नई दिल्ली । दीनदयाल उपाघ्याय मार्ग स्थित गांधी शांति प्रतिष्ठान मे मैथिली स्वंयसेवी संस्था नव-पल्लव क वार्षिकोत्सवक आयोजन कैल गेल । कार्यक्रम मे विद्यार्थी सब सांस्कृतिक कार्यक्रमक प्रस्तुति देलथि । एहि क संगे ‘’मेरे सपनों का भारत मैं करूं भारत निमार्ण’’ विषय पर व्याख्यान प्रतियोगिता क आयोजन करल गेल । एहि मे करीब 30 टा छात्र-छात्रा भाग लेलथि । प्रतियोगिता मे विजयी चारि टा छात्रक चयन छात्रवृति लेल करल गेल । नव-पल्लव संस्थानक अध्यक्ष भवन ठाकुर बतेलथि की विजयी छात्र कए संस्था दिस स 500 टका हरेक महिना छात्रवृति क लेल देल जाएत । इ छात्रवृति हुनका एक साल तक देल जाएत ।
एहि मौका पर कार्यक्रम मे मौजूद जहानाबाद क सांसद अरूण कुमार कहलथि कि किताब नहि खालि छात्र ज्ञान बढ़ाबैत अछि मुदा हुनका देश-दुनिया, समाज आ संस्कार से सेहो परिचय कराबैत अछि । किताब समाजिक आ मानवीय मुल्य स छात्र कए जोडैत अछि । कार्यक्रम मे शिक्षाविद अशोक अरोड़ा संगे निसार अहमद, गंगेश गुंजन, नव पल्लव क सचिव कृष्ण कुमार झा, आ संस्था क अधिकारी रामचंद्र झा, अनिल दिवाकर, आ विवेक चौधरी संगे सैकड़ो मैथिल जुटल छल ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa