सहरसा: जिला सहरसामे एखन बिहार बोर्ड मैट्रिकक फॉर्म भरबाक नाम पर छात्र-छात्रा स’ बेसी टाका लेबाक मामला सोझाँ आयल अछि. मामिला जिलाक महिषी प्रखंड अंतर्गत उच्च विद्यालय, कन्दाहाक अछि, जतय छात्र स’ मैट्रिकक परीक्षाक फॉर्म भरबाक लेल 1400 स’ 1500 टाका वसूलल जा रहल अछि, जखनकि वाजिब फीस 830 टाका अछि.
यैह नहि छात्रा द्वारा फॉर्म भरबाक टाका मांगय पर प्रैक्टिकलमे नंबर नहि देबाक धमकी देल जाएत अछि आ कहल जाएत अछि जे प्रैक्टिकलमे कना देब. ज्ञात होअय जे मैट्रिकक परीक्षामे प्रैक्टिकलक अंक विद्यालय स्तर स’ छात्राके देल जाएत अछि. एहनमे एक दिस जतय सरकार नव शिक्षा नीति लागू क’ बच्चाक ऊपर स’ शिक्षाक दबाव खत्म करय चाहैत अछि, ओतय दोसर दिस एहन विद्यालयक प्रधानाध्यापक अछि जे बच्चाक शिक्षाके दबाव द’ बर्बाद करय चाहैत अछि.
विद्यालयक सहायक शिक्षकक मानब त’ एखन धरि प्रधानाध्यापक कतेको बेर सस्पेंड भ’ चुकल छथि. बाबाजूद एकर ऊंच संपर्क आ टाका बले हिनका कतहु ने कतहु विद्यालयक प्रधान बना देल जाएत अछि. ओतहि जिला शिक्षापदधिकारी स’ जखन एहि संबंधमे प्रश्न पूछल गेल त’ ओ कहलनि जे आवेदन प्राप्त भेल अछि. मामिलाक जांच क’ कार्रवाइ कयल जायत.