• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिला मे फेर शुरु भेल शास्त्रार्थ क परंपरा, तर्क- वितर्क स अचंभित भेलाह सभासद

January 28, 2018
in समाचार
A A

रामबाबू

दरभंगा । संस्कृत विश्वविद्यालय केर स्थापना दिवसक समारोहक अवसर पर पहिल बेर माहाराजाधिराज कामेश्वर सिंह केर स्मृतिमे आयोजित शास्त्रार्थ कार्यक्रमक दोसर दिन चन्द्र ग्रहण एवम अहर्गण माने दिनक समूह पर चर्च गरम रहल। अहि अवसर पर विशिष्ट अतिथि नगर विधायक संजय सरावगी बजलाह कि हम पोथी आ शास्त्र सभमे मनीषी लोकनिक शास्त्रार्थ पढ़ने आ किंवदंती सुनैत छलहुँ मुदा आई साक्षात होयत शास्त्रार्थ देखि आ सुनि आह्लादित छी एवम हमर जिज्ञाशा सेहो थोड़ शांत भेल। संस्कृत व संस्कृतिक मादे मिथिलाक अप्पन गौरवशाली इतिहास रहल अछि। शास्त्रार्थक परम्परा तँ एतय प्राचीन कालसँ होयत अबैत रहल जे कलान्तरमे आबि मरि गेल छल जकरा फेरसँ संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू कएलनि ताहि हेतु विश्वविद्यालय परिवार बधाई केर पात्र छथि। उपरोक्त जानकारी दैत पीआरओ निशिकांत बजलाह जे चन्द्र ग्रहण पर चलल गहन शास्त्रार्थ सुनलाक पश्चात अति उत्साहित विधायक सरावगी बजलाह जे संस्कृत बजनिहारहि टा केर संस्कृत कालेज सभमे बहाली होयबाक चाहि तखने देवभाषाक प्रसार होयत आ नेना सभ सेहो सहज भावे संस्कृत बाजि पाओत। ओ राजा जनक, याज्ञवल्क्य,गार्गी, कालिदास, विद्योतमा, भारती, मण्डन मिश्र जेहन विभूति सभक चर्च करते बजलाह कि शास्त्रार्थ सँ तँ नार शक्ति केर सेहो बढ़ेबाक काज कएलक अछि। अगुओ अहि तरहक आयोजन होयत रहय से आशा अछि।

शास्त्रार्थक दोसर दिन मंगल दिनक पहिल सत्रमे चन्द्रग्रहण पर शास्त्रार्थ भेल। भोपालक प्रो. हंसधर झा आ लखनऊ केर प्रो. मदन मोहन पाठक शास्त्रार्थी छलाह। पूर्व वीसी प्रो. रामचन्द्र झा केर अध्यक्षतामे आयोजित अहि कार्यक्रमक पर्यवेक्षण कS रहल छलाह डीन प्रो. शिवाकांत झा एवम संयोजकत्व डॉ बौआनंद झा कS रहल रहल छलाह। पूर्व पक्ष का दायित्व मानि शास्त्रार्थी प्रो. पाठक बजलाह कि ज्योतिषशास्त्र प्रत्यक्ष शास्त्र अछि। जेकर साक्षय सूरज आ चान होयत अछि। पञ्चाङ्गमे जेहन गणना होयत अछि प्रत्यक्षतः हम ओकरे व्यवहार करैत छी। चन्द्र ग्रहण शुक्ल पक्षक पूर्णिमामे होयत अछि। साधारण लोक सेहो छाद्य व

छादक विषयमे जनैत अछि। प्रत्युतरमे दोसर पक्ष प्रो. झा बजैत अछि जे जखन छादन होयत अछि तखन ग्रहण उपस्थित होयत अछि। राइतमे केवल ग्रहण होयत अछि। पूर्णिमा केर दिन सेहो एहन भS सकैए। दिनमे ग्रहण होयत तँ अछि मुदा सुरुजके कारण अवलोकित नैS होयत अछि। उम्हर डीन प्रो. झा बजलाह कि ग्रहण केर विषयमे शास्त्र सभमे व्यापक चर्च अछि। जे ज्योतिष सँ अपरिचित अछि ओ पौराणिक मत सभकें मानि राहु के मात्र कारण मानैत अछि।

दोसर सत्रमे सेहो शास्त्रार्थी प्रो. पाठक आ प्रो0 झा छलाह। दुनु गोटे अहर्गण नयनम पर अपन अपन मन्तव्य रखलाह। बजलाह कि नव विधकालमान सभमे मनुखक व्यवहार जोग केवल चारि गोट काल अछि- सौर, सावन, चांद्र एवम नाक्षत्र। अहि मान सभमे सावन मान केर द्वारा अहर्गणक साधन कएल जाएत अछि कारण एकर प्रत्यक्ष प्रतीति होयत अछि। ज्योतिष शास्त्र ग्रह पर आधारित अछि आ ग्रह केर आनयन अहर्गणक द्वारा कएल जाएत अछि। अहिसँ इतर अहि विषय पर खूब बड़का बड़का तर्क देल गेल।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

बुधदिन हरिद्वार केर प्रो. विजयपाल शास्त्री आ लखनऊ केर प्रो. रामलखन पांडे केर बीच दू सत्रमे शास्त्रार्थ होयत। दुनु सत्रक अध्यक्षता दिल्ली केर प्रो. रमेश कुमार पांडे करताह। पहिल सत्रक पर्यवेक्षण प्रो. देवनारायण झा एवम संयोजन डॉ विश्राम तिवारी करताह। मुख्य अतिथि पटना विश्वविद्यालय केर कुलपति प्रो. रासबिहारी प्रसाद सिंह होयत। 2 बजे सँ शुरू दोसर  सत्रक पर्यवेक्षण प्रो. लक्ष्मीनाथ झा एवम संयोजिका प्रो. मीना कुमारी संगहि विशिष्ट अतिथि पूर्व विधान पार्षद डॉ विनोद कुमार चौधरी होयत आ मुख्य अतिथि स्वरूप काबीना मंत्री महेश्वर हजारी आमंत्रित छथि।

Tags: darbhanga maharajSanskrit Vishwvidyalay

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मिथिलाक वाममार्गी सन अछि आईसलैंडक तंत्र पद्धति

भागलपुर मे विकसित होएत ईको टूरिज्म, डाल्फिन क दर्शन लेल चलत बोट

आधुनिक मैथिलीक युग प्रवर्तक छलाह चंदा झा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि