एहि ठाम स भेटत एहि साल बिजली
बरौनी (पुरानी यूनिट)
नवीनगर (रेल)
बाढ़ (नव यूनिट)
कांटी (नव यूनिट)
एहि ठाम स भेटत अगिला साल बिजली
अरुणा-3 स 125 मेगावाट
पूनसांगचू स 750 मेगावाट
मांगडेचू स 750 मेगावाट
नॉर्थ कर्णपुरा स 215 मेगावाट
नवीनगर फेज-1 स 916 मेगावाट
अपारंपरिक ऊजा स 150 मेगावाट
एखन एहि ठाम स भेट रहल बिजली
तालचर, फरक्का, कहलगांव, तिस्ता, रंगीत, चूखा, ताला, बाढ़, कांटी, दादरी, जीएमआर कामलंगा, अदानी, (एकर अलावा पनबिजली, सौर ऊर्जा, बायोमास स सेहो सीमित मात्रा मे आपूर्ति)
पटना। बिहार क बिजली संकट अगिला साल न केवल खत्म भ जायत बल्कि एकटा नव समस्या पैदा भ सकैत अछि जे एतबा बिजली की करब। जाहि रूप मे बिजलीक व्यवस्था नीतीश सरकार क रहल अछि ओहि रूप मे मांग मे बढोतरी नहि देखा रहल अछि। अगिला साल राज्य कए दू हजार मेगावाट अतिरिक्त बिजली भेटत। पांचटा नव बिजलीघर मे बिहार क कोटा तय भ गेल अछि आ अगिला साल इ सबटा शुरु भ जायत। एहि मे दूटा बिजलीघर पूनसांगचू-मांगडेचू भूटान मे अछि, जखनकि एकटा अरुणा-3 नेपाल मे। नेपाल स पहिल बेर बिहार कए बिजली भेटत। ओना स्थानीय स्तर पर बिजली क आदान-प्रदान नेपाल स होइत रहल अछि। पावर होल्डिंग कंपनी कए एखन 13 टा बिजलीघर स बिजली क आपूर्ति होइत अछि। तखनो बिहार अपन बिजली जरुरत लेल मुख्यत: केंद्र पर निर्भर अछि। केंद्रीय सेक्टर स एनटीपीसी आ एनएचपीसी बिहार कए बिजली दैत अछि। एकर अलावा बिहार बाजार स सेहो बिजली कीन रहल अछि। पावर पर्चेज एग्रीमेंट क अनुसार अरुणा, नवीनगर, पूनसांगचू, मांगडेचू आ नॉर्थ कर्णपुरा मे बिहार क कोटा तय क ओकर आपूर्ति क समय सीमा तय क देल गेल अछि।
एहि साल तैयार भ जायत कांटी-बरौनी क नव यूनिट
एहि साल अंत तक कांटी आ बरौनी बिजलीघर क चारू नव यूनिट सेहो बनि कए तैयार भ जायत। एहि स बिहार कए लगभग 765 मेगावाट बिजली भेटत। कांटी मे 195-195 मेगावाट क दूटा यूनिट बनि रहल अछि, जाहि मे बिहार क हिस्सेदारी 264 मेगावाट अछि। बरौनी मे 250-250 मेगावाट क दूटा यूनिट स्थापित भ रहल अछि। बिजलीघर क पूरा बिजली बिहार क होएत। एहि ठाम स 500 मेगावाट बिजली बिहार कए भेटत।