बिहारक मे आब राजनीतिक छवि मे बदलाव साफ देखल जा सकैत अछि। राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क छात्रा कए साइकिल देबाक योजना क जवाब अपन सांसद कोष स शैक्षिक संस्थान कए 69टा बस क सनेस द एकर प्रमाण द देलथि अछि। पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद बिहार मे राजग सरकार क हर दांव क काट क रुप मे किछु न किछु अपना मे रोज बदलाव आनि रहल छथि। नीतीशक काट नीतीशक शैली मे देबाक लालू क इ प्रयास निश्चित रूप स बिहार क जनता लेल फायदा क गप अछि।
ओना राजद प्रमुख लालू प्रसाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए हुनके अंदाज मे उत्तर देबा लेल समय समय पर अपन राजनीति मे बदलाव अनबाक प्रयास करैत रहलाह अछि। वर्ष 2010 क बिहार विधानसभा चुनाव क दौरान लालू कहने छलाह जे नीतीश कुमार साइकिल बांटि रहल छथि त ओ सत्ता मे एलाक बाद छात्र कए मोटरसाइकिल देताह। चुनावक दौरान देल इ अव्यावहारिक बयान जनताक बीच कोनो प्रभाव नहि देखा सकल, मुदा एकर संकेत द देलक जे लालू अपन राजनीतिक शैली मे पैघ बदलाव करए जा रहल छथि। छपरा मे रेल चक्का कारखाना खोललाक बाद लालूक इ बस वितरण हुनक विकासपरक राजनीतिक दोसर प्रमाण कहल जा सकैत अछि।
लालू अपन संसदीय क्षेत्र सारण मे अपन सांसद कोष स स्कूल, केंद्रीय विद्यालय, कालेज आ जय प्रकाश विश्वविद्यालय छपरा सहित 63 टा शैक्षिक संस्थान कए 69टा बस देलथि अछि, ताकि सुदूर ग्रामीण क्षेत्र क विद्यार्थी कए सुरक्षित हुनकर शैक्षिक संस्था तक पहुंचाउल जा सकए आ घर अनबा क व्यवस्था भ सकए। अपन सांसद कोष स राशि खर्च नहि करबाक आरोप झेल रहल लालू एहि काज लेल अपन सांसद कोष स 8.97 करोड क राशि देलथि अछि। एकटा बस क दाम करीब 13 लाख टका अछि। बस क रखरखाव आ अन्य साधन क व्यवस्था शैक्षिक संस्थान क प्रबंधन द्वारा कैल जाएत। देखबाक चाही जे इ राजनीति आगू कोन रूप लैत अछि। एखन त बस एतबे अहि सकैत छी जे लालू जेकां काज बिहारक आन सांसद सब कए सेहो करबाक चाही।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna
अति उत्तम ! सब सांसद के एहेन काज करबाक चाही.