• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पंजी व्यवस्था क होए डिजीटलीकरण – दिवाकर

May 3, 2016
in समाचार
A A

13153499_725333357609208_1823449121_nनरसिंह देव क द्वारा शुरू कैल गैल पंजी प्रथा आजुक भोजपत्र आओर कागज क रूप मे धूल खा रहल अछि । कि‍छु एतेक पुरान भए गेल अछि जे ओकरा पढ़ल नहि‍ जा सकैत अछि, जे बचल छल ओ या त धुरा फाँकि‍ रहल अछि वा कोनो सरकारी दफ्तर क अलमारी मे बन्न भए विलुप्त हेबाक  कगार पर अछि । जरूरत अछि एकर डिजिटलाइजेशन क ताकि एकर आम लोगक पहूँच तक होए आ आसानी स सबकए उपलब्ध भए सकय । उक्त गप पिछला दिन पंजीकार दिवाकर झा कहलथि‍ ।

ओ बतौलथि‍ जे हुनकर परिवार 1558 ई स पंजीकार होएत आबि रहल अछि । हुनकर घर मे ओ 11म पुस्त छथि‍ जे पंजीकार बनल । अखैन धरि जे पंजीकार बनल ओहि मे क्रमश: स्व० पुराई झा, हरि झा, पोषण झा, महामहोभजन झा, दुल्ला झा, कृष्णा झा, जगधर झा, उमाकांत झा, पंडित पंजीकार श्री देवनारायण झा आ तकर बाद दिवाकर झा छथि‍ ।

एहि गप क आँँगा बढ़ाबैत श्री दिनकर झा बतौलथि‍ जे ओ पंजिकारी मे करीब 40 से लागल छथि‍ आ अखैन धरि करीब 3000 से बेसी पंजीयण कए चुकल छथि‍ । हरेक साल ओ 50-60 टा पंजियण त करते टा छथि‍ । ओ इहो बतौलथि‍ जे सभटा पंजियण ओ तिरहुता लिपी मे करैत अछि । संगे ओ बतेलथि‍ि‍ जे एहि कुलक नवीण पंजीकार दिवाकर जी छथि‍ जे सबसे कम बयस मे पंजीकार बनल । दिवाकर झाजी एकटा बी-टेक इंजिनीयर छथि‍ संगे संग अपन पुश्तैनी कलाक बचेबा मे लागल छथि‍ । ओ एकटा कुशल पंजीकार, कुशल चित्रकार आ कुशल अभि‍यंता सेहो छथि‍ । पंजिकरण क एहि काज कए ओ अपन दादा श्री देवनाराण झा स सिखने छथि‍ । श्री झा चाहैत छथि‍ जे सभटा चिज जे पोथी मे बन्न अछि ओकरा पुरा दुनिया जानय । ओ चाहैत छथि‍ जे आभासी दुनिया क लोग सेहो पंजी व्यवस्था स परिचित भए सकय । एहि क लेल ओ एकटा एप्प बनाबय चाहैत छथि‍ जाहि स पंजीयण व्यवस्था प्रस्तुत भए सकय आ आसान भए सकय आ सहजहि लोकसभ कए उपलब्ध भए सकय ।

कि अछि पंजी व्यवस्था –

13101024_725333440942533_954010130_nपंजी व्यवस्था क शुरूआत मिथि‍ला नरेश हरिसिंह देव (1310-1324)  सर्वप्रथम शुरू केने छथि‍ । आ इ खाली ब्राह्मण आ कायस्थ समाज लेल छल । दरअसल पंजी प्रथा एक प्रकारक जिनोलॉजिकल रिकॉर्ड अछि जेकरा हम पंजी कहैत छी, अर्थात ओ पोथी जाहि मे हमर पूर्वज क जिनोलॉजिकल रिकॉर्ड होए ।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

एहि प्रथा क लागु करबाक पाछाँ एतबे टा उद्देश्य छल शादी बियाह एहन परिवार मे होए जेकर वर आ वधु पक्ष मे कोनो संबध नहि होए । जाहि स हुनकर परिवार मे सुख शांति होए आ वंश मे सुयोग्य आ कुलीन संतान उत्पन्न होए ।  मिथि‍ला नरेश सबसे पहिने एहि विचार कए 14टा गाम मे लागू करने छलथि‍ जाहि मे सौराष्ट्र, परतापुर, शि‍वहर, गोविंदपुर,गोविंदपुर, फतेहपुर, सजौल, सुखसनिया, अखयारी हेमनगर, बलुआ, बरौली, समसौल, सहसलुका इत्यादि ।  एहि व्यवस्था कए सुचारू रूप से लागू करबाक लेल पंजीकार क नियुक्ती कैल गेल जे वर वधु क मूल गोत्र क ध्यान मे राखि‍ कए पंजी व्यवस्था कए सुचारू रूप स लागू करैत छलाह ।

वर वधू पक्ष मे सर्वप्रथम संबंध स्थापित करबाक काज पंजीकारे क होएत छल । ओ दूनू पक्षक गोत्र, मूल, आ वंशज कए मिलाकए देखैत छल जे दूनू पक्ष कए पूर्वज मे कोनो संबंध त नहि छल । जो वर पक्ष आ वधु पक्ष क प्र‍पितामह, अतिवृध प्रपितामह तक मे कोनो संबंध नहि होएत छल तखने दुनू गोटेक विवाह क प्रस्ताव स्वीकार होएत छल । ओकर बाद अपन पंजी मे उत्तेर ( एक प्रकार क डाक्यूमेंटेशन ) बनाबैत छल आओर ओ हुनकर नाम, ग्राम आ मूल गोत्र क हिसाब से पंजी पुस्तक मे राखैत छल । ओकर बाद बधु पक्ष लेल एकटा परामर्श पत्र बनाबैत छल आओर ओहि परामर्श पत्र कए वर द्वारा पढ़ाकए हुनका संग संबंध स्थापित करल जाएत छल । ई एकटा वैज्ञानिक प्रणाली छल जेकार जीनोम फ्यूजन कहल जाएत छल । विपरित जीन मे विवाह केला स संतान कुलीन आ स्वस्थ पैदा लैत अछि । एकरा वैज्ञानिक सेहो प्रमाणि‍त केने अछि ।

ज्ञात होए कि पंजीकारी प्रथा क लेल मिथि‍ला मे सौराष्ट्र सभा गाछी बड्ड बेसी प्रसिद्ध छल । ओतय हरेक साल सभाक आयोजन होएत छल । ओतय हरेक साल एकटा सभा क आयोजन होएत छल जे आब विलुप्त भए गेल अछि । मिथि‍ला क लेल इ दुखद गप अछि ।

Tags: पंजीपंजीकारसौराठसौराष्ट्र

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

यूपीएससी मे सफलताक कुंजी भेल मैथिली

Esamaad Epaper Website

नीतीशक धाक पर भारी पडि रहल लालूक दाग

Esamaad Epaper Website

सीता क देन छी मैथिलक सहिष्णुता : मृदुला

Comments 1

  1. gajananmishra says:
    9 years ago

    जाहि 14 गामक चर्चा कयल गेल अछि ताहि ठाम की सभा गाछी जकाँ सभा लगैत छल? एहि मे कोन स्थान कोन कोन जिला मे अछि?

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि