कोसी । जों सब किछु ठीकठाकर रहत त कोसी क सहरसा, सुपौल सीमांचलक पूर्णिया सहित बिहारक जमूई, सेखपुरा, सासाराम आओर बाढ़ बख्तियारपुर मे जल्दिए इंजीनियरिंग कॉलेज बनत । कार्य एजेंसी क चयन क लेल विभाग टेंडर निकालि देने अछि । अगला महिनाक 15 तारीख तक कार्यएजेंसी क चयन पुरा हेबाक उम्मीद कैल जा रहल अछि । टेंडर फाइनल भेलाक बाद कॉलेज भवनक निर्माण कार्य शुरू भए जाएत ।
एहि इंजीनियरिंग कॉलेज क पॉंच मंजिला भवन मे लड़का आ लड़की क अलग-अलग हॉस्टल रहत । सहरसा क पॉलेटेकनिक कॉलेजक खाली जमीन पर इंजीनियरिंग कॉलेज क भवन बनत । भवन क डिजायन पटना क सेन एंड लाभ कंपनी तैयार केलक अछि । सहरसा क भवन स्थल क मिट्टी क जॉंच कैल गेल छल । एहि भवन निर्माण मे कुल 73 करोड़ 13 लाख टका खर्च होएत ।