• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

समय स पहिने प्रकशित भेल पंचांग, खूब अछि शुभ लग्न

July 5, 2018
in समाचार
A A
35
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
रामबाबू
दरभंगा ।  सामाजिक सरोकार आ संस्कार सभक समुचित निर्वहन हेतु सभसँ बेसी विश्वसनीय विश्वविद्यालय पंचांग केर आई  बेस उत्सवी माहौलमे कुलपति कार्यालय कक्ष मे विद्वतजनकें हाथ विमोचन कएल गेल आऔर काल्हि सँ ई सार्वजनिक रुपे बाजारमे सेहो उपलब्ध भ’ जाएत। केएसडीएसयू सँ प्रकाशित मिथिलांचलमे सर्वमान्य विश्वविद्यालय पंचांग केर विमोचन मंगल दिन कएल गेल। अहिके लSक आब लोकक प्रतीक्षा खतम भेल आऔर  विद्वान सभ सेहो अहि लSज बेस खुश छथि। अहि अवसर पर संस्कृत विश्वविद्यालय केर वीसी प्रो0 सर्व नारायण झा आ प्रोवीसी प्रो0 चन्द्रेश्वर प्रसाद सिंह पंचांग निर्माण सँ जुड़ल सभ विद्वानकें प्रति आभार व्यक्त कएलाह एवम नवका पंचांग हेतु सभकेँ शुभकामना सेहो प्रदान कएलाह।
उक्त जानकारी दैत पीआरओ निशिकांत कहैत अछि कि संस्कृत विश्वविद्यालय सँ विश्वविद्यालय पंचांग 1978 सँ अनवरत प्रकाशित होयत आबि रहल अछि आऔर ई पूरा देशमे अपन विशिष्ट स्थान रखने अछि। हिंदी वर्ष सम्वत 7576 ,शाक वर्ष 1940-41 एवम साल 2018-19 केर ई पंचांग28 जुलाई,2018 सँ व्यवहृत होयत।
अहि पंचांग केर प्रधान संपादक ज्योतिष केर प्रकाण्ड विद्वान पूर्व कुलपति प्रो0 रामचन्द्र झा छथि आऔर सह सम्पादक छथि डीन प्रो शिवाकांत झा। कुलपति प्रो झा संरक्षक आऔर प्रवर्तक छथि पूर्व चर्चित कुलपति प्रो रामकरण शर्मा।
विमोचनकें अवसर पर कुलपति आ प्रतिकुलपति केर अलावा राष्ट्रीय संस्कृत संस्थान, अगरतल्ला परिसर केर प्रो धनिन्द्र झा आ संस्थानकें मुम्बई इकाई केर प्रो0 बोधकुमार झा, बीएचयू केर प्रो मनोलता शर्मा, लनामिविवि केर प्रो ऋषिकेश झा,ओएसडी,डॉ शिवलोचन झा, स्नातकोत्तर प्रभारी डॉ दिलीप कुमार झा, परीक्षा नियंत्रक डॉ शैलेंद्र मोहन झा, प्रकाशन प्रशाखा प्रभारी डॉ अनिल कुमार झा मुख्य रूप सँ उपस्थित छलाह।
 नवका सालमे विआहक 57 शुभ लगन : नव पंचांगकें मोताबिक नव सालमे विआहक शुभ लगन केर शुरुआत जनवरी 2019 सँ होयत। नव सालमे विआहक कुल 57 शुभ लगन होयत ओतय सौराठ सभा केर शुभारंभ 21 जून 2019 कS होयत आ समापन 30 जून। उपनयन केर शुभ लगन अहि साल नहि अछि। एकर शुभ दिनक शुरुआत अगिला साल फरवरी सँ होयत।
नवका सालमे विआहक शुभ लगन : जनवरी – 17, 18, 23, 25, 27, 28 व 30, फरवरी – 1, 4, 10, 11, 15, 20, 21, 22,
25 आ 28, मार्च – 3, 4, 7, 8 आ 13, अप्रैल – 17, 18, 19, 21, 22, 24, 25, 26 आ 28, मई – 1, 2, 6, 12, 19, 20, 23,
24, 26, 29, 30 आ 31, जून – 3, 9, 10, 12, 13, 14, 21, 26, 27, 28 आ 30, जुलाई- 7, 9 आ 11
Tags: Mithila PanchangVishwvidyalay Panchang
Share35TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

कई साल बाद सीतामढ़ी मे आयोजित होएत मैथिली साहित्य सम्मेलन

केंद्रीय दल मधुबनी मे ताकि रहल अछि वस्त्र उद्योगक संभावना

सकरी चीनी मिल क ४५५ सीजनल कर्मी क भेल बकाया भुगतान

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

भागलपुर मे विकसित होएत ईको टूरिज्म, डाल्फिन क दर्शन लेल चलत बोट

by संपादक
January 29, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि