• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

विश्व भरि मे परचम लहरा रहलीह मैथिल ललना

February 14, 2017
in समाचार
A A
150
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

मैथिली ठाकुर आ श्रुति झा पर अछि गर्व

मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर आ श्रुति झा द्वारा फहराओल गेल परचम सं मिथिलाक माथ एक बेर फेर स उंच भए गेल अछि । जतए मैथिली ठाकुर रियलीटी शो राइजिंग स्टार क पहिल राउंड मे जीत दर्ज केने छथि । ओतहि दोसर दिस श्रुति झा माइलस्टोन मिसेज इंडियाक ताज अपना नाम क माता पिताक संग संग समस्त मिथिला वासीक नाम जगजगार क देलनि । ओमहर एहि बीच पटना क निवासी संदीप दास कए सेहो ग्रैमी एवार्ड स नवाजल गेल अछि । ई तीनू खबैर स एक बात त स्पष्ट अछि जे अपन प्रतिभाक दम पर मैथिल आ बिहारी नेना विश्व भरि मे अपन झंडा गारि रहल छथि ।

मैथिली ठाकुर
Maithili Thakur 3मैथिली ठाकुर मूल रूप स मिथिलाक मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी प्रखण्ड अंतर्गत उड़ेन क रहनिहारि छथि । मैथिलीक अनुसार संगीतक ज्ञान हुनका अपन बाबा बच्चा ठाकुर आ पिता रमेश ठाकुर स प्राप्त भेल अछि। घर मे संगीतक वातावरण हेबाक कारणे ओ सदैव आगा बढैत गेलीह । उल्लेखनीय अछि जे अपन प्रतिभाक दम पर ओ कतेको रियलीटो शो मे स्थान पाबि चुकल छथि। एहि स पहिने ओ इंडियन आइडियल जूनियर-2015, सारेगामापा क मंच पर जेबा मे सफल रहली अछि। एमहर जखन हुनकर चयन राइजिंग स्टार लेल भेल त लागल जेना सोशल मीडियाक मैथिली समाजक बीच जेना क्रांति आबि गेल । मैथिली कए जीतेबा लेल लोक विशेष तरहक अभियान चलौलनि । परिणाम स्वरूम मैथिली पहिल राउंड में 94 प्रतिशत भोट आनि अगिला राउंड मे प्रवेश केलथि । भवि‍ष्य मे मैथिली हारथु वा जितथु मुदा ओ अपन प्रतिभाक दम पर लोकक हृदय में स्थान बनेबा मे सफल रहली अछि ।

श्रुति झा
Shruti Jha4अमेरिका मे रहनिहार श्रुति झाक पुश्तैनी घर दरभंगा क मंगरौनी मे अछि । श्रुति झा देश- विदेश क प्रतिभागी कए पाछॉं छोड़ैत माइलस्टोन मिसेज इंडिया क ताज अपन नाम क कए संपूर्ण मिथिलांचलक नाम रौशन केने अछि ।
श्रुति बिहार झा पेशा स इंजिनियर छलीह आओर अखन अपन पति क संगे अमेरिका मे रहैत छलीह । अखन ओ अमेरिकन कॉपरेरेशन सेक्शन मे इंजिनियर क रूप मे कार्यरत छलीह । श्रुति क एहि सफर मे हुनकर परिवार क भरपूर समर्थन भेटल । आ हुनकरे बदौलत ओ एहि प्रतियोगिता मे जीत हासिल केलथि ।

संदीप दास
sandeep dasपटना निवासी तबला वादक संदीप दास कए ग्रैमी पुरस्कार स सम्मानित कएल गेल अछि । म्यूजिक एल्बम कैटेगरी मे वायलिन वादक यो यो मा केर एल्बम सिंग मी होम कए अवार्ड देल गेल अछि । एहि एल्बम मे यो यो मा आ भारतीय तबला वादक संदीप दास क जुगलबंदी अछि । एहि लेल हुनका एही प्रतिष्ठित पुरस्कार प्रदान कयल गेल अछि । बतबैत चली जे संदीप दास क जन्म बिहारक राजधानी पटना मे भेल अछि । सेंट जेवियर स स्कूलिंग करबाक बाद ओ बीएचयू स इंग्लिश लिटरेचर क पढ़ाई केलनि । संदीप दास बनारस घराना क पंडित किशन महाराजक शिष्य छथि ।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
Tags: Maithili ThakurRising StarSandeep DasShruti Jha
Share150TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

मिथिला मे लगाओल जायत असमिया बांस

भारंगम मे आबि मानि जाउ, बनल नव इतिहास

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि