• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

खत्म भेल 86 साल क इंतजार, PM Modi केलथि Kosi Rail Mega Bridge क शुभारंभ

पीएम मोदी कुल 12टा रेल परियोजना क शुभारंभ केलथि अछि।

September 19, 2020
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

निर्मली : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग क जरिए Kosi Rail Mega Bridge क शुभारंभ केलथि। एकर संगहि 86 साल स दू भाग मे विभाजित मिथिला एक बेर फेर स रेल मार्ग स जुडि गेल सपना। एकटा सपना छल जे पूरा भ गेल। आगामी विधानसभा चुनाव क मद्देनजर प्रधानमंत्री पिछला किछु दिन स राज्य क पूर्ण भेल परियोजना सब कए लोकार्पित क रहल छथि, संगहि नव नव सनेस सेहो द रहल छथि। एहि क्रम मे बिहार कए फेर 5टा नव ट्रेन क सनेस भेटल अछि। पीएम मोदी कुल 12टा रेल परियोजना क शुभारंभ केलथि अछि।

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कहला जे आइ बिहार मे रेल कनेक्टिविटी क क्षेत्र मे नव इतिहास रचल गेल। 12 अन्य प्रोजेक्ट्स क सेहो लोकार्पण भेल। 3000 करोड़ क एहि प्रोजेक्ट्स लेल सब कए बधाई। एहि कोसी रेल मेगा ब्रिज स समय आ टका दूनूक बचत होएत। एहि स रोजगार क अवसर उत्पन्न होएत। एहि स उत्तर बिहार मे विकास क कार्य कए रफ्तार भेटत। ओ कहला जे आठ दशक पहिने भूकंप सन आपदा मिथिला कए अलग-थलग कर देने छल। आइ कोरोना काल मे मिथिलाक दूनू इलाका एक भेल। आब लोक कए 300 किलोमीटर क यात्रा नहि करै पड़त। आठ घंटा क यात्रा आधा घंटा मे सिमट गेल।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला, जखन हम रेल मंत्री रही तखन कोसी महासेतु क शिलान्यास भेल छल। प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी शिलान्यास केने छलाह। सुगौली आ हाजीपुर कए जोड़बाक परियोजना क सेहो शिलान्यास अटलजी केने छलाह। अटल जी क सपना साकार भ रहल अछि। रेल मंत्रालय द्वारा कैल जा रहल कार्य सब लेल बधाई।
उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी कहला जे बिहार देश कए आठटा रेल मंत्री देलक। नीतीश कुमार रेल मंत्री रहैत तीनटा मेगा पुल देलाह। आइ कोसी नदी पर रेल पुल क शुभारंभ भ रहल अछि। रेल क विकास स बिहार मे पर्यटन कए बढ़ावा भेटत।
रेल मंत्री पीयूष गोयल कहला जे पीएम मोदी बिहार क चौमुखी विकास लेल चिंतित रहैत छथि। केंद्र आ राज्य क डबल इंजन लगाकए विकास भ रहल अछि। आइ मिथिला क दूनू भाग रेल मार्ग स जुड़ कए एक भ गेल।
केंद्रीय गृहराज्यमंत्री नित्यानंद राय स्वागत भाषण देलिथ।
एहि स पूर्व पीएम मोदी दोपहर 12 बजे वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग स कोसी नदी पर बनल रेल महासेतु कए राष्ट्र कए समर्पित केलथि। पीएम मोदी एकरा संग संग सुपौल स्टेशन स सहरसा- आसनपुर कुपहा डेमू ट्रेन क शुरुआत केलथि।
प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी 2003 मे एहि सेतु क आधारशिला रखने छलाह। कुल 1.9 किलोमीटर लंबा रेल पुल पर 516 करोड़ टका खर्च भेल। 23 जून कए नवर्निमित कोसी रेल महासेतु पर पहिल बेर ट्रेन क परिचालन कैल गेल छल। एकर अलावा 14 अगस्त कए पूर्व मध्य रेलवे क समस्तीपुर मंडल क 11 किलोमीटर लंबा आमान परिवर्तित सरायगढ़-राघोपुर रेलखंड क सेहो निरीक्षण कैल गेल छल। एहि दौरान 110 किमी प्रति घंटा क रफ्तार स ट्रेन क ट्रायल सेहो कैल गेल छल।
उल्लेखनीय अछि जे एहि रेलखंड क निर्माण 1876 मे तिरहुत क महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह क रेल कंपनी तिरहुत स्टेट रेलवे केने छल। 1934 मे आयल भूकंप मे ओ रेलखंड ध्वस्त भ गेल। 1935 मे आयल भीषण बाढि मे भवटियाही स्टेशन कोसी नदी मे समा गेल। एहि प्रकार स रेलखंड क्षतिग्रस्त भेल जे एकरा फेर स बहाल करबाक सपना देखैत दूटा पीढी दुनिया स चल गेल। लगभग 86 साल बाद एहि रेलखंड मे फेर स बहाल भेला पर जनता मे खुशी अछि। लोक थोपरी बजा कए ट्रेन क स्टेशन सब पर स्वागत केलक। राज परिवार क सदस्य कुमार कपिलेश्वर सिंह एहि संबंध मे बयान जारी करैत कहला अछि जे तिरहुत रेलवे क माध्यम स एहि इलाका मे रेल सुविधा रेल मे रेल एलाक महज 22 साल बाद उपलब्ध भ गेल छल। भूकंप के बाद महाराजा कामेश्वर सिंह मिथिलाक पुनर्निमाण मे बहुत रास काज केलथि मुदा हुनकर इ सपना आब जा कए पूरा भेल। ओ तत्कालीन रेलमंत्री नीतीश कुमार, तत्कालीन प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी आ वर्तमान प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कए दिल स धन्यवाद देलथि अछि।

Tags: Kosi Pulmithilanarendra modinitish kumartirhut railway

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
breaking news : 57 सालक इंतजार आ 11 सालक मेहनत भेल सफल, स्पाइसजेट शुरू केलक दरभंगा एयरपोर्ट लेल बुकिंग

breaking news : 57 सालक इंतजार आ 11 सालक मेहनत भेल सफल, स्पाइसजेट शुरू केलक दरभंगा एयरपोर्ट लेल बुकिंग

उगना बनल नीतीश क भगिरथ काज, 62 साल बाद पश्चिमी कोसी नहर होएत पूरा, पुनर्स्थापन कार्यक केलथि शुभारंभ

उगना बनल नीतीश क भगिरथ काज, 62 साल बाद पश्चिमी कोसी नहर होएत पूरा, पुनर्स्थापन कार्यक केलथि शुभारंभ

झंझारपुर क अररिया संग्राम मे खुलल ट्रॉमा सेंटर, मुख्यमंत्री केलथि उद्घाटन

झंझारपुर क अररिया संग्राम मे खुलल ट्रॉमा सेंटर, मुख्यमंत्री केलथि उद्घाटन

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि