5 नवंबर,2017 कए सहरसा मे होएत ग्रुप मिलन समारोह
रंगमच, कविता, साहित्य आओर सोशल मीडिया क मित्र जुटत एक संग
मैलोरंग क होएत एकल नाट्य प्रस्तुति
सहरसा । अपन सामाजिक सरोकार कए व्यक्त करबाक प्रतिबद्धता क कारण आय फेसबुक स लकए समानांतर मीडिया समाज मे सार्थक भूमिका निभेबा मे सफल रहल अछि । मुदा अपन तमाम कस्बाई प्रतिकूलता क साथ-साथ साधन आओर सूचना क न्यूनता क बादो एकटा समूह अपन क्षेत्रक सरोकार कए लकए सोशल मीडिया पर संगठित होएत अछि आओर देखैत देखैत अपन एकटा विशाल स्वतंत्र वजूद तैयार करबा मे सफल भए जाएत अछि, त एकरा आश्चर्य नहि त आर की कहल जाएत ? फेसबूक पर ई समूह सहरसा ग्रुप क नाम स जानल जाएत अछि, जे पिछला किछु साल मे सोशल मीडिया कर्मी क देश मे सम्मेलन आयोजित करबाय कए सबकए चौंकाय देलक ।
सहरसा ग्रुप मिलन समारोह क आयोजन फेसबुक क मित्र से भेंट-घॉंट क एकटा मंच अछि । 5 नवंबर, 2017 कए आयोजित होए बला सहरसा ग्रुप मिलन समारोह कए संबंध मे ग्रुप क संचालक कुमार रविशंकर बतेलथि जे एहि कार्यक्रम कए पिछला किछु साल मे लोगक प्यार आ समर्थन भेटल हम आशा करैत छी जे ई आयोजन पिछला साल स सेहो नीक होए ।
एहि साल मुख्य अतिथि क तौर पर डा.शेफालिका वर्मा, साहित्य अकादमी पुरस्कार स सम्मानित साहित्यकार रहतीह ओतहि मिलन समारोह क कार्यक्रम क उद्घाटन श्री सौरभ जोरवाल (भा.प्र.से.), एस.डी.ओ. सहरसा करताह । विशिष्ट अतिथि मे रमेश झा महिला महाविद्दालय क प्राचार्या डा.रेणु सिंह आ श्री प्रभाकर तिवारी, डी.एस.पी सहरसा रहताह । कार्यक्रम मे युवा कवि आनंद झा, समकालीन कवि श्री अरविंद श्रीवास्तव आदि कवि का कविता पाठ होएत ओतहि शशि सरोजनी रंगमंच संस्थान दिस स सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो प्रस्तुत कैल जाएत जाएगा । एहिक अतिरक्त मैलोरंग, नई दिल्ली दिस स एकल नाटक क प्रस्तुति सेहो होएत । इसमाद परिवार सेहो एहि आयोजनक सफलता क कामना करैत अछि ।