रामबाबू
दरभंगा । सामाजिक सरोकार आ संस्कार सभक समुचित निर्वहन हेतु सभसँ बेसी विश्वसनीय विश्वविद्यालय पंचांग केर आई बेस उत्सवी माहौलमे कुलपति कार्यालय कक्ष मे विद्वतजनकें हाथ विमोचन कएल गेल आऔर काल्हि सँ ई सार्वजनिक रुपे बाजारमे सेहो उपलब्ध भ’ जाएत। केएसडीएसयू सँ प्रकाशित मिथिलांचलमे सर्वमान्य विश्वविद्यालय पंचांग केर विमोचन मंगल दिन कएल गेल। अहिके लSक आब लोकक प्रतीक्षा खतम भेल आऔर विद्वान सभ सेहो अहि लSज बेस खुश छथि। अहि अवसर पर संस्कृत विश्वविद्यालय केर वीसी प्रो0 सर्व नारायण झा आ प्रोवीसी प्रो0 चन्द्रेश्वर प्रसाद सिंह पंचांग निर्माण सँ जुड़ल सभ विद्वानकें प्रति आभार व्यक्त कएलाह एवम नवका पंचांग हेतु सभकेँ शुभकामना सेहो प्रदान कएलाह।
उक्त जानकारी दैत पीआरओ निशिकांत कहैत अछि कि संस्कृत विश्वविद्यालय सँ विश्वविद्यालय पंचांग 1978 सँ अनवरत प्रकाशित होयत आबि रहल अछि आऔर ई पूरा देशमे अपन विशिष्ट स्थान रखने अछि। हिंदी वर्ष सम्वत 7576 ,शाक वर्ष 1940-41 एवम साल 2018-19 केर ई पंचांग28 जुलाई,2018 सँ व्यवहृत होयत।
अहि पंचांग केर प्रधान संपादक ज्योतिष केर प्रकाण्ड विद्वान पूर्व कुलपति प्रो0 रामचन्द्र झा छथि आऔर सह सम्पादक छथि डीन प्रो शिवाकांत झा। कुलपति प्रो झा संरक्षक आऔर प्रवर्तक छथि पूर्व चर्चित कुलपति प्रो रामकरण शर्मा।
विमोचनकें अवसर पर कुलपति आ प्रतिकुलपति केर अलावा राष्ट्रीय संस्कृत संस्थान, अगरतल्ला परिसर केर प्रो धनिन्द्र झा आ संस्थानकें मुम्बई इकाई केर प्रो0 बोधकुमार झा, बीएचयू केर प्रो मनोलता शर्मा, लनामिविवि केर प्रो ऋषिकेश झा,ओएसडी,डॉ शिवलोचन झा, स्नातकोत्तर प्रभारी डॉ दिलीप कुमार झा, परीक्षा नियंत्रक डॉ शैलेंद्र मोहन झा, प्रकाशन प्रशाखा प्रभारी डॉ अनिल कुमार झा मुख्य रूप सँ उपस्थित छलाह।
नवका सालमे विआहक 57 शुभ लगन : नव पंचांगकें मोताबिक नव सालमे विआहक शुभ लगन केर शुरुआत जनवरी 2019 सँ होयत। नव सालमे विआहक कुल 57 शुभ लगन होयत ओतय सौराठ सभा केर शुभारंभ 21 जून 2019 कS होयत आ समापन 30 जून। उपनयन केर शुभ लगन अहि साल नहि अछि। एकर शुभ दिनक शुरुआत अगिला साल फरवरी सँ होयत।
नवका सालमे विआहक शुभ लगन : जनवरी – 17, 18, 23, 25, 27, 28 व 30, फरवरी – 1, 4, 10, 11, 15, 20, 21, 22,
25 आ 28, मार्च – 3, 4, 7, 8 आ 13, अप्रैल – 17, 18, 19, 21, 22, 24, 25, 26 आ 28, मई – 1, 2, 6, 12, 19, 20, 23,
24, 26, 29, 30 आ 31, जून – 3, 9, 10, 12, 13, 14, 21, 26, 27, 28 आ 30, जुलाई- 7, 9 आ 11