• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

तीन दिनक भीतर दाखिल खारिजक काज नहि भेल शुरु त नौकरी गेल बुझू : डीएम

May 28, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
विनीत ठाकुर
मधुबनी । जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक कहला अछि जे तीन दिनक भीतर अगर दाखिल खारिजक काज शुरू नहि होयत त डाटा आपरेटर क सेवा समाप्त करबाक संगहि अंचल अधिकारी दरमाहा बन्द कएल जायत।
मंगलदिन आन लाईन दाखिल खारिज क समीक्षा क्रम मे जिलाधिकारी पओलाह जे पछिला छ मास दौरान प्राप्त 699 आवेदन मे मात्र तीन टा आवेदनक निपटारा कएल गेल छल। एहि पर ओ डाटा आपरेटर सँ स्पष्टीकरण पूछवाक निदेश दैत चेतौलन्हि जे तीन दिनक भीतर यदि दाखिल खारिज क काज शुरू नहि होयत त डाटा आपरेटर क सेवा समाप्त करबाक संग अंचल अधिकारी दरमाहा बन्द कएल जायत। एहि संबंध मे अनुमंडल पदाधिकारी आ भूमि सुधार उप समाहर्ता के सेहो स्पष्टीकरण पूछवा क निदेश देल गेल।
एहि स पूर्व जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक मंगल दिन रहिका प्रखंड सह अंचल कार्यालय क औचक निरीक्षण कयल गेल। पंचायत क आंगन बाड़ी केंद्र सं 58 पर मात्र 9 बच्चा क संग केंद्र सेविका  विभा देवी आ सहायिका शीला देवी उपस्थित  छलीह। सहायिका दस दिन सँ पेषाहार राशि नहि भेटबा क शिकायत कयलन्हि। प्रतीत होईत छल जेना कयक मास सँ बच्चा सब के पोषाहार नहि देल जा रहल छैक। ई सेविका सबहक लापरवाही बूझि एकर जांच करबा क निदेश प्रखंड विकास पदाधिकारी के दे ल गेल ताकि उचित कार्रवाई कयल जा सकय।
निरीक्षण क क्रम मे प्रखंड कार्यालय मे व्याप्त गंदगी  आ गार्ड रूम क अव्यवस्था देखि जिला पदाधिकारी अप्रसन्नता जनौलन्हि। आर टी पी एस काउंटर मे सुबोध कुमार ठाकुर क राशन कार्ड लेल द्ल गेल आवेदन पर सेवा प्रदान तिथि 13- 05-17 छल परंतु अद्यतन सेवा नहि द्ल गेल छल। संबंधित सहायक सँ एहि हेतु स्पष्टीकरण पूछवा क निदेश जिला पदाधिकारी द्वारा देल गेल आ साफ सफाई क संबंध मे प्रखंड नाजिर सँ तीन दिन क भीतर स्पष्टीकरण पूछवाक निदेश देलन्हि। प्रखंड/ अंचल कार्यालय क खिड़की सबहक टूटल शीशा सब के बदलबाक निदेश कार्यपालक अभियंता, भवन प्रमंडल, मधुबनी के देल। राकेश कुमार झा. आधार केंद्र संचालक के बहुत दिन सँ अनुपस्थित रहबाक सूचना पर हुनका विरुद्ध कार्रवाई हेतु विभागीय सचिव के सूचित करबाक निदेश देल । प्रखंड कार्यालय क वरामदा पर राखल ट्राईसाईकिल सब के संबोधित प्रखंड सब के शीघ्र पठेबा हेतु प्रखंड विकास पदाधिकारी के निदेशित कयल।
जिला पदाधिकारी स्वच्छ भारत मिशनक अन्तर्गत शौचालय निर्माण, जियोट्रैगिंग, एम आई एस पर इंट्री तथा लाभुक भुगतान पर असंतोष व्यक्त कयल। प्रखंड विकास पदाधिकारीसँ एकर स्पष्टीकरण पूछवा क निदेश देस गेल। हर घर नल जल, गली नली योजनाक असंतोषजनक. प्रगति क संबंध मे समन्वयक सं स्पष्टीकरण पूछवाक  आ हुनका विरुद्ध कार्रवाई हेतु प्रस्ताव देवाक निदेश जिला पदाधिकारी देलन्हि।
प्रखंड विकास पदाधिकारी के क्षेत्र भ्रमण क संग मुखिया, उप मुखिया, पंसस आ वार्ड सदस्य सबहक प्रखंड स्तरीय बैसक आयोजित करबाक निदेश जिला पदाधिकारी द्वारा देल गेल। बैसक मे निदेशक, डी आर डी ए आ जिला पंचायती राज पदाधिकारी सेहो उपस्थित रहता। एहि सबहक पश्चात जिला पदाधिकारी ककरौल दक्षिणी पंचायत क हर घर जल नल योजना क तहत कएल काज सबहक निरीक्षण कएल जाहि मे पी एच ई डी कसहायक अभियंता के जलापूर्ति हेतु गाड़ल गेल बोरिंग क गहराई मापी प्रतिवेदन पठेबाक निदेश देल। निरीक्षण क समय कुमार गौरब, सहायक समाहर्ता (प्रशिक्षु) मो. शोएब , जिला पंचायती राज पदाधिकारी, श्री ब्रजविहारी भगत, निदेशक डी आर डी ए उपस्थित छलाह।

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

75 साल पुरान हाबड़ा ब्रिज लेल कोलकाता पोर्ट ट्रस्ट बना रहल अछि कईटा योजना

तेल पर लगान बढा दाम पर नियंत्रण करैत रहल सरकार

गामे-गाम गृह उद्योग स्थापित करबाक अछि योजना : अमरनाथ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि