• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

गजेंद्र बाबूक संग चल गेल मिथिला मे संगीत बुझनिहार आ बुझेनिहार

May 1, 2018
in समाचार
A A
18
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
रामबाबू झा
नयी दिल्ली। संगीतकार , लेखक, कला इतिहासकार गजेन्द्र बाबू नहि रहलाह। सोमदिन हुनक निधन भ गेल। ओ पिछला किछु दिन स बीमार चलि रहल छलाह।
78 वर्षीय डॉ. सिंह गजेन्द्र नारायण सिंह मूल रूपसँ पूर्वी मिथिलाक छलाह ओ मधेपुरा आ पूर्णियाक सिमान परकें धंछोहा गामक रहनिहार छलाह आओर चम्पा नगर ड्योढ़ी कें कुमार श्यामानन्द सिंह सँ संगीत कें शिक्षा हिनका प्राप्त भेल छलनि संगहि कतेको ख्याति प्राप्त घरानासँ शिक्षा सेहो प्राप्त कएने छलाह। ओ एहन व्यक्तित्व छलाह जे कहिओ मन्च पर गायन वा वादन नहि केलथि। मुदा संगीत पर हुनकर विशेष अध्ययन रहनि आओर यएह कारण छैक जे अपन जीवन कालमे दू दर्जन सँ बेसी संगीत पर आधारित पोथी लिखलन्हि। दर्जनों पोथी केवल मिथिलाक लोक संगीत आओर शास्त्रीय संगीत पर आधारित अछि।
पंचगछिया घरानाक मिथिला रत्न गायक माँगनि खबास पर विस्तृत हिनकर अध्ययन छलनि आओर माँगनि खबास पर अलगसँ पोथी सेहो गजेन्द्र नारायण सिंह जीक  लिखलाह। संगीत जीवन्तता केर प्रमाणित करबा लेल मिथिला दर्शनमे कएको आलेख लिखने छथि। चारि पाँच साल पहिने अखिल भारतीय मिथिला संघ कें नजरि अहि विभूति पर पड़लनि तखन ओ हिनका दिल्लीमे बजा कए हुनका मिथिला विभूति सम्मान देल गेलनि। अहि अवसर पर ओ कहलखिन्ह जे चलु बुरहारिमे कमसँ कम मिथिलाक लोककेँ मन तÓ पड़लनि। हमरा लेल ई सम्मान अद्वितीय अछि।
एकांत साधक छलाह गजेन्द्र बाबू। नै कोनो मन्च आ नहि कतहु पुरस्कारक पेंचमे बौआइत देखतिए। श्रीकृष्ण पूरी पटनामे ओ अपन आवास पर रहैत छलाह। सँगीत साधनामे ओ उमेर भरि रमल रहलाह। हुनकर सानिध्य पाबि बहुते लोक पीएचडी सेहो कएलाह अछि। काल्हि भोरे हृदय गती रुकलासँ हिनकर निधन भ गेलनि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ राज्यपाल सतपाल मलिक समेत दरभंगा आ बनैली राज परिवार सेहो हुनक निधन पर शोक जतेलक अछि। संगीत जगत स जुड़ल लोक हिनक निधन पर मर्माहत अछि। सबहक कहब अछि जे कला क क्षेत्र मे अहम योगदान देनिहार पद्मश्री गजेंद्र नारायण सिंह क निधन स एहि क्षेत्र मे जे शून्य पैदा भेल ओ लंबा समय तक महसूस कैल जायत।
गजेंद्र बाबू भारतीय संगीत आ कला जगत पर चारि टा महत्वपूर्ण किताब लिखने छथि। महफिल जे संगीत क इतिहास पर आधारित एकटा संदर्भ ग्रंथ अछि, स्वर गंध, जे संगीत स संबंधित उपाख्यान आ भारतीय संगीतकार क संक्षिप्त जीवनी पर आधारित अछि, कालजयी सुर- पंडित भीमसेन जोशी, जे भीमसेन जोशी क जीवन आ संगीत पर आधारित अछि आओर सुरिले लोगों की संगत, जाहि मे किछु उल्लेखनीय हिंदुस्तानी शास्त्रीय संगीतकार क जीवन आ संगीत क विवरण भेटैत अछि।
बिहार संगीत नाटक अकादमी क मुखिया क रूप मे ओ संगीतकार लेल छात्रवृत्ति योजना  शुरू केलथि। 2014 मे दिल्ली पब्लिक स्कूल, लुधियाना द्वारा प्रकाशित हुनकर आत्मकथा, बिहार की संगीत परम्परा मे हुनकर जीवनक सार संकलित कैल गेल अछि। वर्ष 2007 मे कला क क्षेत्र मे हुनकर योगदान लेल पद्मश्री सम्मान स सम्मानित भेलाह। ओ बिहार संगीत नाटक अकादमी क अध्यक्ष सेहो रहलाह।
Tags: Gajendra Narayn SinghPadmSri
Share18TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

मधुबनीक शंभू स पटका गेलाह झांसीक बीरा पहलवान

राष्ट्रीय राजधानी मे बिहार क तेसर गेस्टहाउस, 18 महीना मे पूरा होएत सदन के काज

मोदी खोललथि पेटार, खुजत 20टा एम्‍स, किसानक आए होएत दुगूना

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि