• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कानून बनाकए स्कूल मे मोबाइल बैन करनिहार पहिल देश बनल फ्राँस

June 9, 2018
in समाचार
A A

93% बच्चा मोबाईल लाबय छलथि, एहिसँ रिजल्ट 10% घटैत अछि
एहि शैक्षणिक सत्र सँ बैन लागू होएत, शिक्षकक मोबाइल व्यवहार पर सेहो पाबंदी रहत

समदिया

देश विदेश । अपन सबहक देशक चुनाव सबमे अक्सर टॉपर बच्चाक मोबाईल, लैपटॉप देनाई अहम एजेंडा रहैत अछि । जखन कि दुनियाँ क एकटा एहनों देश अछि जे अपन टॉपर्स कए गैजेट सबसँ दूर रखबाक प्रयास कए रहल अछि, ताकि टॉपर्स टॉप पर सतत बनल रहथि । ई देश अछि : फ्राँस । फ्राँस एहन पहिल देश बनल जे कानून बनाकए स्कूल सबमे बच्चाक मोबाईल अननाई बैन कए रहल अछि । देशक कानून निर्माण कमिटि एहि प्रस्ताव कए पास कय चुकल अछि । अगस्त-सितंबर सँ शुरु होए वला नबका सत्र सँ ई फ्राँस क सब स्कूल मे लागू भए जाएत । फ्रेंच एजेंसी ऑफ रेग्युलेटिंग टेलिकम्युनिकेशन क एकटा रिपोर्ट क अनुसार – 12 सँ 17 सालक 93% बच्चा मोबाईल लए कए स्कूल जाईत छथि, जखन कि 2005 मे ई आँकड़ा 72% छल । आब ई नबका कानून बच्चाक संगे शिक्षक पर सेहो लागू होएत। फ्राँस क शिक्षाविद स्कूल मे मोबाईल बैन करेबाक अपील करैत रहय छलथि । हुनक कहनाए छलनि – बच्चा सब क्लास में सेहो मोबाईल क इस्तमाल करैत रहय छथि। पीसा एजुकेशन इंडिकेटर क मोताबिक – शिक्षाक गुणवत्ता मे फ्राँस क रैंकिंग पछिला 5 साल मे 5 पायदान खसल अछि । एहि क पाछू क्लास मे बच्चाक द्वारा मोबाईल व्यवहार सेहो जिम्मेदार अछि । एहि क देखैत पछिला साल फ्राँस क आमचुनाव मे राष्ट्रपति इमैनुएल मैक्रो स्कूल मे मोबाईल बैन करेबाक वादा केने रहथि । हालांकि आब एतय विपक्ष क कहनाम छनि जे एतेक पैघ स्तर पर बैन लागू कए सकनाई संभव नहिं अछि । फ्राँस मे करीब 51 हजार प्राईमरी आ 7 हजार मिडिल स्कूल अछि । एहिमे सँ करीब 29 हजार स्कूल सब अपन-अपन स्तर सँ कैंपस मे मोबाईल बैन केने छल । आब नव कानून क तहत स्कूल सभकए ई जिम्मेदारी देल जायत जे ओ अपन कैंपस मे एहिक पालन सुनिश्चित करथि।

एक दिन मोबाईल आनय स एक सप्ताह स्कूल नहि एनाए जतेक नुकसान होईत अछि

की वाकई मे बच्चाक एकेडमिक प्रदर्शन आ हुनक मोबाईल लए कए स्कूल आबय के कोनो संबंध अछि? जवाब ताकय लेल लंदन स्कूल आफ इकोनॉमिक्स किछु समय पहिने एकटा शोध केने छल । नतीजा निकलल छल जे जाहि स्कूल सभ मे मोबाईल अननाए बैन अछि, ओतय बच्चाक प्रदर्शन 6 स 10% नीक रहैत अछि । एहि अध्ययन टीमक नेतृत्वकर्ता रिसर्चर रिचर्ड माफी कहय छथि । बेशक मोबाईल आ आन गैजेट पढ़ाई क नव तरीका सभकए हिस्सा अछि मुदा स्कूल मे मोबाईल आनय स बच्चाक ध्यान भटकि रहल अछि । एहि रिसर्च के हिसाब सँ – “क्लास मे मोबाईल आनय स बच्चाक एक दिन मे ओतेक नुकसान होएत अछि जतेक एक सप्ताह स्कूल नहिं आबय सँ होएत अछि।”

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: Mobile BanSchool

Related Posts

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

बिजली उपभोक्ता सबकए घर मे अगस्त सँ लागत प्रीपेड मीटर

एम एड क पढ़ाई लेल भेटल स्थाई संबंधन

एसडीओ आ डीसीएलआर क वेतन पर रोक

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि