• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

प्रलय क बाट तकैत दुनिया

January 6, 2016
in देश-दुनिया, समाचार
A A

राघवेन्द्र झा

नॉर्थ इस्ट। जौं गृह मंत्रालय क आपदा प्रबंधन विशेषज्ञ क गप मानि त सोमदिन बिहार, झारखंड संगे नॉर्थ इस्ट मे आयल भूकंप प्रकृत‍ि क एकटा ट्रेलर मात्र अछि । आबय बला समय मे भूकंप पूरा देश मे भयंकर तबाही मचा सकैत अछि । विशेषज्ञ क मानि त 8.2 वा एकरा स बेसी त्रीवता क भूकंप हिमालयी क्षेत्र क हिला क राख‍ि देत । हुनकर कहनाय अछि जे मणिपुर क भूकंप एकटा ट्रेलर मात्र अछि ।

ज्ञात होए कि गुआहाटी मे ४ जनवरी कए भोर मे जखन पुरा देश चैनक नींद सुतल छल तखन बिहार, झारखंड समेत पुर्वोत्तर मे 6.7 तीव्रता क प्रचंड भूकंप स धरती थरथरा गेल छल । जाहि स कम स कम 7 लोग मारल गेल, आओर लगभग 100 स बेसी घायल भए गेल । एहि भूकंपक केन्द्र मणिपुर स 33 किमी दुर तमेंगलोंग जिला में 17 किमी क गहराई मे छल । जिला मे ढ़ेरी भवन या त पुरा खसि परल वा पूरा तरह स ढहि चुकल अछि । भोर 4.34 पर आयल एहि भूकंप स मणिपुर मे 7 गोटा मारल गेल आओर 70 स बेसी लोग घायल भए गेल, सेना आओर वायुसेना दुनू राहत कार्य मे लागल अछि, संगे एनडीएएम क दुटा दल कए इंफाल पठाओल गेल अछि ।

seismicहाले मे आयल भूकंप जेना – मणिपुर मे 6.7 (जनवरी 2016 ), नेपाल मे 7.3 ( मई 2015) सिक्किम मे साल 2011 मे आयल 6.9 त्रीवता बला भूकंप कारण एतौका भूगर्भीय प्लेट मे उथल पूथल मचि गेल अछि । पहिनेके झटका स एकरा मे दरार पैदा भए गेल अछि मुदा हाल मे आयल भूकंप क कारण इ स्थ‍िती आर भयावह भए गेल अछि । विशेषज्ञ क कहब अछि एहि स कैकटा भूकंप आबि सकैत अछि जे 8.0 त्रीवता तक भए सकैत अछि ।

“भूकंप पृथ्वी क परत स ऊर्जा क अचानक उत्पादन क परिणामस्वरूप आबैत अछि है जे भूकंपी तरंग उत्पन्न करैत अछि।” (Wikipedia)

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नेपाल क भूकंप क बाद कैल गेल विश्लेषण मे एमएचए क राष्ट्रीय आपदा प्रबंधन संस्थान (एनआईडीएम)चेतावनी देलक कि पूरा पूर्वोत्तर क्षेत्र खासकए क पहाड़ पर भूकंप क खतरा बेसी बढ़ि गेल अछि । ईटानगर मे हाले मे भेल एनआईडीएम क एकटा बैसार मे इ मुद्दा उठाओल गेल । एहि बैसार मे भारतक 11 टा पहाड़ी राज्य क निती निर्माता हिस्सा लेने छथि । संस्थान क निदेषक संतोष कुमार क मानि त नेपाल, भूटान, म्यांमार आओर भारत क भूगर्भीय प्लेट आपस मे जूड़ल अछि । एहि क्षेत्र मे बड्ड पैघ भूकंप ऐबाक संभावना अछि । दिल्ली भूकंपीय इलाका क वर्गीकरण क मोताबिक बेहद संवेदनशील मानल जाय बला जोन 4 मे आबैत अछि । पूर्वोत्तर राज्य आ आन पहाड़ी भूभाग जोन 5 मे आबैत अछि । विशेषज्ञ क कहब अछि 8.0 त्रीवता वला कम से कम चारि टा भूकंप एहि क्षेत्र मे आब‍ि सकैत अछि । जों इ भूकंप जल्दी नहि आउत त बेसी दिन स जमल दवाब आर बेसी कहर बरपा सकैत अछि ।

श्री कुमार क अनुसार सभटा पहाड़ी भूभाग बला राज्य कए एकरा बारे मे जानकारी दए देल गेल अछि आ हुनका एकटा कॉमन बिल्ड‍िंग कोड अपनेबा लेल कहल गेल अछि । कहल जा रहल अछि कि नेपाल मे आयल भूकंप से पूर्वोत्तर पर दवाब बेसी बढ़‍ि गेल अछि । मण‍िपुर क भूकंप एकर एकटा संकेत मात्र अछि जे इ दवाब अखैन धरि नहि निकलल अछि । इ आर खतराक घंटी अछि । विशेषज्ञ क मोताबिक, ”उत्तर मे हिमालयी क्षेत्रक भूगर्भीय प्लेट कए पूर्व मे इंडो-बर्मीज प्लेट स टकरेबाक कारण एकटा संकट ठाड़ भए गेल अछि । जे वर्तमान मे सबसे बेसी अछि ।”

विशेषज्ञ क कहब अछि जे पूर्वोत्तर राज्य जेना उत्तरी बिहार, उत्तराखंड, जम्मू-कश्मीर, गुजरात आओर अंडमान निकोबार जोन 5 मे आबैत अछि । आ संवेदन शील अछि । बेसी आबादी बला जगह मे जों एहन भूकंप आउत त जान-माल कए बेसी क्षति पहुँचत ।

धरती स निकैल रहल अछि धूआँ – मधेपुरा जिलाक बिहारीगंज प्रखंड स्थि‍त कस्तूरबा विद्यालय क नजदीक जमीन स धुँआ निकैल रहल अछि । इ धुँआ सोमदिन आयल भूकंप क बाद स निकलि रहल अछि । एहि धुइयॉं लेल भूगोलवेत्ता डाॅ. श‍िवमुनी यादव क कहनाय अछि जे कोसी क क्षेत्र मे गैस वा सल्फर जेहन किुछ चिज अ‍छि । एहि स पहिनो भूगर्भीय उथल-पूथल क बाद धुँआ निकलल छल । एहि क्षेत्र मे खनीज तेलक सेहो प्रबल संभावना अछि ।

 

नोट – इसमाद क एहि खबरक उदेश्य डर वा भय फैलायब नहि अछि, मुदा इसमाद टीम चाहैत अछि जे पाठक कए पूर्ण जानकारी होए जाहि स ओ सजग रहि सकय, सचेत रहय सकय ।

Tags: भूकंपमण‍िपुर

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

नदी कए धार स जोडने बिना मिथिलाक उद्धार नहि

विक्रमशिला युनिवर्सिटी लेल चाही 500 एकड जमीन

भारतीय रंग महोत्सव मे भेटल मैथिली कए स्‍थान

Comments 1

  1. Krishnakant jha says:
    9 years ago

    Uchit samay par dal gail suchana

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि