• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

रेलवे केलक बिहार मे 40 हजार करोड़ क निवेश

November 14, 2015
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

विदेशी कंपनी कए भेटल दूटा रेल इंजन कारखाना लगेबाक टेंडर
मेक इन इंडिया क सबस पैघ सफलता एहि साल शुरु भ जायत कारखाना लेल काज
लालू प्रसाद क विकास विजन कए भेटत मूर्त रूप

Madhepura Rail Engion Factoryपटना । पिछला आठ वर्ष स लंबित मढ़ौरा आ मधेपुरा रेल इंजन कारखाना क निर्माण आब शुरु भ जायत। केंद्र सरकार 40 हजार करोड़ क एहि दूनू परियोजना लेल दूटा विदेशी कंपनी क चयन आखिरकार क लेलक आ हुनका अनुबंध स्वीकृति पत्र द दलक अछि। उल्लेूखनीय अछि जे 2007 मे लालू प्रसाद क रेल मंत्रित्वकाल मे एहि दूनू रेल परियोजना कए स्वीकृति दल गेल छल, मुदा लालू कए पद स हटलाक बाद एहि दिस कोनो रेलमंत्री गंभीरता स दखबाक प्रयास नहि कलथि। भाजपा क सरकार आखिरकार अपन 17 मासक कार्यकाल मे एकर निविदा पास क देलक। आब देश मे रेलवे क पहिल प्रत्यक्ष विदेशी निवेश पर आधारित दूनू रेल इंजन कारखाना बिहार मे स्थाआपित भ सकत।

मढ़ौरा डीजल रेल इंजन कारखाना लेल यूएस मल्टीनेशनल जीई कंपनी कए 2,052 करोड़ आ मधेपुरा इलेक्ट्रिक रेल इंजन कारखाना लेल 1,293.57 करोड़ क फ्रेंच कंपनी अलस्तोम स अनुबंध कैल गेल अछि । दस साल मे मढ़ौरा मे 4500  आ 6000 हार्स पावर क 1000 डीजल इंजन तैयार होएत। आतहि मधेपुरा मे 12,000 एचपी क 800 इलेक्ट्रिक इंजन मे स 5टा इंजन आयात कैल जाएत, जखन कि 795 इंजन मधपुरा मे बनत। इ प्रधानमंत्री क मेक इन इंडिया क एखन धरिक सबस पैघ परियाजना मानल जा रहल अछि।

उल्लेाखनीय अछि जे मधेपुरा मे रेल इंजन कारखाना लेल श्रीपुर चकला गांव लग तीन सौ एकड़ जमीन अधिग्रहित क कारखाना निर्माण क दिशा मे विभागीय कार्रवाई पूर्ण कैल गेल अछि। एकर बाद अधिगृहीत जमीन क खाता खेसरा संग कईटा दैनिक पत्र मे गजट सेहो प्रकाशित कैल गेल अछि। करीब सौ गोटे कए मुआवजा सेहो देल जा चुकल अछि। ग्रीन फील्ड विद्युत रेल इंजन कारखाना क चीफ इंजीनियर राजेश कुमार क मानी त अगिला वित्त  वर्ष क शुरुआत मे रेल इंजन कारखाना निर्माण क कार्य शुरू भ जाएत।  जमीन अधिग्रहण लेल जिला प्रशासन दिस स मांगल गेल राशि रेल मंत्रालय पठा देलक अछि। प्रभारी जिला भू-अर्जन पदाधिकारी अरूण कुमार झा कहला जे रेल इंजन कारखाना लेल जमीन अधिग्रहण क काज काफी समय स चलि रहल छल। युद्ध स्तर पर तैयारी क भूमि अधिग्रहण क रूपरेखा तैयार करैत एस्टीमेट क निर्माण सेहो क लेल गेल छल। भूमि अधिग्रहण मे भू-स्वामी सबहक करीब 58 करोड़ टका मुआवजा स्वरूप देल जाएत।

Tags: Indian RailLalu YadavMadhepura Rail Factorymaithili newsmithila newsRail Project

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

फेर एक बेर नीतीश कुमार

नीतीश कैबिनेट मे दरभंगा क दबदबा, भेटल खजानाक कुंजी

तेसर फ्यूल कॉन्फरेंस आओर मोज़िला हैकाथन संपन्न

Comments 1

  1. डॉ. शशिधर कुमर "विदेह" says:
    8 years ago

    ई बात तँ ठीक कि मधेपुरा विद्युत रेल ईञ्जन कारखानाक बात आगू बढ़ल ।

    पर ई बात नञि बुझबामे आबि रहल अछि कि सौंसे भारतमे कारखाना फोलबाक लेल रेल मन्त्रालय लग अप्पन पूँजी – पगहा छै पर बिहारक लेल आ ताहूमे मिथिलाक नाम पर ई पूँजी – पगहा आ उन्नत देशी तकनीक कतए अलोपित भ जाइत छै ।……………………. ई परियोजना प्राइवेट कम्पनीकेँ किएक देल गेल अछि ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि