• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

वीपी सिंह क अगिला कड़ी हेताह नीतीश !

April 14, 2016
in समाचार
A A

ज्योति श्रीवास्तव

nitish-kumar

बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार समाजवादी नेता क जमात मे वर्तमान मे देश मे सबस पैघ कद क नेता बनिकए उभरि चुकल छथि। जानकार कहब अछि जे देश क कईटा राज्य मे बिखरल समाजवादी नेता क मदद स नीतीश 2019 मे देश क प्रधानमंत्री बनबाक बाट बनेबा मे लागल छथि। ओ अगर पीएम क कुर्सी तक पहुंचैत छथि त गैर कांग्रेसी आ गैर भाजपाई प्रधानमंत्री मे वीपी सिंह क नीतीश अगिला कड़ी साबित भ सकैत छथि।

एकर पाछु ठोस तर्क सेहो अछि। नीतीश कुमार भले गैर भाजपा आ गैर कांग्रेसी शक्ति कए एकत्र करबा मे जुटल छथि मुदा ओ पूर्णत: गैर कांग्रेसवाद आ गैर भाजपावाद क समर्थक नहि छथि । दरअसल ओ अवसर क अनुसार अपन रणनीति तय करैत छथि। परिस्थिति आधारित राजनीति करबाक ग़जब  क्षमता रखनिहार नीतीश बेजोड़ नेता छथि। नीतीश समाजवादी क मदद स देश मे अपन कद बढउताह, मुदा कोनो आश्चर्य नहि जे ओ देश क सत्ता क शीर्ष पर पहुंचबा लेल कांग्रेस या भाजपा क दिस स भेट रहल सहायता स्वीकार ल लथि। कांग्रेस आ भाजपा दूनू राष्ट्रीय पार्टी अपन अपन मज़बूरी क वज़ह स नीतीश क प्रति नरमी बरतत। कांग्रेस जतए भाजपा कए पाछु रखबा लेल इ करत ओतहि भाजपा कांग्रेस कए पटखनी देबा लेल नीतीश कए क़रीब रखबाक कोशिश करत। अगिला जनादेश स अगर परिस्थिति जटिल बनल
त एहि प्रकारक संभावना स इनकार नहि कैल जा सकैत अछि। दूनू राष्ट्रीय दल मे स ककरो सहायता स नीतीश देश क प्रधानमंत्री भ सकैत छथि।

नीतीश शरद यादव कए जगह अध्‍यक्ष पद पर आसीन भ सीधा पार्टी पर निर्णय लेबा लेल आब स्वतंत्र भ गेलाह अछि। लालू सेहो कहि चुकला अछि जे शरद क राजनीतिक सोच आब खत्म भ गेल अछि। दरअसल लालू क बयान मे नीतीश क बढ़ैत कद आ दोसर समाजवादी नेता क कांग्रेस विरोध क चिंता झलकि रहल अछि। नीतीश अपन मिशन क अगिला कड़ी मे मुलायम सिंह यादव, रामविलास पासवान आ मायावती सन समाजवादी ब्रांड क नेता कए पाछु छोडबा लेल दिल्ली पर पकड मजबूत करताह। मुदा इ एतबा आसान काज नहि अछि, दिक्कत इ अछि जे बिहार, उत्तर प्रदेश और उत्तर भारत क दोसर अन्य राज्य क बाट धेने बिना ककरो लेल दिल्ली बहुत दूर अछि। एहि लेल ओ मुलायम और पासवान स एकबारगी दूरी नहि चाहता।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नीतीश कुमार, लालू प्रसाद, मुलायम सिंह यादव, रामविलास पासवान सन कईटा नेता जेपी क बाद वीपी क नीति स उपजल जन आकांक्षा क सबस बेसी फायदा उठेनिहार नेता भेलाह, मुदा नीतीश बाकी स अपना कए काफी अलग रखबा मे सफल भेलाह। आकलन कहैत अछि जे नीतीश कुमार कई मायने मे वीपी सिंह स आगू निकलि गेलाह अछि। बिहार मे जाहि प्रकार स ओ सोशल इंजीनियरिंग, अवसर क समझ आ जनता क नब्ज़ पकडि शासन केलथि अछि ओ हुनर वीपी मे नहि छल। नेतृत्व क बेजोड़ क्षमता नीतीश कए अपन समतुल्यक आन नेता स आगू करैत अछि। इ सच अछि जे प्रधानमंत्री क रूप में वीपी सिंह देश क राजनीति मे एकटा तूफान ढार क देलथि। मंडल आयोग क सिफारिश लागू करि ओ मधुमक्खिक छत्ता मे हाथ देलथि आ जख्मी भ सत्ता गंवा देलथि। मुदा वीपी सिंह इतिहास मे अमर भ गेलाह । नीतीश अगर प्रधानमंत्री बनैत छथि त वीपी जेका हुनकर प्रशासन चरमरा नहि सकैत अछि आ नहि ओ फैसला लेबा स डरेबाक स्थिति मे रहताह। ओ कईटा नव फैसला क सकैत छथि जे देश क राजनीति मे दूरगामी असर देखाउत। एहन मे नीतीश कए केवल वीपी सिंह जेका मंडल लेल नहि स्मरण कैल जायत, बल्कि ओ देश क इतिहास मे एकटा नव अध्याय जोड़बा मे सेहो सक्षम भ सकैत छथि।

नीतीश कुमार एहि लेल सेहो अपन समतुल्य  आन समाजवादी नेता स बेसी मज़बूत छथि किया त हुनकर संग प्रशांत किशोर सन आधुनिक चाणक्य छथि। कईटा इतिहासकार क मानब अछि जे चाणक्य बाहर स चलिकए मगध आयल छलाह आ ओ सामाजिक रूप स पिछड़ल एकटा एहन व्यक्ति कए देश क सबस पैघ आ मज़बूत मगध साम्राज्य क सम्राट बना देलथि जाहि पर शक्तिशाली नंद वंश क शासन छल। संयोग स इ वैह बिहार थीक जे कहियो मगध साम्राज्य क केंद्र छल। हालांकि इ केवल आकलन अछि, समाजवादी नेताक बीच नीतीश कुमार क छवि आ क्षमताक। नीतीश कुमार क प्रधानमंत्री बनब भविष्य क गर्भ मे अछि। अगिला लोकसभा चुनाव में भाजपा आ कांग्रेस क बाद तेसर विकल्प पर रूप में नीतीश पूर्वक चुनाव स बेसी मजबूत आ चर्च में रहताह, इ संभव अछि।

Tags: nitish kumarVP Singh

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

एहि बेर नहि बनत 'एमपी०' आ 'एसपी०' क सरकार !

सूखाइत सीतामढ़ी क जमीन पर फेर उतरल एकटा हल

डीडी बिहार पर भारत एक खोज आब मैथिली में

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि