मधुबनी । जिला क रहिका प्रखंड अंतर्गत विश्व प्रसिद्ध सौराठ सभा क शुभारंभ बुध दिन भेल। पाँच जुलाई तक चलै बाला एहि सभा के उद्घाटन माननीय सांसद, दरभंगा, कीर्ति झा आजाद, जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक, विधान पार्षद प्रेमचंद्र मिश्रा, सौराठ विकास समिति के अध्यक्ष सतीश चंद्र मिश्र, सचिव शेखर चंद्र मिश्र संयुक्त रूपेँ दीप प्रज्जवलित कय केलन्हि ।
एहि अवसर पर भारी संख्या मे उपस्थित समूह के संबोधित करैत माननीय सांसद मिथिलांचल क विकास हेतु मिथिला राज्य के निर्माण आवश्यक जनौलनि। पूर्वज क सांस्कृतिक धरोहर के सम्हारबा के आवश्यकता के उल्लेख करैत सौराठ सभा के पुनर्जिवित करबाए आह्वान कयलन्हि।
कार्यक्रम के संबोधित करैत जिला पदाधिकारी श्री शीर्षत कपिल अशोक विश्वप्रसिद्ध सौराठ सभा के मिथिलांचल क गौरव कहैत एकर संरक्षण ओ विकास क आवश्यकता लेल प्रशासन क सहयोग देबाक आश्वासन देलनि। पंजी व्यवस्था की उल्लेख करैत एकरा विश्व भरि मे अनूठा कहैत एकरा पंजी कार सँ प्राप्त कय डिजिटिलाइजेशन करेबाक आश्वासन देल। जिला पदाधिकारी सभा क वर्णन करैत कहलनि जे सवा लाख आदमी की सभा के स्थान पर आवश्यक ई सांकेतिक अछि तथापि एकर गरिमा वापस कयल जा सकैछ।
माननीय पार्षद श्री प्रेमचंद्र मिश्रा अपन कोष से दू करोड़ टाका जिला क विकास हेतु खर्च करबाए घोषणा करैत कहलनि जे ओ मिथिलांचल क विकास हेतु दृढ़संकल्पित छथि। एहि अवसर पर उपस्थित समाहर्ता श्रीदुर्गानंद झा,कार्यपालक पदाधिकारी जटाशंकर झा, बैद्यनाथ चौधरी बैजू, डा इंद्रमोहन झा सहित अन्य लोक सब उपस्थित छलाह।