• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

February 14, 2017
in समाचार
A A

रौशन कुमार मैथिल

Patna Book Fairमिथिला क्षेत्र मे एकटा कहबी छैक, किछु लोहो क दोख आ किछु लोहारो क दोख । ई कहावत पटना पुस्तक मेला पर एकदम सटीक बैसैत अछि । पटनाक गांधी मैदान आई काल्हि पुस्तक मेलाक कारणे गुलजार अछि । मेलाक देखला स ज्ञात होइत अछि जे एखनो लोकक बीच मे किताब अपन स्थान बनौने अछि।

मातृभाषा मैथिली वा बिहारी आन भाषाक बारे मे गप करी त ई आयोजन किछु निराश केलक अछि । कारण एहि आयोजन मे एकहुटा मैथिली पोथीक पृथक स्टॉल नहि अछि । ओना साहित्य अकादेमीक संग संग राजकमल, अंतिका सहित अन्य प्रकाशक स्टॉल पर किछु मैथिली पोथी उपलब्ध है । पुस्तक विक्रेताक बात पर विश्वास कएल जाए त मैथिली सहित अन्य स्थानीय भाषाक पाठक प्रत्येक दिन पुस्तक लेल पूछताछ करै छथि । जं हुनका लग पोथी रहैत छनि त ओ पाठक कए ओकरा बारे मे बतबैत छथि । कुल मिला क एतेक कहल जा सकैत अछि जे मैथिली पोथीक बिक्री संतोष जनक कहल जा सकैत अछि ।

पुस्तक मेलाक संयोजक अमित झा एहि बारे मे कहै छथि जे एखन धरि भारतीय भाषाक लगभग तीस हजार स बेसीक पोथी बिका चुकल अछि । लागत बारे में ओ कहलिन जे लगभग सबा करोड़ स अधिक क पोथी बिका चुकल अछि । हुनका अनुसार कोनो स्टॉल लगौनिहार कए 29900 टका स्‍टॉल लगेबाक लेल देबय पड़ैत अछि । बदला में आयोजन समिति दिससं सभ तरहक व्यवस्था कएल जाइत अछि ।

ओतहि पटना पुस्तक मेला मे आयल मैथिली साहित्यकार डॉ शशिधर कुमार आयोजनक व्यवस्था स निराशा व्यक्त करैत कहलनि जे पहिने जकां आब आयोजन नहि कयल जाइत अछि । हुनका अनुसार पहिने साहित्य अकादेमी वा अन्य स्टाल पर अलग अलग भाषाक पोथी एक संग सजा क राखल जाइत छल । से आब नहि होइत अछि । परिणाम स्वरूप लोक कए परेशानी क सामना करए पड़ैत अछि । ओ कहलिन जे एहि बेर एक हजार क पोथी किनलहुं । आर पोथी जं उपलब्ध रहितैक तं आरो किनतौ । ओतहि भाजपाक मुख्य पत्र कमल संदेश क उप संपादक संजीव सिन्हा कहलनि जे समय निकालि पुस्तक मेला गेल रही । एक हजार टाका केर पोथी किनलौ । हुनका अनुसार जं एतहि मैथिली पोथी उपलबध रहितैक त बेसी मैथिली पोथी किनतहु, मुदा अफसोस से नहि भ सकल । श्री सिन्हा कहलनि जे एतहि उर्दू एकेडमी केर स्टाल अछि मुदा मैथिली एकेडमी केर स्टॉल नहि लगाओल गेल अछि । हुनका अनुसारे मैथिली लेखक और मैथिली समाज कए सोचक चाही । संजीव सिन्हा कहलनि जे एहि लेल बेसी दोषी मैथिली समाज अछि । ओ कहलिन जे अगिला बेर ओ अपना स्तरसं मैथिलीक स्टॉल लगेबाक लेल व्यवस्था करता ।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सवाल उठैत अछि जे कहिया धरि पाठक नहि हेबाक नाम पर रटल रटायल डॉयलॉग मारल जायत । उल्लेखनीय अछि जे एहि बीच किछु ऑनलाइन पोर्टल द्वारा मैथिली पोथीक बिक्री आरम्भ कयल गेल अछि । किछु पोथी कए बेस्ट सेलरक एवार्ड सेहो देल गेल अछि । एकर बादो जं मैथिली सहित आन बिहारी भाषाक प्रकाशक कहै छथि जे मैथिली पोथी नहि बिकाइत अछि त एकर जवाब में एतबे कहल जा सकैत अछि जे किछु लोहो केर दोष किछु लोहारो क दोष ।

Tags: maithilimithilapatna book fair

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

विश्व भरि मे परचम लहरा रहलीह मैथिल ललना

मिथिला मे लगाओल जायत असमिया बांस

भारंगम मे आबि मानि जाउ, बनल नव इतिहास

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि