• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

‘ऐक्सचेंज आफर’ स धरा रहल अपराधी

December 2, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

आब ‘सेफ जोन’ नहि रहल नेपाल आ बिहार
दूनू देशक पुलिस मे भ रहल बेहतर तालमेल

पटना : भारत आ नेपालक बीच एक्सचेंज आफर अपराधी लेल मुश्किल क देलक अछि। कईटा अपराधी एहि एक्सचेंज आॅफर क तहत गिरफ्तार भ चुकल अछि। कहियो सेफ जोन मे अपराध क आराम करनिहार अपराधी आब भागल-भागल फिर रहल अछि। भटकल क गिरफ्तारी क बाद आब इ साबित भ गेल अछि जे भारतीय अपराधी लेल नेपाल आब सेफ जोन नहि रहल। ज्ञात हुए जे दूनू देश क बीच प्रत्यर्पण संधि नहि अछि, जेकर फायदा अपराधी एखन धरि उठबैत रहल अछि। मुदा आब दूनू देशक पुलिस बेहतर तालमेल क एक स एक अपराधी कए पकडि एक दोसर कए सुपुर्द क रहल अछि। एहि मे यासिन भटकल सन आतंकवादी सेहो शामिल अछि। यासिन भटकल क गिरफ्तारी मे महत्वपूर्ण भूमिकानिभेनिहार मोतिहारी क एसपी विनय कुमार कहैत छथि जे प्रत्यर्पण संधि नहि रहबा स तकनीकी दिक्कत त अछि मुदा बेहतर तालमेल स इ संभव भ रहल अछि। पिछला करीब 9 स 10 मास मे  कई सौ अपराधी दूनू देश एक दोसर कए देलक अछि। इ अपराधी सब नहि केवल खूंखार छल, बल्कि ओ अपराधी सेहो पकड़ल जा रहल अछि जे छोट-मोट अपराध क नेपाल भागि जाइत छल। मोतिहारी क एसपी क कहब अछि जे एखन धरि केवल पूर्वी चम्पारण क 80 प्रतिशत भागल अपराधी नेपाल स गिरफ्तार कैल जा चुकल अछि। भारत आ नेपाल दूनू ठामक पुलिस अपराधी क पाछु लागल अछि। पहिने एहन स्थिति नहि छल। भारतीय पुलिस क नेपाल पुलिस क संग कोनो तालमेल नहि छल आ प्रत्यर्पण संधि  नहि भेला स अपराधी अपराध केलाक बाद बेखौफ भ कए एक दोसर क देश मे शरण लैत छल, जेकर सीधा असर ओहि ठाम जनता पर पड़ैत छल। बॉर्डर क इलाका मे खौफ मे जीयब आम लोक क मजबूरी छल मुदा नव हालात स आम जनता सेहो खुश अछि। बहरहाल स्थानीय स्तर पर भ रहल एहि बेहतर तालमेल स न केवल अपराधी पकड़ल जा रहल अछि बल्कि दूनू देशक जनता क बीच एकटा नव विश्वास पैदा भ रहल अछि जे पिछला किछु साल मे टूटक कगार पर छल। आइ नेपाल पुलिस क पूरा सहयोग भेट रहल अछि। ज्ञात हुए जे इंडियन मुजाहिद्दीन क आॅपरेशनल हेड यासिन भटकल पिछला दू साल स आराम स नेपाल क पोखरा मे रहि रहल छल, मुदा अचानक एक दिन नेपाल पुलिस क सहयोग स बिहार पुलिस ओकरा धर दबोचलक। इ अपराधी क ऐक्सचेंज क सबस पैघ आफर छल। यासिन भटकल कए गिरफ्तार करब कोनो आसान काज नहि छल। बार्डर स कई सौ किलोमीटर दूर ओ अपन सुरक्षा घेरा मे रहि रहल छल। सबस पहिने ओकरा एकटा मस्जिद मे नवाज पढ़ैत मुखबिर देखलक, जेकर निशानदेही पर एक पैघ आपरेशन कए अंजाम देल गेल। इ संभव भ पाओल नेपाल पुलिस क मदद स। दोसर दिस यासिन भटकल क गिरफ्तारी क एवज मे बिहार पुलिस कम स कम पांच नामी खूंखार अपराधी कए नेपाल कए सौंप देलक अछि, जेकरा कई साल स नेपाल पुलिस ताकि रहल छल। हांलाकि इ अलग बात अछि जे प्रत्यर्पण संधि नहि भेला स एहन गिरफ्तारी क जगह कए तकनीकी तौर पर बॉर्डर बताओल जाइत अछि। ताजा शिकार मे फौजी सिंह, सुनील जयसवाल, बबलू दुबे आदि गिरफ्तार भ चुकल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहारक अशिक्षित महिला कए भेटत टैबलेट

Esamaad Epaper Website

इथनॉल बनेबा लेल आब दस फीसदी तक छोआ क होएत प्रयोग

Esamaad Epaper Website

निगम क उदासीनता स धूल खा रहल एकटा नीक प्रस्ताव

Comments 1

  1. vandna jha says:
    12 years ago

    nik pahal, suwagat

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि