इ संपूर्ण रूप स समृद्ध आ विकसित भ गेल छल। मुख्यत: स्त्रिगण इ गबैत छलीह आ अगिला पीढ़ी कए दैत छलीह। श्रुति क आधार पर जेना प्राचीन वेद स हम अवगत छी, किछु ओहिना इ गीत क साहित्य हमरा धरोहर क रूप मे प्राप्त भेल। नहि त एकर स्वरलिपि पर काज भेल आ नहि पांडुलिपि कतहु उपलब्ध अछि। इ हमर पूर्व क देन अछि जे हमर घर मे इ गीत एखनो बचल अछि। मुदा एकरा गेबाक अंदाज़ मे लगातार परिवर्तन होइत रहल। आइ एकरा सुनि कए इ अंदाजा तक लगौनाइ मुश्किल होइत अछि जे कहियो इ एहिना गाउल जाइत छल।

Tags: Geet NaadMithilaak DharoharShaily Singhगीत-नादमिथि‍लाक धरोहरशैली सिंह

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

नियोजित शिक्षक लेल सुखद समाद, दरमाहा गेल बैंक मे

डेस्टिनेंशन बिहार- एक्सपो 18 फरवरी स

दरमाहा बा मानदेय चाही त बनाउ झारालय

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि