सासाराम। मेरा वश चलता तो शेरशाह सूरी का मक़बरे की मार्केटिंग अफगान तक करता और वहाँ के अफगानों को पठान वास्तुकला के इस बेजोड़ नमूने के बारे में बताता,ई उद्गार मक़बरा कए देखितहिं महामहिम राज्यपाल श्री सत्यपाल मल्लिक व्यक्त कयलन्हि। ओ कहलनि जे एहि सँ अफगान सबहक मन मे मक़बरा देखबाक लालसा उत्पन्न होयतनि आ ओ सब देखबा लेल आबय लगितथि। ओ अभिभूत होइत कहलनि जे एकर स्थापत्य कला ताजमहल सनक अछि।
रवि दिन जिला परिसदन मे आयोजित प्रेस वार्ता मे अपन विचार व्यक्त कयलन्हि जे विहार मे ऐतिहासिक आ पुरातात्विक महत्व क बहुतो स्थल अछि जकर विकास कयला सँ पर्यटन उद्योग बढत आ राज्य क विकास होयत।स्थानीय लोक सब केँ रोजगार भेटतैन। महामहिम जनौलनि जे पूर्व प्रधानमंत्री वी पी सिंह क सरकार मे ओ पर्यटन मंत्री छलाह। राजस्थान क तत्कालीन मुख्यमंत्री भैरो सिंह शेखावत क अनुरोध पर ओतुका राजमहल आ किला सब केँ विकसित करबाक योजना बनाओल आ आई राजस्थान क विकास मे सर्वाधिक योगदान पर्यटक क अछि आ विहार केँ सेहो पर्यटन क मान् चित्र पर ओहिना विकसित करबाक प्रयास कैल जायत। कैमूर पहाड़ी पर रोहतास किला आ शेरशाह सूरी क मक़बरा केँ योजनाबद्ध रूपेँ विकसित करबाक लेल काज कयल जा रहल अछि।