• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

ठुकराउल गेल परिवारवाद

November 13, 2008
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

देश क राजनीति मे महत्वपूर्ण भूमिका निभाबै वाला बिहार क कईटा कद्दावर नेता क सर-संबंधी एहि बेर क लोकसभा चुनाव मे अपन किस्मत आजमेबा लेल मैदान मे छलाह, मुदा ओीि मे स केवल छह प्रत्याशी कए छोडि़कए शेष सबटा कए जनता नकारि देलक। लोकसभा चुनाव क दौरान टिकट वितरण मे परिवारवाद क झलक साफ देखल गेल आओर कद्दावर नेतासर-संबंधी कतहु नहि कतहु स टिकट प्राप्त करि कए चुनावी दंगल मे कसरत करैत नजरि एलाह। सबस रोजक त रहल पप्पू यादव क परिवार। हुनकर कनिया, माई आ बहिन तीनू चुनाव मे हारि गेलखिन।
पटना। सत्ता मे अपन पहुंच बनेबा लेल नेता परिवारवाद क त सहारा लैत रहला अछि। गांधी परिवार देशक सबस मजबूत राजनीकि परिवार अछि। करूणानिधि अपन बेटा-बेटी कए मंत्रिमंडल मे स्थान दियेबा लेल दिल्ली स चैन्नई लौट गेलाह। अजुर्न सिंह बेटीक टिकट लेल अपन कुर्सी गंवा देलथि। मुदा बिहार मे एहि बेर जनता परिवारवाद कए नकारि देलक। देशक जनताक भाव स अलग बिहारक मतदाता नेताक एहि खेल कए बुझि चुकल अछि। जनता कांग्रेस क एकटा, राज्य मे सत्तारूढ़ जनता दल यूनाईटेड क दोटा आओर भारतीय जनता पार्टी क तीनटा प्रत्याशी कए छोडि़ कए शेष सबटा कए नकारि देलक। जखन कि एहि बेर क चुनाव मे कांग्रेस स 13, लोक जनशक्ति पार्टी स 3, राष्टï्रीय जनता दल, राष्टï्र सेवा दल आ सर्वजन समाज पार्टी स एक-एकटा, भारतीय जनता पार्टी स तीनटा आ जनता दल यूनाइटेड स दूटा दिग्गज नेता क संबंधी या परिवारक लोक कए टिकट देल गेल छल। एहि मे स पूर्व उपप्रधानमंत्री स्व जगजीवन राम क बेटी आ कांग्रेस प्रत्याशी मीरा कुमार सासाराम (सु) क्षेत्र स, भारतीय जनता पार्टी क प्रत्याशी आ बिहार क पूर्व मंत्री स्व. बृजबिहारी प्रसाद क कनिया रमा देवी शिवहर स, भाजपा के पूर्व सांसद मदन जायसवाल क पुत्र संजय जायसवाल पश्चिम चंपारण स आओर पूर्व मुख्यमंत्री भागवत झा आजाद क पुत्र भाजपा प्रत्याशी कीर्ति झा आजाद दरभंगा स जीतबा मे सफल रहलाह। बिहार क पूर्व मंत्री रघुनाथ पांडेय क पुतहु विनीता विजय मुजफ्फरपुर स, पूर्व मंत्री संजय सिंह क पत्नी सुनीला देवी नवादा स, पूर्व मुख्यमंत्री सत्येन्द्र नारायण सिन्हा क पुत्र निखिल कुमार औरंगाबाद स, पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी क भाई अनिरुद्ध प्रसाद उर्फ साधु यादव पश्चिम चंपारण स, निवर्तमान सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव क कनिया रंजीत रंजन सुपौल स, हुनकर माई शांतिप्रिया देवी पूर्णिया स चुनाव हारि गेलीह। एहिना पूर्व सांसद आनंद मोहन क पत्नी लवली आनंद शिवहर स, विधानसभा क पूर्व उपाध्यक्ष स्व. शकुर अहमद क पुत्र पूर्व केंद्रीय गृह राज्यमंत्री डॉ शकील अहमद मधुबनी स, पूर्व केंद्रीय मंत्री बालेश्वर राम क पुत्र अशोक कुमार समस्तीपुर स, पूर्व मंत्री महाबीर चौधरी क पुत्र अशोक चौधरी जमुई स, पूर्व सांसद चन्द्रभानु देवी क पुत्री अमिता भूषण बेगूसराय स आ पूर्व मंत्री प्रभावती गुप्ता क पुत्र अरविन्द्र कुमार गुप्ता पूर्वी चंपारण स चुनावी मैदान मे उतरल छलाह, मुदा जनता नकारि देलक। नवादा स लोक जनशक्ति पार्टी क टिकट पर निवर्तमान सांसद सूरज सिंह उर्फ सूरज भान क कनिया वीणा देवी, समस्तीपुर स लोजपा क राष्टï्रीय अध्यक्ष रामविलास पासवान क भाई रामचन्द्र पासवान आ हाजीपुर स स्वयं पासवान कए सेहो हार क सामना करैय पड़ल। सीवान स निवर्तमान सांसद मोहम्मद शहाबुद्दीन कए कनिया हीना शहाब कए सेहो पराजय क मुंह देखय पड़ल। लोजपा अध्यक्ष रामविलास पासवान क ममेरे भाई महेश्वर हजारी समस्तीपुर (सु) स जदयू क टिकट पर, जखनकि जदयू क पूर्व सांसद स्व. अजित सिंह क पत्नी मीणा सिंह आरा स चुनाव जीतबा मे कामयाब रहलीह।

Tags: bihar politics
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहारक औद्योगिक विकास दर बढ़ल उत्पादन में सेहो वृद्धि

Esamaad Epaper Website

नेपालो जेबा लेल आब चाही पासपोर्ट

Esamaad Epaper Website

प्रतिभा विकसित कर जिंदगी संवारे बच्चे: डीएम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि