• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

फिल्म पद्मावती क शूटिंग लेल बिहार भ रहल तैयार

December 17, 2016
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
अपन विशाल यूनिट संग फरवरी मे अउताह भंसाली 
padmavatiहाजीपुर । बॉलीवुड मे बिहार क कहानी त सबदिन मांग मे रहल, मुदा बिहार मे शूटिंग क मांग पर बिहार क निर्माता आ निर्देशक तक नाक भौं सिकुरा लैत छथि। मुदा निर्माता-निदेशक संजय लीला भंसाली अपन आगामी फिल्म पद्मावती क शूटिंग बिहार मे करबाक तैयारी मे जुटल छथि। पद्मावती एक बेर फेर बिहार क एकटा नव छवि गढ़त, जे पिछला 15-17 साल क स्थापित छवि स अलग होएत। बच्चू यादवक बिहार एक बेर फेर हीरामन क बिहार बनत। सैकड़ा स बेसी हाथी आ हजार घोड़ा जखन वैशालीक युद्ध क मैदान मे इतिहास कए जीवंत करत त बिहार सिनेमाई परदा पर लोकेशनक नव हीरो क रूप मे सामने आउत। भंसाली कहैत छथि जे कहानीक मांग कए वैशाली पूरा करैत अछि। बिहार मे जाकर सिनेमा बनेबा पर हो कहैत छथि जे इ सब हुनका लेल एकटा रोमांच अछि।
वैशाली क ऐतिहासिक धरती पर पद्मावती क शूटिंग क जोर-शोर स तैयारी चलि रहल अछि। उम्मीद अछि जे फरवरी में फिल्म यूनिट बिहार आउत आ किछु दिन वैशाली क जमीन पर शूटिंग होएत। फिल्म में रणवीर सिंह और दीपिका पादुकोण लीड रोल मे छथि। खास बात अछि जे बिहार मे एकटा पैघ वजट क पीरियड फिल्म क शुटिंग हेबा स बिहार खास क तिरहुत क धरोहरक प्रति आम लोक मे धारणा बदलत।
अलाउद्दीन खिलजी क आक्रमण क दौरान जौहर करनिहारि चित्तौड़ क महारानी पद्मावती क कथा पर आधारित एहि सिनेमाक एकटा बेहद महत्वपूर्ण युद्ध दृश्य एहि ठाम फिल्माउल जाएत। सगहि किछु गीत आ संवाद सेहो एहि ठाम शूट होयत।  स्थानीय प्रबंधक लेल एकटा चुनौति अछि जे एहि शूटिंग लेल सैकड़ा स बेसी संख्या में हाथी आ घोड़ा क व्यवस्था करब। किया कि भसाली युद्ध मे जीवंतता देबा लेल कोनो समझौता करबा लेल तैयार नहि होइत छथि।
शूटिंग लेल आन इंतजाम क संग संग सुरक्षाक सेहो पुख्ता व्यवस्था कैल जा रहल अछि। स्थानीय प्रबंधन देख रहल यूनिट क सदस्य कहला जे यूनिट लेल हाजीपुर क एकटा होटल कए बुक कैल गेल अछि। प्रोडक्शन स जुड़ल टीम लोकेशन सबहक निरीक्षण क चुकल अछि।
एहि संबंध मे सदर एसडीपीओ राशिद जमां कहला अछि जे पुलिस प्रशासन कए एहि संबंध में सूचना भेटल अछि। पूरा यूनिट कए प्रयाप्त सुरक्षा मुहैया कराउल जाएत।
उल्लेखनीय अछि बिहार क कहानी पर आधारित पैघ वजट क सिनेमा क शूटिंग तक बिहार मे नहि होइत अछि। निर्माता-निर्देशक प्रकाश झा लग इ मांग कई बेर उठाउल गेल मुदा ओ बिहार क सेट कहियो भोपाल त कहियो पुणा लग बना लैत छथि। जखन कि बिहार मे सब तरहक कहानी लेल नीक लोकेशन क कमी नहि अछि मुदा कोनो बिहारी कए ओहि लोकेशनक जरुरत महसूस नहि होइत अछि। एखन मे एहि शूटिंग स बिहार मे रोजगारक एकटा नव अध्याय खुलबाक संभावना प्रबल बनि रहल अछि। उम्मीद करि जे वैशाली स पूरा यूनिट संतुष्ट भ लौट एकटा सुपर हिट फिल्म तैयार करै जाहि स आन फिल्मकार सेहो एहि ठाम शूटिंग करबा लेल प्ररित होइथि।
Tags: PadmavatiSanjay Leela BhansaliVaishali

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

जयनगर से जनकपुुर बड़ी रेल लाईन अगला साल

मोदी जेकां नीतीश सेहो चढता अगुस्टा वेस्टलैंड पर

सत्‍कार लेल तैयार अछि बिहार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि