• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

राजद लग 80 विधायक मुदा जीत भेटल मात्र 9 विधानसभा मे

May 26, 2019
in समाचार
A A
137
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

लोकसभा चुनाव मे बिहार मे आरजेडी क सूपड़ा साफ भए गेल अछि । लोकसभा चुनाव परिणाम नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव क अरमान कए पैघ झटका देने अछि । आरजेडी क खाली 9 विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि । जखनकि एनडीए कए 225 विधान सभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि ।

बिहारक महागठबंधन क हालात नाम पैघ आ दर्शन छोट बला भए गेल अछि । लोकसभा चुनावक नतीजा क हिसाब से देखल जाए त बिहारक 243 विधानसभा क्षेत्र मे से एनडीए कए 225 जखनकि तेजस्वी यादवक नेतृत्व मे लड़ल महागठबंधन कए महज 18 सीट पर सेहो बढ़त हासिल भेल । 80 विधायक बला आरजेडी कए खाली 9टा विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि ।

बता दी जे एहि बेरक लोकसभा चुनाव मे बिहार मे एनडीए 39 सीट पर सफलता हासिल केने अछि। जखनकि एकटा सीट (किशनगंज) पर कांग्रेस कए जीत भेटल अछि । ओतहि पहि‍ल बेर एहन भेल जे आरजेडी क एकटा सेहो सांसद क खाता तक नहि खुजल । ओतहि जों विधानसभा मे बढ़तक हिसाब से देखल जाए त विधानसभा क खाली 18 सीट पर महागठबंधन आगू अछि । प्रतिपक्ष कए नेता तेजस्वी यादवक क्षेत्र राघोपुर मे खाली 242 वोट से आरजेडी कए बढ़त भेटल अछि ।

नाम पैघ आ दर्शन छोट

एहिक अलावा मुकेश सहनी क वीआईपी कए सेहो एक्‍कोटा विधानसभा सीट पर बढ़त नहि‍ भेटल अछि जखनकि लोकसभा क पांचटा सीटों पर चुनाव लड़निहार उपेंद्र कुशवाहा क रालोसपा कए खाली एकटा विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि । आरजेडी कए 9 आओर कांग्रेस कए मात्र 5टा विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि । जखनकि हम कए 2टा आओर माले कए खाली 1टा सीट पर बढ़त भेटल अछि ।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

एनडीए कए 225 विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त

निर्वाचन आयोग दिस से जारी आंकड़ा क मुताबिक एनडीएक घटक दल कए 225टा विधानसभा सीट पर बढ़त भेटल अछि । एहि मे बीजेपी कए 96, जदयू कए 94 आओर लोजपा कए 35टा सीट पर बढ़त भेटल अछि । नेता विपक्षी दल तेजस्वी यादव क विधानसभा क्षेत्र राघोपुर मे मात्र 242 वोटक बढ़त आरजेडी कए भेटल अछि । मुंगेर लोकसभा क्षेत्र मे मात्र मोकामा मे कांग्रेस कए 869 वोटक बढ़त भेटल अछि ।

रालोसपा कए काराकाट लोकसभा क्षेत्र मे खाली गोह विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि , जखनकि हम कए उपेंद्र प्रसाद कए औरंगाबाद लोकसभा क्षेत्रक रफीगंज आओर गुरुआ विधानसभा मे बढ़त भेटल अछि । माले कए खाली आराक अगिआंव विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि । कांग्रेसक तारिक अनवर कए कटिहार क बलरामपुर विधानसभा क्षेत्र मे लगभग 54 हजार क बढ़त भेटल अछि ।

पाटलिपुत्र लोकसभा क्षेत्रक मनेर, मसौढ़ी आओर पालीगंज विधानसभा क्षेत्र मे आरजेडी क मीसा भारती कए बढ़त भेटल अछि, जखनकि जहानाबाद मे आरजेडी क सुरेंद्र यादव कए जहानाबाद, घोसी आओर मखदुमपुर विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि । अररिया लोकसभा क्षेत्रक अररिया आओर जोकीहाट मे आरजेडी कए बढ़त भेटल अछि ।

किशनगंज लोकसभा क्षेत्र मे कांग्रसेक मो. जावेद निर्वाचित भेल अछि,  हुनका खाली अमौर आओर बायसी विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त भेटल अछि । आरजेडी क प्रमुख नेता आओर विधायक अब्‍दुल बारी सिद्दीकी, चंद्रिका राय, ललि‍त यादव, तेज प्रताप यादव, सुरेंद्र यादव अपन विधानसभा क्षेत्र मे पिछैड़ गेल अछि । ओ‍तहि हम कए जीतनराम मांझी सेहो अपन विधानसभा मे पीछा रहि गेल । बिहार महागठबंधन क लेल ई चुनाव परिणाम खतराक घंटी मानल जा रहल अछि ।

Tags: modiNDARJD
Share137TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

आय से शुरू भेल फिल्म क महाकुंभ लेल एंट्री

इमरजेंसी: ओहि दिस स एहि दिसका लोकतंत्र

आधुनिक व्यावसायिक शिक्षा क सन्दर्भ मे भारतीय शिक्षा विषय पर जागेश्वर झा मेमोरियल लेक्चर दू जुलाई कए

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

by संपादक
June 4, 2021
0
कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

पटना : कोरोना मामलाक सुनवाई क दौरान राज्य सरकार दिस स देल गेल हलफनामा मे हाईकोर्ट कए कहल गेल अछि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि