• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आभासी दुनिया क धरातल पर आनलक सहरसा ग्रुप

August 16, 2015
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सहरसा से लौटकर सुनिल कुमार झा 

Sahrsa Social Media Meet

सहरसा । काल्हि‍ तक जेकरा नाम से चिन्हैत रही ओकरा सोझा देखि‍ सब गदगद छल ।  फेसबुक पर बनल सहरसा ग्रुप क एडमिन रविशंकर कुमार क परिकल्पना स आभासी दुनिया क किछु पैघ हस्ती से भेंट-घॉंट भेल । एकटा अद्भूत छण जेकर गवाह बनल सहरसा क रेड क्रॉस सोसाइटी सभागार ।

सोशल मीडिया क उपयोगिता सह कवि सम्मेल मे सहरसा सहित आन प्रदेश क रास लोगक जुटान छल । मिलन समारोह सह कवि सम्मलेन क एहि कार्यक्रम क उद्घाटन पटना से आयल कवि शहंशाह आलम, राजकिशोर राजन, कवि अरविन्द श्रीवास्तव, मुक्तेश्वर मुकेश,  मधेपुरा टाइम्स क संपादक राकेश सिंह, सहरसा ग्रुप क एडमिन कुमार रविशंकर, सोमू आनंद, किसलय कृष्ण, अमित आनंद, प्रो० अरविन्द मिश्र नीरज आदि संयुक्त रूप से दीप प्रज्ज्वलित कए केलथि‍ ।

एहि आयोजनक पहिल सत्र ‘सोशल मीडिया क उपयोगिता’ पर छल जेकरा मुख्य रूप से सोमु कुमार, विद्यापति स्मृति संस्थानक संरक्षक विमलकान्त झा, संस्कृतिकर्मी किसलय कृष्ण, मैथिली अभियानी अमित आनन्द, जनशब्द ब्लॅागक सम्पादक कवि अरविन्द श्रीवास्तव ,मधेपुरा टाइम्सक सम्पादक राकेश सिंह आदि उद्बोध‍ित केलथि‍ । सोशल मीडिया क चर्च करैत मैथि‍ल अभि‍यानी अमित आनंद कहलथि‍ जे आय सोशल मीडिया क सभ यूजर अपना आप मे एकटा संपादक छथि‍ जे रियल टाइम मे खबर क संप्रेशन करैत छथि‍ संगे सोशल मीडिया पर सबहक लेल स्पेस छै एतहि कोनो एहन युजर नहि छथि‍ जेकरा अपना लेल स्पेस नहि भेटैत होए । ओतहि मधेपुरा टाइम्स क संपादक राकेश सिंह कहलथि‍ जे सोशल मीडिया स इनेक्ट‍िव होनाय नीक मुदा फेक होनाय खतरनाक होइत अछि, हमरा सबहक भेड़ क भीड़ नहि असगर शेर चाही । ओ कहलथि‍ जे सोशल मीडिय आय सबहक जरूरत बनि गेल अछि आ जमाना क संग कदमताल करबा लेल एकरा पर होनाय जरूरी छैक । इस्ट एण्ड वेस्ट टीचर्स ट्रेनिंग कॅालेजक निदेशक रजनीश रंजन कहलनि जे सहरसामे भारती मण्डन विश्वविद्यालय केर निजी स्तर पर स्थापित करबा लेल प्रक्रिया आरम्भ क देने छी  आ  संगे ओ कहलथि‍ कि सोशल मीडिया पर अनाप शनाप पोस्ट स बचबाक चाहि । सोशल मीडिय नामे से सोशल छै एता समाजिक कार्य होबाक चाहि चाहे ओ कोनो रूप मे हो ।  एहि अवसर पर युवा नेता शशि शेखर सम्राट, चंदन कुमार, लुकमान अली कविगण रामचैतन्य धीरज, अरविन्द मिश्र नीरज,शहंशाह आलम (मुंगेर),राजकिशोर राजन, चन्दन सिंह,  कृष्ण मोहन सोनी, पत्रकार सुभाष चंद्र झा, कवियत्री स्वाति शाकम्भरी आदि उपस्थित छलाह ।

कार्यक्रम दोसर सत्र कवि सम्मेलन क छल जाहि से पहिने शशी सरोजनी सेवा संस्थान क बच्चा सबहक कत्थक शैली मे एकटा नृत्य क आयोजन भेल जे कार्यक्रम मे चार चॉंद लगा देलक । तकर बाद कवि सम्मेलन क औपचारि‍क शुरूआत अरविंद श्रीवास्तव जी के‍लथ‍ि । कविता पाठ मे मुख्य रूप से स्वाति शाकम्भरी, किसलय कृष्ण, रजनीश रंजन, पटना से आयल सहंशाह आलम, राजकिशोर राजन आदि कवि क कविता पाठ से सम्पन भेल ।

सहरसा मे भेल अपन तरहक इ पहिल कार्यक्रम अनूठा आ यादगार रहल । कार्यक्रम कए सफल बनेबा मे सहरस ग्रुप क एडमिन कुमार रविशंकर, सोमू आनंद, पंकज आदि क संगे शशिशेखर सम्राट, डॉ० रजनीश रंजन आदि का महत्वपूर्ण योगदान रहल ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

भारतीय लेल ओ आनन्दमय क्षण छल

विकास कखनो एकाएक नहि होइ छै

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि