मधेपुरा । मधेपुरा मे प्रस्तावित ग्रीन फील्ड विद्युत रेल इंजन कारखाना क भाग्य 31 अगस्त कए खुलि सकैत अछि। कई बेर रद़द भ चुकल तारीख क बाद केंद्र सरकार एकर वित्तीय निविदा लेल फेर स 31 अगस्तक तारीख निर्धारित केलक अछि। तकनीकी निविदा लेल चारिटा अंतरराष्ट्रीय कंपनी सीमेन्स, बोम बार्डियर्स, जीई आ आरस्ट्रांग चुनल गेल अछि। सब किछु ठीक रहल त 31 अगस्त कए वित्तीय निविदा खुललाक बाद एहि कारखाना क निर्माण क गति तेज होएत । अंतिम रूप स कोनो कंपनी क चयन त 31 कए बाद बुझना जायत, मुदा सूत्र क मानि त अमेरिकी कंपनी जीई आ बोम बार्डियर्स क बीच मुख्य मुकाबला अछि ।
उल्लेखनीय अछि जे एहि कारखाना कए प्राथमिकता द केंद्र सरकार ‘मेक इन इंडिया’ प्रोजेक्ट मे एकरा बिहार क मॉडल प्रोजेक्ट बनेबाक फैसला लेलक अछि। कारखाना स लकए इंजन निर्माण क काज अंतरराष्ट्रीय स्तर क कंपनी करत। वर्तमान मे इ प्रोजेक्ट 13 सौ करोड़ रुपये क अछि। एहि ठाम प्रतिवर्ष 12 हजार अश्वशक्ति (हॉर्स पावर) क आठ सौ विद्युत रेल इंजन क निर्माण होएत। चार सौ देश क जरूरत पूरा ककरत जखनकि शेष विदेश मे बेचल जाएत।
कारखाना लेल 965.42 एकड़ भूमि क दरकार अछि। भूमि-अधिग्रहण मे मुआवजा पर किसान सब आपत्ति दर्ज करा रखने छथि। हुनकर मांग अछि जे मौजूदा बाजार मूल्य स चौगुना मुआवजा देल जाए। जिला भू-अर्जन शाखा स प्राप्त जानकारी क अनुसार भूमि क अधिग्रहण रेलवे भू-अर्जन अधिनियम-2008 क तहत भेल अछि। एहि लेल ओहि अधिनियम क तहत निर्धारित मुआवजा सेहो देय होएत। बहरहाल, अधिग्रहित तीन सौ एकड़ भूमि क मालिक कए सूचना जारी क कहल गेल अछि जे अगर ओ स्वेच्छा स जमीन खाली क समर्पित करैत छथि त 60 फीसद प्रोत्साहन राशि अलग स देय होएत। जिलाधिकारी अबरार अहमद कमर क कहब अछि जे भूमि अधिग्रहण क कार्रवाई चलि रहल अछि। किसान आ रेलवे एक-दोसर क शर्त कए नहि मानता तखन नियमानुसार आरबिट्रेटर नियुक्त कैल जाएत आ ओकर फैसला सब कए मान्य होएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa