• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

जमीनक अभाव मे ठाम-ठाम ठमकल अछि बिहारक सडक परियोजना

June 17, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
रामबाबू
नयी दिल्ली । भूमि अधिग्रहणमे अवरोधक पाँच टा कारण किछु परियोजना सभकेँ छोड़िकS बिहारक कतेको राजमार्ग परियोजना सभक काज पछुआएल आ लटकि गेल अछि। केंद्र सरकार उत्तर प्रदेश जकाँ बिहारमे सेहो दू लाख करोड़ रुपैयाक सड़क परियोजना सभ शुरू करय चाहैत अछि। मुदा चालू परियोजना सभकें ठेहुनिया दैत देखि दुबिधामे पड़ि गेल अछि।
सड़क परिवहन एवम राजमार्ग मंत्रालय के’ मोताबिक अनेकानेक दिकक्ति सभके कारण बिहारमे सड़क परियोजना सभकें कार्यान्वयन करब दुष्कर भ’ गेल अछि। पछातिक परियोजना सभक समीक्षामे एनएचएआइ केर अधिकारी सभ स्पष्ट कएलनि जे राज्यमे किछु एहन अवरोधक सामना करय पड़ि रहल अछि जे आन राज्यमे नहि करय पड़ैत अछि।
उदाहरणार्थ बिहार एकमात्र एहन राज्य अछि जतय भूमि अधिग्रहण प्रक्रिया पूर भेलाक बादो परियोजनाक हेतु जमीनक कब्जा नहि भेट पबैत अछि। परिणाम अछैत सभटा तैयारीक काज शुरू करब असंभव होयत अछि। उदाहरण हेतु एकटा  मामिलामे एनएचएआइ जिलाधिकारी तरफ सँ अधिग्रहण केर प्रक्रिया पूर भेलाक बाद राज्य सरकारक खातामे मोआबजाक पूरा सौ करोड़ राशि हस्तांरित करा देल गेल परञ्च जखन एनएचएआइ आ कांट्रैक्टर केर लोक परियोजना स्थल पर काज शुरू करय पहुँचल त’ गांमक लोक जमीन पर कब्जा देमय सँ  मना कS देलक। जिलाधिकारी सेहो अहि स्थितिमे किछु करबामे असमर्थता जता देलक। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 2015 मे बिहारमे हजारो करोड़क सड़क परियोजना सभ शुरू करबाक घोषणा कएने छलाह। अहि सालक शुरुआतमे जखन केंद्रीय सड़क परिवहन एवम राजमार्ग मंत्री नितिन गडकरी राज्यक दौरा कएलक तखन ओ प्रधानमंत्री केर अहि विशेष पैकेजकें तहत राज्यमे 55 हजार करोड़ रुपैयाक 65 राजमार्ग परियोजना सभ पर काज शुरू करबाक घोषणा कएने छलाह। अहिमे सँ 22 हजार करोड़क परियोजना सभ पर काज शुरू भ’ गेल अछि। मुदा काजक प्रगतिसँ गडकरी सन्तुष्ट नहि अछि। जखन कि शेष बाँचल परियोजना सभ पर एखन काज शुरू नहि भ’ सकल अछि।
एकर सर्वप्रमुख कारण जमीनक उपलब्धि अछि। एकर अलावा वन एवम पर्यावरण केर मंजूरी, यूटिलिटी शिफ्टिंग, कानून-व्यवस्थाक समस्या आ अतिक्रमण ई सभ विंदु परियोजना सभक बाटक रोड़ा सिद्ध भ रहल अछि। भूमि अधिग्रहणक कएको मामिलामे राज्य सरकारक लचर रवैया सँ एनएचएआइ केर अधिकारी अजगुत मे अछि। मोआवजाक हस्तांतरित भेलाक पांच-छह महीना बादो राज्य सरकार जमीन उपलब्ध नहि करा पाबि रहल अछि। अहीकें देखैत गडकरी ई घोषणा कएलक कि 90 प्रतिशत जमीन उपलब्धिक बिना कोनो हाईवे प्रोजेक्ट पर काज शुरू नहि कएल जा सकत। सम्प्रति बिहारमे केवल पांच परियोजना अहि साल पूर होयबाक स्थितिमे देखाई दैत अछि। अहिमे बिहारशरीफ-मोकामा, रीवाघाट-मुजफ्फरपुर आऔर मुजफ्फरपुर-सोनबरसा सामिल अछि। खगडि़या-पूर्णिया अही महिनामे आ छपरा-गोपालगंज जुलाईमे पूरा भ’ जाएत।
Tags: Biharnew delhinitish

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

आर ब्लाक- दीघा रेल खंड पर सड़क निर्माण लेल भूखंड कराओल जायत अतिक्रमण मुक्त

सरकारी स्कूल से पकड़ायल 4600 बोतल शराब

नव वर्ष सँ दरभंगा स उड़त विमान, एयरपोर्ट सुधार लेल 50 करोड क निविदा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि