• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

सुल्तान पैलेस पर भेटल एनओसी, हेरिटेज होटल लेल टेंडर शीघ्र

February 7, 2018
in समाचार
A A
50
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
रामबाबू 
पटना । वीरचंद पटेल पथ स्थित सुल्तान पैलेसमे हेरिटेज होटल बनय वाला अछि से स्पष्ट भS गेल। सुल्तान पैलेस सँ बिहार राज्य पथ परिवहन निगमकें कार्यालय हटाक परिवहन विभाग पर्यटन विभागकें हेरिटेज होटल निर्माण लेल एनओसी द देलक अछि। संगहि बांकीपुर बस पड़ावकें सेहो पर्यटन विभागकें अधीन कएल जाएत। शहरकें भीतर बस स्टैंड नहि रहत। मीठापुर बस स्टैंड केर सेहो स्थानांतरणकें प्रस्ताव अछि। सभटा बस रामाचक बैरिया सँ खुजत। रामाचक बैरियामे अंतरराज्यीय बस स्टैंड केर निर्माण कार्य प्रारम्भ अछि। परिवहन विभाग केर सचिव संजय कुमार अग्रवाल बजलाह कि सुल्तान पैलेसकें हस्तांतरित करय लेल पर्यटन विभागकें एनओसी देल गेल आब निर्माण कार्य पर्यटन निगम शुरू करताह। ओतय पर्यटन विभाग केर निदेशक अशोक कुमार सेहो सुस्पष्ट कएलाह कि हेरिटेज होटल केर काज यथाशीघ्र शुरू होयत। सुल्तान पैलेस केर निर्माण पटना हाईकोर्टक पूर्व जज आऔर पटना विश्वविद्यालय केर पहिल भारतीय कुलपति सर सुल्तान अहमद द्वारा कराओल गेल छल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रदेशक ऐतिहासिक धरोहर सभकेँ नव रूपमे सुन्दर आओर भव्य बनेबाक निर्देश देलक अछि।
हुनक सोच अछि कि प्रदेशमे हेरिटेज पर्यटन केर दृष्टिकोण सँ बेसी संभावना अछि। सुल्तान पैलेस ओकर पहिल कड़ी अछि। एकरा पांच सितारा होटलमे परिवर्तित करय केर जिम्मेदारी संयुक्त रूप सँ पर्यटन आऔर परिवहन विभागकें होयत। सुल्तान पैलेसमे वर्षों सँ बिहार राच्य पथ परिवहन निगमकें मुख्यालय अछि। एकरा 1000 करोड़ रुपयामे परिवहन निगम सँ खरीदकS पर्यटन विभागके हस्तांतरित करबाक औपचारिकता यतशीघ्र पुर कएल जाएत। अहि लेल मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह केर अध्यक्षतामे समिति केर गठन हएत। ओकर बाद निगम मुख्यालयकें फुलवारीशरीफ स्थानांतरित क देल जाएत।
सुल्तान पैलेस केर निर्माण पटना हाईकोर्टक पूर्व जज आऔर पटना विश्वविद्यालयकें पहिल भारतीय कुलपति सर सुल्तान अहमद 1922 मे निर्माण करओने छलाह। करीब 10 एकड़मे एकर निर्माण पर ओहि समयमे 22 लाख रुपैया खर्च आएल छल। विख्यात वास्तुविद अली जान एकर डिजाइन कएने अछि। निर्माणमे उज्जर संगमरमर केर बेसी उपयोग भेल अछि। मुख्य हॉल आऔर डाइनिंग रूम केर छत, देबालक नक्काशी पर 18 कैरेट सोना केर पानि देखल जा सकैत अछि। महिला सभके निवास स्थान केर सुंदर बनेबाक उद्देश्य सँ चीनी मिट्टी केर रंग-बिरंगा टुकड़ी सँ फूल-पत्ता उकेरल गेल।
Tags: HeritagepatnaSultan Palace
Share50TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

कालाजार उन्‍मूलन लेल सीतामढ़ी भारत मे आदर्श जिला घोषित

अगिला फागुन मे कोसी पुल स गुजरत ट्रेन, दरभंगा मे बनत रेल बाइपास

बिहार मे बनत बिस्कुट, नूडल्स, कूकीज, ब्रिटानिया करत डेयरी मे निवेश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि