भारत मे ओप्पो नव क्रांति क जनक बनकिए उभैर रहल अछि । अपन सेगमेंट फोन संग एतेक प्रयोग अखैन धरि कोनो मोबाईल फोन निर्माता कंपनी नहि केने अछि । आईफोनक बाद भारत मे ओप्पो पहिल बेर नक्काशीदार डिस्पले बज़ार मे आनि रहल अछि । एहि बेर सेहो ओप्पो अपन फोन A3s फोन मार्केट मे आनि रहल अछि जे मौजूदा सभ फोन पर भारी पड़त ।
की अछि खासियत…
लाल आ गहरा जामुनि रंग क फोन कए मार्केट मे उतरबाक तैयारी अछि जाहि मे फ्रंट कैमरा 8 मेगापिक्सल क होएत आ रियर कैमरा 13 आ 2 मेगापिक्सल क ड्यूल कैमरा होएत । दूनू कैमरा AI ब्यूटी टैक्नोलॉजी स लैस अछि । जतय प्रोसेसरक गप अछि त इ प्रोसेसर क्वालकॉम स्नैपड्रैगन 450 ऑक्टाकोर प्रोसेसर स लैस अछि । बैटरी क जौं गप करी त अपन सभटा रिकॉर्ड कए ध्वस्त करैत ओप्पो अपन एहि फोन मे 4230 एमएएच बैटरी आनने छथि जे अखैन धरि क सबसे बेसी एमएएच बला ओप्पो क फोन अछि । स्क्रीन 6.2 इंच क सूपर फूल स्क्रीन संग अछि जाहि मे नॉंच डिस्पले (नक्काशीदार डिस्पले) अछि । डिस्पले सेहो 1520x720HD+ अछि । मेमोरी क बात जौं करी त एहि सेगमेंट मे ओप्पो दू टा वैरिएंट आनने छल जे 2GBRAM+16BROM आ 3GBRAM+32GBROM संग आनने अछि । एकर मेमोरी कए अहाँ 256 GB तक माइक्रो एसडी कार्ड स बढ़ा सकैत छी । सीम स्लॉट सेहो हाईब्रीड अछि मने दू टा नेनो सीम आ एकटा मेमोरी आसानी सए लगा सकैत छी । फोनक वजन सेहो 168 ग्राम अछि जे कि फोन क साईज क हिसाब स बेहतरीन अछि ।
आब देखनाई ई अछि जे ओप्पो अपन आन फोन कए कोनो एहि फोन संग कम्पेयर करत । फोन भारत मे सोम दिन लॉच होएत जकर शुरूआती कीमम 10999 राखल गेल अछि ।