समदिया

तीन दिवसीय दौरा पर अपन पत्नी राधिका शाक्या संग दिल्ली पहुंचल नेपालक प्रधानमंत्री केपी शर्मा ओली काल्हि प्रतिनिधिमंडल- स्तर क वार्ता स पहिने मोदी क संग बैसार केलथि। बैसारक बाद मोदी ट्वीटकेलथि जे नेपालक प्रधानमंत्री केपी शर्मा स भेंट क आनन्दित छी।
ओली सांझखन नेपाली दूतावास मे नेपाली समुदाय क सदस्य संग गपशप केलथि। नेपाली दूतावास में ओली कहला जे नेपाल ‘हर पड़ोसी आ ‘हर मित्र संग करीबी संबंध रखबाक इच्छुक अछि। प्रधानमंत्री मोदी संग बैसार पर ओ कहला जे नीक गपशप भेल। कांग्रेस अध्यक्ष राहुल गांधी स सेहो ओ भेंट केलथि अछि।
एहि स पूर्व आइ भोर मे नेपाली परंपराक अनुरूप नेपालक पीएम ओली अपन पत्नी राधिका शाक्य ओली संग पहिल विदेश यात्रा पर भारत पहुंचलाह। प्रधानमंत्री क आगवानी गृह मंत्री राजनाथ सिंह केलथि।