दरभंगा । अनाथ आ दिव्यांगक अधिकार लेल काज करनिहार डा.जयशंकर झा कए एचीभर गैलरी बुध दिन लाइफ टाईम एचीवमेंट अवार्ड स सम्मानित केलक। डा झा कए इ सम्मान पटना क होटल पनास मे आयोजित समारोह मे डीजी गुप्तेश्वर पांडेय आ आइएएस संजय कुमार सिंह क संयुक्त हाथ स देल गेल। समारोह में कुल 32 विधा मे समाजिक क्षेत्र मे उत्कृष्ठ कार्य करनिहार समाजसेवी कए सम्मानित कैल गेल। कार्यक्रम क़ आयोजन एक लम्हा जिंदगी के नाम संस्थान क सहयोग स कैल गेल।
उल्लेखनीय अछि जे डा.झा विगत दू दशक स अनाथ, असहाय आ दिव्यांग क उत्थान मे सतत कार्य करैत एलाह अछि। 1962 ईसवी तक एशिया क दोसर आ भारतवर्ष क सबसे पैघ अनाथालय कामेश्वरी प्रिया पूअर होम कए पुनः अनाथ लेल खोलबाक ऐतिहासिक संघर्ष कए देखैत इ सम्मान डॉ झा कए देल जा रहल अछि। बिहार मानवाधिकार आयोग सहित पटना उच्च न्यायालय तक एहि मांग लेल लंबा कानूनी लड़ाई सफलतापूर्वक लड़निहार डा झा अनाथ क अधिकार कए सुनिश्चित करबा लेल सर्वविदित छथि। डा. संत कुमार चौधरी, डा.देवनारायण यादव , डा.के.के.चौधरी, प्रो.मुकेश प्रसाद निराला,ए.के.कश्यप, प्रो.तरुण मिश्रा , डा.राजेश्वर पासवान , डा.अंजू अग्रवाल , डा.एच.एन.झा ,राधारमण झा, काजी मुमताजुल हक, सूचित मंडल, डा.सुमित कुमार मंडन समेत अन्य गणमान्य लोक हिनकर मनोनयन पर हर्ष व्यक्त कलथि अछि। एहि सूचनास उज्ज्वल कुमार (आयोजन समिति सदस्य, द एचीभर गैलरी) अवगत करौलथि अछि।