• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

हम सब बना देलहुं सरकार

November 5, 2015
in समाचार
A A

सरकार त 8 कए बनत, मुदा पांच चरण मे भ रहल 243 टा विधानसभा सीट लेल मतदान मे मतदाता अपन मत दए एक प्रकार स सरकार बना देलथि। पहिल चरण लेल 49 आ दोसर चरण लेल 32 टा, तेसर चरण लेल 50टा, चारिम चरण्‍ा लेल 55टा आ अंतिम चरण लेल 57टा विधानसभा क्षेत्रक मतदाता अपन मताधिकार क प्रयोग क अपन दिस स सरकार बना देलथि अछि। एकरा एक प्रकार स सरकार क गर्भ धारण कही सकैत छी। पांचम चरण क मतदानक बाद आब इ बहुत हद तक साफ सेहो देखा रहल अछि जे बिहार वि‍धानसभा क तसवीर मे कोनो खास अंतर नहि‍ हुए जा रहल अछि‍। पहि‍ल चरण जेका बाकी चरण मे सेहो शांति स मतदान भेल। ओना दलान पर का गप आ अंगनाक चर्चा मे भारी अंतर देखल गेल। दलान पर का चुनावी मुद्दा मे जाति प्रबल छल, मुदा अंगना मे जाति कमजोर देखल गेल। गाछी मे खेलाइत नवतुरिया मतदाता लेल विकास सबस पैघ चुनावी मुद्दा रहल। जदयूक गठबंधन क स्थिति सरकार बचेबा योग्य कहल जा सकैत अछि‍, मुदा भाजपा कए उम्मीतद स बेसी सीट भेटबाक उम्मीहद कम अछि‍। ओना लालटेन कए तीर प्रुफ बनेला स लालू कए फायदा देखा रहल अछि, मुदा रामविलासक झोपडी मे राखल टेलीफोन क घंटी खतराक घंटी बजा रहल अछि। कुल मि‍ला पांच चरण क बाद राजग 120 स 140 सीट लेबा मे सफल रहत, जखन कि‍ जदयू वाला गठबंधन क झोली मे 110 स 130 टा सीट आबि‍ सकैत अछि‍। तेसर मोरचा आ वामपंथी वोट कटवाक भूमि‍का मे देखा रहल छथि। भ सकैत अछि‍ जे 5 स 7 सीट जीत लेबा मे इ सब कामयाब भ जाइथि। दरअसल 30टा सीट एहन अछि जाहि ठाम फैसला एक हजार या ओहि स कम वोट स होएत। एहन मे इ कहब बहुत कठिन अछि जे एहि 30 टा सीट पर के जीत क झंडा लहराउत। इ 30 टा सीट अगर कोनो एक गठबंधन कए जाइत अछि त आंकडा असंतुलित भ सकैत अछि। ओना इ ने ओपिनियन पोलक आंकडा छी आ ने एक्जिट पोलक सर्वे, इ केवल एकटा चर्चाक बाद तय कैल गिनती छी जे आगू बदलि सकैत अछि। गिनती 8 नवंबर कए अछि। पैघ कवरेजक मुकाबला करबा लेल हम तैयार नहि छी, मुदा इसमाद अपन सामर्थ स अहां तक समाद पहुंचेबा मे लगल अछि। पिछला विधानसभा जेकां गया स जहाआंरा, शेखपुरा स रश्मी, बिहारशरीफ स अनामिका, जहानाबाद स अमीता, अरवल स नंदनी, आरा स रजनी, नवादा स हेमा, दरभंगा स ज्योति श्रीवास्तव, सीतामढ़ी स नगमा, समस्तीपुर स आबिदा, मुजफ्फरपुर स गुंजन, पूर्वी चंपारण स सुजाता, मधेपुरा स सरिता सुमन, कटिहार स रिंकू कुमारी, पूर्णिया स सुषमा राय, अररिया स माया ठाकुर, मधुबनी स छाया मिश्रा, किशनगंज स नेहा खातून, सुपौल स ममता शंकर, सहरसा स नीलू कुमारी, पटना स कुमुद सिंह क संग प्रीतिलता मल्लिक, अनंत, अमित, ईशार्दुल, सुनील आओर आशीष कहतथि कोना जनता कहलक ‘’हम सब बना देलहुं सरकार’’।

पांचम चरण

बिहार मे पांचम आ अंतिम चरण क चुनाव मे 57 क्षेत्र मे 59.46 प्रतिशत क रिकार्ड मतदान क संगहि विधानसभा क सबटा 243 सीट लेल जनता अपन फैसला इलेक्ट्रॉनिक वोटिंग मशीन मे लॉक करा देलक अछि । राज्य क अपर मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी आर लक्ष्मणन क अनुसार मधुबनी,  सुपौल, किशनगंज, अररिया,  पूर्णिया,  कटिहार,  मधेपुरा,  सहरसा आ दरभंगा जिला क 57 विधानसभा क्षेत्र मे भोर सात बजे स मतदान शुरू भेल। उग्रवाद प्रभावित महिषी आ सिमरी बख्तियारपुर विधानसभा क्षेत्र मे मतदान अपराह्न तीन बजे तक चलल। बाकी ठाम पांच बजे समाप्त भेल । ओ कहला जे कटिहार जिला मे सबस बेसी 67.27 प्रतिशत आ सहरसा में सबस कम 50.78 प्रतिशत मतदान भेल। लक्ष्मणन कहला जे मधुबनी में 55.87, सुपौल में 58.60, अररिया 62, किशनगंज में 61.54, पूणियां में 62.95 , मधेपुरा में 57.84  आ दरभंगा में 58.27 प्रतिशत मतदाता मताधिकार क प्रयोग केलथि अछि। अपर मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी कहला जे पिछला चारि चरण क रिकार्ड पांचम चरण क मतदान मे टूटल। पंचम चरण मे पिछला चुनावक मुकाबले 4.5 फीसदी वोट बेसी खसल जे एकटा रिकार्ड अछि। एहि चरण मे सहो महिला आगू रहलथि। 56.05 फीसदी पुरुष आ 63.60 फीसदी महिला मताधिकार क प्रयोग केलथि। बाबूबरही क 208 आ मनिहारी क 165 नंबर बूथ पर मतदानक बहिष्काहर भेल। पांचम चरण क संगहि पूरा चुनाव बिना खून खराबा क संपन्न5 भ गेल।

चारिम चरण

चारिम फेज क वोटिंग मे खास

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

55 सीट पर वोटिंग

776 उम्मीदवार मैदान मे
1,46,93,294 वोटर
14,139 कुल पोलिंग सेंटर
1163 कंपनी सुरक्षाकर्मी
5 हेलिकॉप्टर आ ड्रोन एरियल सर्विलास मे

मतदान प्रतिशत
पश्चिमी चंपारण————59.17
पूर्वी चंपारण————–59.96
शिवहर———————56.05
सीतामढ़ी—————–56.09
मुजफ्फरपुर—————56.83
गोपालगंज—————–58.90
सीवान———————-54.31

बिहार विधानसभा चुनाव क चारिम चरण मे 55 सीट पर शांतिपूर्ण मतदान संपन्न भेल। सांझ 5 बजे तक कुल मिलाकर 57.59 फीसदी मतदान दर्ज कैल गेल । इ पिछला चुनाव क मुकााबले 3 फसदी बेसी अछि । एहि चरण मे सेहो महिला स पुरुष स बेसी मताधिकार क प्रयोग केलथि। 54 फीसदी पुरुष आ 60. 40 फीसदी महिला मताधिकार क प्रयोग केलथि। एहि चरण क मतदान क दौरान छिट-पुट हिंसा क सूचना अछि। ओना मतदान शांतिपूर्ण रहल। मोतिहारी क मधुबन मे जतए डीएसपी कए चुनाव आयोग पक्षपात क आरोप मे जिम्मेदारी स अलग कैल गेल, ओतहि शिवहर मे सपा आ हम समर्थक क बीच झड़प भेल। बाद मे हम प्रत्याशी लवली आनंद क खिलाफ मामला दर्ज कैल गेल। चारिम चरण क मतदान खत्म भेलाक बाद नीतीश सरकार मे मंत्री रमई राम क अलावा लवली आनंद, रंजू गीता, मनोज कुमार सिंह, पूर्व
मंत्री महाचंद्र प्रसाद सिंह, विनय बिहारी, शाहिद अली खान सन दिग्गज क किस्मत ईवीएम मे कैद भ गेल।

तेसर चरण

तेसर फेज क वोटिंग मे खास

50 सीट पर वोटिंग
808  उम्मीीदवार मैदान मे
1 करोड़ 45 लाख वोटर
0 कुल पोलिंग सेंटर
75 हजार से अधिक सुरक्षाकर्मी
5 हेलिकॉप्टर आ ड्रोन एरियल सर्विलास मे
जिला – पटना, सारण, वैशाली, नालंदा, भोजपुर और बक्सर

तेसर चरण मे 50 विधानसभा सीट पर मतदान भेल। मतदान कए ल कए शहर मे निराशा देखल गेल आ लोक घर स बाहर नहि एलथि, ओतहि गाम मे उत्साह देखल गेल। छिटपुट घटना क बीच तेसर चरण सेहो शांतिपूर्ण रहल। छह जिला क करीब 1.46 करोड़ मतदाता मे स 53.20 फीसदी मतदाता अपन मताधिकार क प्रयोग क 71 महिला समेत 808 प्रत्याशि क राजनीतिक भविष्य क फैसला इवीएम मे बंद क देलथि। पिछला दू चरण जेकां तेसर चरण मे सेहो महिला मे उत्साह देखल गेल। पटना जिला मे सबसे कम 51.82 फीसदी मतदान भेल। बक्सर मे सबस बेसी 56.52 फीसदी मतदान दर्ज कैल गेल । सारण मे 52.50, वैशाली में 54.82, भोजपुर में 53.33 आ नालंदा में 54.11 फीसदी मतदान भेल। मतदान क दौरान कोनो अप्रिय घटना क सूचना नहि अछि, ओना फतुहा में राजद नेता रामानंद यादव क गाड़ी पर हमला क सूचना अछि, जखनकि नालंदा जिला क अस्थावां मे विधायक डॉ जितेंद्र पर स्थानीय लोक हमला केलक आ गाड़ी में तोडफ़ोड़ केलक।

दोसर चरण
दोसर फेज क वोटिंग मे खास 

32 सीट पर वोटिंग
456 उम्मीदवार मैदान मे
86,13,870 वोटर
9119 कुल पोलिंग सेंटर
993 कंपनी सुरक्षाकर्मी
5 हेलिकॉप्टर आ ड्रोन एरियल सर्विलास मे
44216 मतदानकर्मी ड्यूटी पर
465 पोलिंग सेंटर से लाइव वेबकास्टिंग
बिना खून खराबा क पड़ल् 55 फीसदी वो
डिफ्यूज होएत रहल बम, दबैत रहल बटन

2010 क अपेक्षा 2015 मे बेसी भेल मतदान
2010 मे वोटिंग         2015 मे वोटिंग
गया-51.51                 गया-55.54
औरंगाबाद-54            औरंगाबाद-52.5
सासाराम-51              सासाराम-54.66
जहानाबाद-47.54      जहानाबाद-56.49
अरवल-47                 अरवल-53.21
कैमूर-51                     कैमूर- 57.86

प्रमुख दावेदार
पूर्व मुख्यमंत्री- जीतन राम मांझी
पूर्व मंत्री -प्रेम कुमार
विधान सभाध्यक्ष – उदय नारायण चौधरी
भाजपा प्रत्याशी- राजेंद्र सिंह
पूर्व प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष – राम जतन शर्मा
पूर्व प्रदेश भाजपा अध्यक्ष – गोपाल ना सिंह
मंत्री – जय कुमार सिंह
मंत्री- विनोद यादव

बिहार विधानसभा क दोसर चरण बिना खून खराबा कए शांतिपूर्ण संपन्न भेल। एहि चरण मे नक्सली क इलाका मे वोट पडबाक छल। सुरक्षाकर्मी आ आम लोकक प्रयास स बम क बरामदगी क बीच निर्भीक भ लोक मतदान केंद्र तक पहुच अपन मताधिकार क प्रयोग केलथि। घोर नक्सलग्रस्त इलाका मे सेहो वोटर मे जबर्दस्त उत्साह देखबा लेल भेटल। छह जिला क 32टा विधानसभा सीट पर भेल मतदान मे कुल 55 फसदी मतदाता अपन मताधिकार क प्रयोग केलथि, जे पिछला चुनाव क मुकाबले 3 फीसदी बेसी अछि । महिला सब एक बेर फेर पुरुष स बाजी मारि लेलथि। भभुआ क बूथ नंबर 205 पर 104 साल क महिला मतदाता वोट द रिकार्ड बनेलथि। पहिल चरण जेका दोसर चरण सेहो शांतिपूर्ण रहल जे प्रशासन क एकटा महत्व’पूर्ण सफलता कहल जा सकैत अछि। पिछला 24 घंटा मे गया जिला क इमामगंज विधानसभा क्षेत्र तहत मैगरा थाना क हरनी गाम समेत कई ठाम सीआरपीएफ क बम निरोधक दस्ता द्वारा लैंडमाइंस आ जिंदा बम कए डिफ्यूज कैल गेल। औरंगाबाद क नवीनगर क बूथ नं. 260 समेत कुल 13ब बूथ पर मतदान क बहिष्कार भेल। रोहतास मे मोमबत्ती आ टॉर्च स मतदान कराउल गेल। छह जिला क 32टा सीट लेल भेल चुनाव मे 32टा महिला समेत कुल 456 प्रत्याशी चुनाव मैदान मे छथि ।

गुलाबी बूथ पर महिला राज 

Pink Booth

मतदान प्रतिशत बढेबा लेल प्रशासन एहि बेर कईटा नव प्रयोग केलक। एहि मे एकटा गुलाबी बूथ सेहो रहल। कुल रात टा गुलाबी बूथ बनाउल गेल, जाहि पर महिला राज छल। गया जिला मे सातटा एहन बूथ बनाउल गेल छल, जाहि ठाम सबटा काज क जिम्मेदारी महिला क हाथ मे छल। एहि बूथ सब पर पुरुष कर्मचारी नहि छल । पोलिंग एजेंट, सुरक्षाकर्मी आ वेब कास्ट क काज सेहो महिला देख रहल छलीह । गया क डीएम संजय अग्रवाल कहला जे महिला सशक्तीकरण कए देखेबा लेल इ प्रयोग कैल गेल अछि, जे सफल रहल। महावीर इंटर कॉलेज आ मध्य विद्यालय मे चारि आ गया कॉलेज मे तीनटा मतदान केन्द्र गुलाबी छल। डीएम क अनुसार महिला पदाधिकारी स लकए शिक्षा, कल्याण, स्वास्थ्य सहित कईटा अन्य विभाग क महिला कर्मचारी सब स्वेच्छा स एहि काज कए पूरा करबाक लेल आवेदन देने छलीह।

पहिल चरण

कुल सीट-  49

कतए भेल चुनाव  -:  कल्याणपुर, वारिसनगर, समस्तीपुर, उजियारपुर, मैरवा, सरायरंजन, मोहिउद्दीननगर, बिभूतीपुर, रोसड़ा, हसनपुर, चेरिया-बरियापुर, बछवाड़ा, तेघड़ा, मटिहानी, साहेबपुर कमाल, बेगूसराय, बखरी (सुरक्षित), अलौली (सुरक्षित), खगडिय़ा, बेलदौर, परबत्ता, बिहपुर, गोपालपुर, पीरपैंती, कहलगांव, भागलपुर, सुल्तानगंज, नाथ नगर, अमरपुर, धोरैया, बांका, कटोरिया, बेलहर, तारापुर, मुंगेर, जमालपुर, सूर्यगढ़ा, लखीसराय, शेखपुरा, बरबीघा, रजौली, हिसुआ, नवादा, गोविंदपुर, वारसलीगंज, सिकंदरा, जमुई, झाझा, चकाई,

कुल मतदाता-  1,35,72,330

पुरुष- 72,49,036
महिला- 63, 22,898
अन्य- 405

नब वोटर- 5,07,021
कुल उम्मीदवार-  583

महिला- 54
पुरुष- 529

कुल मतदान केंद्र  – 9301

बूथों की संख्या – 12 हजार 686

कौन पार्टी,  केतबा उम्मीदवार

बसपा-41
भाजपा-27
सीपीआई-25
जदयूू-24
राजद-17
लोजपा-13
सीपीएम-12
कांग्रेस-08
रालोसपा-06
एनसीपी-06

मतदान

समस्तीापुर-  60 (2015), 54.20 (2010)
बेगूसराय-  59 (2015), 55.85 (2010)
खगडिया-  61 (2015), 57.20 (2010)
भागलपुर-  56 (2015), 50.09 (2010)
बांका-       58 (2015), 49.34 (2010)
मुंगेर-        55 (2015), 48.35 (2010)
लखीसराय-  54 (2015), 48.33 (2010)
शेखपुरा-     55 (2015), 50.58 (2010)
नवादा-      53 (2015), 45.04 (2010)
जमुई-         57 (2015), 49.49 (2010)

औसत  57 (2015),  50.85 (2010)
1st phase Bihar Assembly elections
बिहार विधानसभा चुनाव मे पहिल चरण मे 49 सीट पर मतदान बिना खून खराबा कए शांतिपूर्ण संपन्ने भ गेल। आधा स बेसी मतदाता घर स बूथ तक एलथि आ अपन मताधिकार कए प्रयोग केलथि। सब ठाम पिछला चुनाव स बेसी मत पडल। 583 टा प्रत्याशी लेल करीब 57 फीसदी मतदाता मतदान केलथि। नौ टा विधानसभा क्षेत्र मे दोपहर बाद 3 बजे मतदान संपन्न भेल। चारिटा क्षेत्र मे 4 बजे। बाकी जगह पर सांझ 5 बजे तक मतदान भेल। चुनाव आयोग क अनुसार बांका में 49.33 फीसदी, मुंगेर में 54.41 फीसदी, लखीसराय में 47.40 फीसदी, शेखपुरा में 50.06 फीसदी, नवादा में 46.81 फीसदी, जमुई में 56.85 फीसदी मतदान भेल। महिला वर्ग एहि बेर पुरुष स आगू रहल। 54 फीसदी पुरुष त 59 फीसदी महिला अपन मताधिकार कए प्रयोग केलथि। महिला क पैघ संख्याग मे मतदान करबा पर राजनीतिज्ञ विश्लेाषक अपन अपन राय राखि रहल छथि, मुदा इ परंपरा 2010 स जारी अछि। एहि बेर सेहो प्रथम चरण मे औसत औसत 57 फीसदी मतदान भेल जे
पिछला चुनाव क मुकाबला मे 6. 15 फीसदी बेसी अछि। तेघड़ा विधानसभा क बूथ संख्या 53 पर 108 साल क महारानी देवी वोट द रिकार्ड बनेलथि । मतदान क पर्व एहन जे कियो हाथी स आयल त कियो घोड़ा स। मिथिला क इलाका मे त महिला बेलगाड़ी पर चढि गीत गबैत बेथ त एलीह। दस जिला मे भेल मतदान मे 40 स 50 ठाम इवीएम खराब हेबाक सूचना आयल, जेकरा समय स ठीक क देल गेल। समस्तीपुर क
मोरवा विधानसभा मे छूटा पीठासीन अधिकारी कए गिरफ्तार कैल गेल। हिनका सब पर पक्षपात क आरोप अछि। मोरवा विधानसभा के बूथ संख्या 105 आ 125 पर तैनात छलाह।

Election Esamaad

समस्तीपुर क कल्याणपुर आ बांका क बेलतर मे करीब 17 हजार लोग विभिन्न कारण स मतदान क बहिष्कार सेहो केलक । गोपालपुर, पीरपैंती, सुलतानगंज बांका आ लखीसराय क नौ बूथ पर वोट क बहिष्कार भेल। समस्तीपुर में रामेश्वरर जूट मिल बंद रहबाक कारण लोग मतदान क बहिष्कार केलथि। जमुई क चकाई आ खगडिय़ा मे पार्टी समर्थक क बीच झड़प भेल । जमुई मे जतए 12 समर्थक घायल भेलाह, ओतहि खगडिय़ा मे दूटा समर्थक क घायल हेबाक सूचना अछि। जमुई क चकाई मे लोजपा उम्मीदवार विजय सिंह पर फायरिंग क गप कहल जा रहल अछि।  ओना जमुई क एसपी जयंत कांत कहला अछि जे फायरिंग क पुष्टि नहि भेल अछि।

Tags: bihar electionElection in biharचुनावबिहार चुनावलीमैथि‍ली न्यूज

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

कहलगांव स नवगछिया तक ट्रेन चलबाक उम्मीद जगल

रेलवे केलक बिहार मे 40 हजार करोड़ क निवेश

फेर एक बेर नीतीश कुमार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि