• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

हम सब बना देलहुं सरकार – 3

April 11, 2019
in समाचार
A A

सरकार त 23 कए बनत, मुदा पहिल, दोसर आ तेसर चरण मे 14टा लोकसभा क्षेत्रक मतदाता अपन मत द एक प्रकार स सरकार बना देतथि। एकरा एक प्रकार स सरकार क गर्भ धारण कही सकैत छी। मतदानक बाद आब इ बहुत हद तक साफ सेहो देखा रहल अछि जे लोकसभा क तसवीर मे केहन अंतर हुए जा रहल अछि‍। पहि‍ल आ दोसर चरण शांति स गुजरल। ओना एहि चुनाव मे सेहो दलान परका गप आ अंगनाक चर्चा मे भारी अंतर देखल जा रहल अछि। दलान परका चुनावी मुद्दा मे जाति प्रबल अछि, मुदा अंगना मे जाति कमजोर देखल । गाछी मे खेलाइत नव मतदाता लेल विकास सबस पैघ चुनावी मुद्दा अछि। राजगक स्थिति सबस नीक देखा रहल अछि‍, मुदा जदयू कए उम्‍मीद स बेसी सीट भेटबाक उम्‍मीद कम अछि‍। ओना अपन लालटेन बचेबा मे लालू कारगर देखा रहल छथि। कुल मि‍ला कए राजग एखन धरि भेल मतदान में 7टा सीट लेबा मे सफल देखा रहल अछि, जखन कि महागठबंधनक झोली मे 7टा सीट आबि सकैत अछि‍। ओना इ नहि त ओपिनियन पोलक आंकडा छी आ ने एक्जिट पोलक सर्वे, इ केवल एकटा चर्चाक बाद तय कैल गिनती छी, जे आगू बदलि सकैत अछि। चुनाव के बाद आब लोक सभ कए नजर वोटक गिनती पर लागल छनि। गिनती 23 मई कए अछि। 23 तारीख कए दुपहरियाक बाद तक तस्वीर काफी किछु साफ भ जाएत। पैघ कवरेजक मुकाबला करबा लेल हम तैयार नहि छी, मुदा इसमाद अपन सामर्थ स अहां तक समाद पहुंचेबा मे लगल अछि। पिछला चुनाव जकां  जहाआंरा, हेमा, नीता, साधाना संग सुनील, प्रीतिलता मल्लिक, आओर कुमुद . परिणाम त 23 कए आउत मुदा 9टा क्षेत्रक मतदाता आइ कहि देलथि जे  ‘हम सब बना देलहुं सरकार’।

पटना । लोकसभा चुनाव क तेसर चरण मे पांच सीट पर शांतिपूर्ण मतदान भेल। मधेपुरा, सुपौल, अररिया, खगड़िया आ झंझारपुर मे कुल 82 उम्मीदवार क भविष्य क फैसला इवीएम मे दर्ज भ गेल। किछु जगह पर इवीएम गडबडी क सूचना क अतिरिक्‍त कोनो प्रकार क गडबडी क सूचना नहि अछि। भोर सात बजे स लोक कतार मे देखल गेल।
निर्वाचन विभाग स भेटल आंकड़ क मुताबिक बिहार क पांच सीट पर लगभग 59.96 प्रतिशत मतदाता अपन मताधिकार क प्रयोग केल‍थि। निर्वाचन विभाग स झंझारपुर मे 56.96 प्रतिशत, सुपौल मे 60.80 प्रतिशत, अररिया मे 62.34 प्रतिशत, मधेपुरा मे 59.12 प्रतिशत आ खगड़िया मे 58.83 प्रतिशत मतदान भेल।
महिला मे वोट देबा लेल खासा उत्साह देखल गेल। परबता विधानसभा क बूथ नंबर 133 पर 108 सालक महिला वोट देलथि।
उल्‍लेखनीय अछि जे एहि चरण मे एनडीए दिस स जेडीयू तीन, बीजेपी आ एलजेपी एक-एक प्रत्याशी मैदान मे उतारने अछि, जखनकि विपक्षी गठबंधन मे आरजेडी तीन आ कांग्रेस संग वीआईपी एक-एक सीट क दावेदार अछि।
मधेपुरा स 13 उम्मीदवार मैदान मे छथि, मुदा मुकाबला तीन प्रमुख उम्मीदवार क बीच अछि। आरजेडी क शरद यादव, जेडीयू क दिनेश चंद्र यादव आ वर्तमान सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव में शरद क जीतक संभावना कम बुझा रहल अछि। मधेपुरा मे पप्‍पू यादव चाहे जीतथि बा नहि मुदा सुपौल मे रंजीता क स्थिति नीक अछि। सुपौल लोकसभा सीट स कुल 20 उम्मीदवार मैदान मे छथि, मुदा असली मुकाबला कांग्रेस क सांसद रंजीत रंजन आ जेडीयू क दिलेश्वर कामत क बीच अछि।
झंझारपुर मे सेहो त्रिकोणीय मुकाबला अछि। झंझारपुर लोकसभा सीट पर जेडीयू क रामप्रीत मंडल आ आरजेडी क गुलाब यादव क बीच मुकाबला अछि, मुदा देवेंद्र प्रसाद यादव क मैदान में आबि गेला स जदयू क इ सीट पक्‍का बुझा रहल अछि। अररिया मे कहबा लेल 12 प्रत्याशी मैदान मे छथि, मुदा बीजेपी क प्रदीप कुमार सिंह आ महागठबंधन दिस स वर्तमान सांसद सरफराज आलम क बीच मुकाबला रहल। इ सीट गठबंधन बचा सकैत अछि। खगड़िया क चुनावी समर मे सन ऑफ मल्लाह क नाम स मशहरू मुकेश सहनी मैदान मे छथि। ओ महागठबंधन दिस स विकासशील इंसान पार्टी क उम्मीदवार छथि। हिनकर सामने एलजेपी क महबूब अली कैसर मैदान मे छथि। अगर मुनिया फैक्‍टर काज केलक त इ सीट गठबंधनक खाता मे आबि सकैत अछि।

दोसर चरण

पटना । पांच लोकसभा सीट लेल भेल दोसर चरण क मतदान शांतिपूर्ण संपन्‍न भेल। एहि दौरान करीब 62.52 प्रतिशत मतदाता मतदान केलथि। भोर 7 बजे स लकए सांझ 6 बजे तक वोटिंग भेल। एहि मे किशनगंज मे 63.04 प्रतिशत, कटिहार मे 61.10 प्रतिशत, बांका मे 57.46 प्रतिशत, भागलपुर मे 55.14 प्रतिशत आ पूर्णिया मे 62.5 प्रतिशत मतदाता मतदान कलथि। 2014 क चुनाव मे मोदी लहर क बावजूउ एहि पांच सीट मे स कोनो सीट पर भाजपा नहि जीतल छल। जदयू मात्र एकटा सीट जीतल छल। एहि बेर सेहो एहि पांच ठाम राजग क खाता खोलबाक जिम्‍मा जदयू पर अछि। भाजपा कतहु स मैदान मे नहि अछि। एहन मे नीतीश कुमार क प्रतिष्‍ठा दांव पर लागल अछि।
एहि सीट सब पर मुस्लिम क तादाद बेसी अछि। कांग्रेस-राजद क दबदबा है। 2014 क चुनाव नतीजा पर गौर करि त पांच सीट मे स महज एक सीट (पूर्णिया) पर जदयू जीतल छल। बाकी महागठबंधन क खाता क सीट अछि।
किशनगंज मे तिकोना मुकाबला अछि। संभव अछि 2014 दोहरा जाये। ओना औवेशी क पार्टी किछु ठाम नीक वोट कअलक अछि जाहि स जदयू क जीतबाक संभावना सेहो अछि। मुस्लिम बहुल एहि सीट पर मुस्लिम क संख्या 70 प्रतिशत अछि। 14 प्रत्याशी मैदान मे छथि। कांग्रेस स डॉ. मोहम्मद जावेद, जेडीयू स सईद महमूद अशरफ आ असदुद्दीन ओवैसी क पार्टी ऑल इंडिया मजलिस- ए- इत्तेहादुल मुसलमीन अख्तरुल इमान। ओना इ सीट कांग्रेस लेल सुभितगर लागि रहल अछि।
कटिहार क सियासत मे तीन दशक स तारिक अनवर क उपस्थिति अनवरत अछि। हालांकि एहि ठाम 9 प्रत्याशी मैदान मे छथि, मुदा एहि बेर महागठबंधन दिस स कांग्रेस क तारिक अनवर त एनडीए दिस स जदयू क दुलाल चंद्र गोस्वामी क बीच मुख्स मुकाबला अछि। एनसीपी स कांग्रेस मे आयल तारिक अनवर कए मुस्लिम, यादव आ दलित क वोट भेटल अछि। जखनकि जदयू सवर्ण आ ओबीसी क वोट लेबा मे सफल रहला‍ह। एक दू टा विधानसभा मे तारिक क निर्णायक बढत हुनका लोकसभा मे जीत दिया सकैत अछि।
बांका लोकसभा सीट पर कुल 20 उम्मीदवार मैदान मे छथि। जदयू स गिरिधारी यादव मैदान मे छथि, राजद क जय प्रकाश नारायण यादव मुख्य मुकाबला मे त भाजपा स बागवत क निर्दलीय उम्मीदवार क तौर पर पुतुल कुमारी सबटा समीकरण बिगाडि देलथि। हुनकर निर्दलीय उतरबा स जदयू लेल इ सीट मुश्किल अछि। पूर्व विदेश राज्य मंत्री दिग्विजय सिंह क कनिया पुतुल कुमारी 2014 क लोकसभा चुनाव मे राजद क जय प्रकाश नारायण यादव स महज 10 हजार वोट स हार छलीह। एहि बेर सेहो ओ मुकाबला मे छथि।
पूर्णिया लोकसभा सीट स भाजपा छोड़ कांग्रेस मे शामिल भेनिहार पूर्व सांसद उदय सिंह उर्फ पप्पू सिंह कए कांग्रेस टिकट देने अछि। जदयू मौजूदा सांसद संतोष कुमार कुशवाहा कए दोबारा चुनावी जंग मे उतारने अछि।
पिछला चुनाव मे हिनके बीच मुकाबला छल। तखन कांग्रेस क अमरनाथ तिवारी क चलते उदय सिंह कए कुशवाहा हरा देने छलाह। हालांकि एहि बेर सियासी समीकरण बदलल अछि। कांग्रेस स उदय सिंह यादव, मुस्लिम आ राजपूत मत क संगहि आन तबका मत सेहो खींच ललथि अछि। जखनकि संतोष कुशवाहा कए ओबीसी, दलित आ सवर्ण वोटर भेटल, मुदा भाजपा समर्थित पैघ तबका पप्‍पू सिंह स जुडल रहल। एहन मे संतोष लेल संतोषक गप इ जे नीतीश अपने कमान एहि ठाम सम्‍हारे छलाह। भागलपुर लोकसभा सीट मोदी लहर मे सेहो भाजपा जीत नहि सकल छल। एहि बेर सीट शेयरिंग मे जदयू क खाजा मे चल गेल। भागलपुर लोकसभा सीट स राजद मौजूदा सांसद शैलेश कुमार उर्फ बूलो मंडल आ जदयू अजय कुमार मंडल सहित 9 प्रत्याशी मैदान मे छथि।
2014 क लोकसभा चुनाव मे भाजपा क शाहनवाज हुसैन कए राजद क शैलेश कुमार मंडल 9,485 मत स जीत हासिल केने छलाह। हालांकि एहि बेर सियासी जंग मंडल बनाम मंडल क बीच अछि। बूलो मंडल कए जतए मुस्लिम, यादव आ मंडल (गंगौता) मत भेटल, ओतहि भाजपा समर्थित तबकाक उदासीनता अजय मंडल लेल चिंताक विषय अछि। ओना हुनका ओबीसी, महादलित आ सवर्ण वोट स जीतक उम्‍मीद रखबाक चाही।

पहिल चरण

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

लोकसभा चुनाव लेल पहिल चरण क मतदान शांति स पूरा भेल। गया मे 13, नवादा मे 13 और जमुई और औरंगाबाद में 9-9 यानि कुल 44 उम्मीदवार किस्मत इवीएम मे बंद भ गेल। ताहि मे बिहार के पूर्व सीएम जीतनराम मांझी, रामविलास पासवान क बेटा सांसद चिराग पासवान आ भाजपा सांसद सुशील कुमार सिंह उम्मीदवार छथि। चारि लोकसभा सीट पर पहिल चरण क 70.37 लाख मतदाता लेल 7486 बूथ बनल छल।
चुनाव आयोग स भेटल जानकारी क अनुसार बिहार मे कुल 53.10 फीसदी मतदान हेबाक सूचना अछि। जमुई मे 54 फीसदी मतदान भेल। औरंगाबाद मे 49.5 फीसदी, नवादा मे 52 फीसदी, गया मे 56.60 फीसदी मतदान भेल।
गया, औरंगाबाद आ जमुई के 15 नक्सल प्रभावित विधानसभा क्षेत्र मे सांझ 4 बजे मतदान समाप्त भेल।
इन चारि सीट पर 44 उम्मीदवार मैदान मे छथि। मुख्य मुकाबला एनडीए आ महागठबंधन क बीच अछि। एनडीए मे भाजपा, जदयू आ लोजपा अछि, ओतहि महागठबंधन मे राजद, कांग्रेस, हिंदुस्तानी अवाम मोर्चा, वीआईपी आ रालोसपा शामिल अछि।

पहिल चरण मे चारि सीट पर भेल मतदान मे सबस बेसी फायदा राजग कए भेट सकैत अछि। गया सुरक्षित सीट पर पूर्व मुख्‍यमंत्री जीतनराम मांझी मुश्किल मे छथि। दरअसल एहि ठाम गठबंधन क कोनो फायदा जीतनराम मांझी कए नहि भेटल। कांग्रेस अध्‍यक्ष राहुल गांधी जरुर एलाह, मुदा मंच पर नहि त तेजस्‍वी पहुंचलाह आ नहि त उपेंद्र कुशवहा। गया में कुशवाहा क वोट काफी अछि आ उपेंद्र कुशवाहा गया मे जीतनराम मांझी क कोनो मदद नहि केलथि। कुशवाहा वोट जदयू लग बनल रहल। अपन सहयोगीक उपेक्षा आ नीतीश्‍ सन विरोधीक प्रतिष्‍ठा क कारण जीतनराम मांझी स्थिति गया मे बहुत नीक नहि कहल जा सकैत अछि। ओना हम पार्टी क दोसर उम्‍मीदवार औरंगाबाद स उपेंद्र प्रसाद क जीत आसान बुझा रहल अछि। उपेंद्र प्रसाद एक दिन कुशवाहा वोट कए अपना दिस अनलाह त दोसर दिस कांग्रेस नेता निखिल कुमार क उपेक्षा स सेहो उपेंद्र प्रसाद कए फायदा भेल अछि। ओना औरंगाबाद सीट स एखन धरि एकहि समाजक लोक कए जीतबाक इतिहास कए मुद्दा बना उपेंद्र प्रसाद अपन राह आसान क लेलथि अछि। भ सकैत अछि आजदीक बाद नहि बेर औरंगाबाद सीट स दोसर समाजक उम्‍मीदवार जीत दर्ज करथि। जमुई सीट पर चिराग क बाट बहुत कठिन नहि रहल। रालोसपा क उम्‍मीदवार भूदेव चौधरी मेहनत जरुर केलथि, मुदा पार्टी स हुनका आर्थिक सहयोग नहि भेटल। नामांकन दिन दाना-पानी तक ठीक स ओ कार्यकर्ता कए नहि द सकलाह, ताहि स अंदाजा लागि गेल छल जे इ हवा चिराग कए बुझा नहि सकत। एहन मे भूदेव चौधरी सब तरह स कमजोर देखल गेलाह। नवादा मे सूरजभाव सिंह आ राजबल्‍लव यादव में मुकाबला बराबरीक अछि। दूनू पक्ष जाति आ दबंगता स चुनाव परिणाम कए अपन पक्ष मे करैत देखा रहल छथि। ओना सूरजभान जेकरा अपन कंपनी मे रोजगार देने छथि ओ मतदान में जाति स बाहर आबि कए हुनकर मदद केलथि अछि। ओना महिला वोट एहि ठाम निर्णायक भ सकैत अछि। ओना इ सीट लोजपा अपन खाता मे ल सकैत अछि। कुल मिलाकर इ चरण राज्‍यक दूटा दलित नेता क प्रतिष्‍ठाक चुनाव छल जहि मे पासवान जमुई संग नवादा मे सेहो जीत दोहरा सकैत छथि जखन कि हम सुप्रीमो कए औरंगाबाद सीट त भेट सकैत छैन मुदा अपन गया सीट जीतबा लेले 23 मई तक इंजतार मजबूरी अछि। ओना जीतनराम मांझी मतदान मे साजिश क गप कहि कए इ समाद द देलथि अछि जे हुनका हारिक भान भ चुकल छनि। राजद लेल नवादा त भाजपा लेल औरंगाबाद आ रालोसपा लेल जमुई सीट जीतब मुश्किल बुझा रहल अछि। ओना जदयू गया स आ हम औरंगाबाद स जीत दर्ज क अपन प्रतिष्‍ठा बचा सकैत अछि। कुल मिला कए इ चरण पासवान आ लोजपा लेल नीक समाद द रहल अछि।

1. गया- रिजर्व
2014 क आंकड़ा
विजेता- हरि मांझी (BJP)
उपविजेता- रामजी मांझी (RJD)
जीत क अंतर- 1,15,504
2014 में कुल उम्मीदवार- 13
2014 में वोटिंग – 53.92
2014 में हरि मांझी क चुनावी खर्च- 37,65,110 रुपये
2014 में NOTA- 19,016

2019 आंकड़े
पुरुष मतदाता- 08,78,500
महिला मतदाता- 08,19,661
थर्ड जेंडर- 59
18-19 वर्ष क मतदाता-
कुल मतदाता- 16,98,102
कुल उम्मीदवार- 13
कोई निर्दलीय उम्मीदवार नहीं

टक्कर
विजय कुमार मांझी (JDU/NDA)
जीतन राम मांझी (HAM/महागठबंधन)

उम्मीदवार क परिचय जानिए
विजय कुमार मांझी-JDU/पुरुष
उम्र- 49
शिक्षा- इंटर
संपत्ति- 59,71,540
आपराधिक मामले-0

जीतन राम मांझी-HAM/पुरुष
उम्र-73
शिक्षा- ग्रेजुएट (1967)
संपत्ति- 23,60,142
आपराधिक मामले-0

2. औरंगाबाद

2014 के आंकड़े
विजेता- सुशील कुमार सिंह (BJP)
उपविजेता- निखिल कुमार सिंह (कांग्रेस)
जीत क अंतर- 66,347
कुल उम्मीदवार- 13
वोटिंग – 51.19 फीसद
सुशील कुमार सिंह क चुनावी खर्च- 56,27,408 रुपये
NOTA- 17,454
2019 आंकड़े
पुरुष मतदाता-09,15,930
महिला मतदाता-08,21,793
थर्ड जेंडर- 98
18-19 वर्ष क मतदाता- 19,788
कुल मतदाता- 17,37,821
मतदान केन्द्र-1965
कुल उम्मीदवार- 09

टक्कर
सुशील कुमार सिंह (BJP/NDA)
उपेन्द्र प्रसाद- (HAM/महागठबंधन)

उम्मीदवार क परिचय
सुशील कुमार सिंह- BJP/पुरुष
उम्र- 53 वर्ष
शिक्षा- पोस्ट ग्रेजुएट
पेशा- कृषि
संपत्ति-12,78,45,854
आपराधिक मामले-05

उपेन्द्र प्रसाद-HAM/पुरुष
उम्र- 55
शिक्षा- पोस्ट ग्रेजुएट, Ph.D
पेशा- राजनीति
संपत्ति- ….
आपराधिक मामले- 0

3. नवादा
2014 क आंकड़े
विजेता- गिरिराज सिंह (BJP)
उपविजेता- राजबल्लभ प्रसाद (RJD)
जीत क अंतर- 1,40,157
कुल उम्मीदवार- 17
वोटिंग – 52.18 फीसद
गिरिराज सिंह क चुनावी खर्च- 50,08,751 रुपये
NOTA- 7,489

2019 क आंकड़े
पुरुष मतदाता- 09,83,065
महिला मतदाता- 09,80,871,
थर्ड जेंडर- 81
18-19 वर्ष क मतदाता-13,140
कुल मतदाता-18,92,017
मतदान केन्द्र-1899
कुल उम्मीदवार-13

टक्कर
चंदन सिंह (LJP/NDA)
विभा देवी (RJD/महागठबंधन)

उम्मीदवार क परिचय
चंदन कुमार- LJP/पुरुष
उम्र- 36
शिक्षा- B.Sc
पेशा- व्यवसाय
संपत्ति-1,10,67,027
आपराधिक मामले- 02

विभा देवी-RJD/महिला
उम्र- 53 साल
शिक्षा- साक्षर
पेशा- कृषि, व्यवसाय
संपत्ति-4,80,00,000
मुकदमा- कोई नहीं

4. जमुई- रिजर्व

2014 क आंकड़े
विजेता- चिराग पासवान (LJP)
उपविजेता- सुधांशु शेखर भास्कर (RJD)
जीत क अंतर- 85,947
कुल उम्मीदवार- 11
वोटिंग – 50.01 फीसद
चिराग पासवान का चुनावी खर्च- 26,01,091 रुपये
NOTA-19,517

2019 आंकड़े
पुरुष मतदाता- 09,05,582
महिला मतदाता-08,03,740
18-19 वर्ष क मतदाता-11,728
थर्ड जेंडर- 34
कुल मतदाता- 17,09,356
मतदान केन्द्र- 1850
कुल उम्मीदवार-09

टक्कर
चिराग पासवान (LJP/NDA)
भूदेव चौधरी (RLSP/महागठबंधन)

उम्मीदवार क परिचय
चिराग पासवान-LJP/पुरुष
उम्र-37
शिक्षा-12वीं पास
पेशा- राजनीति
संपत्ति- 1,04,14,470
आपराधिक मामले- 0

भूदेव चौधरी-RLSP/पुरुष
उम्र- 59
शिक्षा- B.A. (LLB)
पेशा- राजनीति
संपत्ति-40,79,000
आपराधिक मामले-0

 

 

—

हमर सबहक काज, इ रिपोर्ट अपने लोकनि कए केहन लागल जरुर बताउ । मैथिली पत्रकारिता कए सरकार आ कॉरपोरेट दबाव स मुक्त रखबा लेल आर्थिक मदद करि। इसमाद एक गैर-लाभकारी संगठन अछि।
—
ACCOUNT NAME – ESAMAAD

Bank Account No. –
38352180252

IFSC Code – SBIN0003008

SBI, Sonbarsa

Tags: Biharlok sabhalokshabha

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

सीतामढी क आसपास अवस्थित छल विदेहक राजधानी मिथिला नगर

आयुर्वेदिक चिकित्सा जाँचक नि:शुल्क शिविर मे उमडल भीड

पहिल चरण मे बिहार क 10 जिला क 550 गाम मे आयल सौर उर्जा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि