मधुबनी । जिला क मधेपुर प्रखंड मे 2017 मे आयल बाढ़ि से प्रभावित परिवार के वित्तीय सहायता आ फसल क्षति अनुदान क राशि अद्यतन नहि भेटबा क शिकायत के जिला पदाधिकारी, मधुबनी, शीर्षत कपिल अशोक गंभीरतापूर्बक लैत झंझारपुर क अनुमंडल पदाधिकारी आ डी सी एल आर क वेतनपर रोक लगा देल अछि। जिला पदाधिकारी बजलाह जे 2017 के बाढ़ि मे मधेपुर प्रखंड क 36000 हजार परिवार क बीच जी आर वितरण क लेल खाद्यन्न एवं नगद अनुदान मद मे प्रति परिवार 6000 हजार रू क दर से 21 कड़ोर साठि लाख आ फसल क्षति लेल सात कड़ोर 64 लाख टाका क आवंटन देल गेल जकर समये पर निकासियो कयल गेल परंतु अद्यावधि बहुतो परिवार ए हि लाभ सँ वंचित छथि।
एहि संबंध मे विधायक, जधप्रतिनिधि सबहक शिकायत प्राप्त भेल अछि। ओ क्षोभ व्यक्त करैत बजलाह जे एहि हेतु अनेको बेर पत्र, बैसक आ फोन पर निदेशित कयला क बादो निदेशक पालन नहि कयल गेल। जेअत्यंत गंभीर विषय थिक आ एहि सब संबंधिय पदाधिकारी समान रूपेँ उत्तरदायी छथि।
जिला पदाधिकारी बजलाह एस डी ओ एवं डी सी एल आर क ई दायित्व छलैन जे सहाय वितरणक नियमित समीक्षा कय ओ एकर वितरण करबितैथ। तेँ आदेश देल गेल अछि जे जाहि परिवार के जी आर आ फसल क्षति क लाभ नहि भेटल छैन्ह हुनका सब सप्ताहक अंदर सी ओ आ बी डी ओ बैंक करावौथ। ओ निदेश देलैन जे यदि सप्ताह भरि मे वांछित भुगतान नहि होइछ, त सरकारी कार्य मे बाधा पहुँचेबा, आदेश क अवहेलना, प्रभावित व्यक्ति के सहाय राशि से वंचित रखवाक आरोप मे दोषी सी ओ , बी डी ओ एवं बैंक मैनेजर पर एफ आई आर दर्ज करैत सूचित कयल जाय। प्रभावित व्यक्ति सब के लाभ भेटबा धरि उक्त दूनू पदाधिकारी क वेतन स्थगित रहतैन।