लोकसभा चुनाव मे बिहार मे आरजेडी क सूपड़ा साफ भए गेल अछि । लोकसभा चुनाव परिणाम नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव क अरमान कए पैघ झटका देने अछि । आरजेडी क खाली 9 विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि । जखनकि एनडीए कए 225 विधान सभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि ।
बिहारक महागठबंधन क हालात नाम पैघ आ दर्शन छोट बला भए गेल अछि । लोकसभा चुनावक नतीजा क हिसाब से देखल जाए त बिहारक 243 विधानसभा क्षेत्र मे से एनडीए कए 225 जखनकि तेजस्वी यादवक नेतृत्व मे लड़ल महागठबंधन कए महज 18 सीट पर सेहो बढ़त हासिल भेल । 80 विधायक बला आरजेडी कए खाली 9टा विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि ।
बता दी जे एहि बेरक लोकसभा चुनाव मे बिहार मे एनडीए 39 सीट पर सफलता हासिल केने अछि। जखनकि एकटा सीट (किशनगंज) पर कांग्रेस कए जीत भेटल अछि । ओतहि पहिल बेर एहन भेल जे आरजेडी क एकटा सेहो सांसद क खाता तक नहि खुजल । ओतहि जों विधानसभा मे बढ़तक हिसाब से देखल जाए त विधानसभा क खाली 18 सीट पर महागठबंधन आगू अछि । प्रतिपक्ष कए नेता तेजस्वी यादवक क्षेत्र राघोपुर मे खाली 242 वोट से आरजेडी कए बढ़त भेटल अछि ।
नाम पैघ आ दर्शन छोट
एहिक अलावा मुकेश सहनी क वीआईपी कए सेहो एक्कोटा विधानसभा सीट पर बढ़त नहि भेटल अछि जखनकि लोकसभा क पांचटा सीटों पर चुनाव लड़निहार उपेंद्र कुशवाहा क रालोसपा कए खाली एकटा विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि । आरजेडी कए 9 आओर कांग्रेस कए मात्र 5टा विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि । जखनकि हम कए 2टा आओर माले कए खाली 1टा सीट पर बढ़त भेटल अछि ।
एनडीए कए 225 विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त
निर्वाचन आयोग दिस से जारी आंकड़ा क मुताबिक एनडीएक घटक दल कए 225टा विधानसभा सीट पर बढ़त भेटल अछि । एहि मे बीजेपी कए 96, जदयू कए 94 आओर लोजपा कए 35टा सीट पर बढ़त भेटल अछि । नेता विपक्षी दल तेजस्वी यादव क विधानसभा क्षेत्र राघोपुर मे मात्र 242 वोटक बढ़त आरजेडी कए भेटल अछि । मुंगेर लोकसभा क्षेत्र मे मात्र मोकामा मे कांग्रेस कए 869 वोटक बढ़त भेटल अछि ।
रालोसपा कए काराकाट लोकसभा क्षेत्र मे खाली गोह विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि , जखनकि हम कए उपेंद्र प्रसाद कए औरंगाबाद लोकसभा क्षेत्रक रफीगंज आओर गुरुआ विधानसभा मे बढ़त भेटल अछि । माले कए खाली आराक अगिआंव विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि । कांग्रेसक तारिक अनवर कए कटिहार क बलरामपुर विधानसभा क्षेत्र मे लगभग 54 हजार क बढ़त भेटल अछि ।
पाटलिपुत्र लोकसभा क्षेत्रक मनेर, मसौढ़ी आओर पालीगंज विधानसभा क्षेत्र मे आरजेडी क मीसा भारती कए बढ़त भेटल अछि, जखनकि जहानाबाद मे आरजेडी क सुरेंद्र यादव कए जहानाबाद, घोसी आओर मखदुमपुर विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि । अररिया लोकसभा क्षेत्रक अररिया आओर जोकीहाट मे आरजेडी कए बढ़त भेटल अछि ।
किशनगंज लोकसभा क्षेत्र मे कांग्रसेक मो. जावेद निर्वाचित भेल अछि, हुनका खाली अमौर आओर बायसी विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि । आरजेडी क प्रमुख नेता आओर विधायक अब्दुल बारी सिद्दीकी, चंद्रिका राय, ललित यादव, तेज प्रताप यादव, सुरेंद्र यादव अपन विधानसभा क्षेत्र मे पिछैड़ गेल अछि । ओतहि हम कए जीतनराम मांझी सेहो अपन विधानसभा मे पीछा रहि गेल । बिहार महागठबंधन क लेल ई चुनाव परिणाम खतराक घंटी मानल जा रहल अछि ।