दरभंगा। सूबा क ग्रामीण विकास मंत्री नीतिश मिश्र क कहब अछि जे केवल कामयाब भेला स सम्रग विकास संभव नहि अछि ताहि लेल काबिल बनब जरूरी अछि। ओ पब्लिक स्कूल, लालबाग क स्वर्ण जयंती समारोह मे बतौर मुख्य अतिथि बाजि रहल छलाह। ओ कहला जे एहि ठामक बच्चा कए काबिल बनेबाक जरूरत अछि, कामयाब त ओ अपने आप भ जेताह। मिश्र कहला जे किछु साल पहिने राज्यक वातावरण प्रदूषित छल। बिहारी क पहचान क अलग पैमाना छल, मुदा आब समय बदलि गेल अछि। आब राज्य मे माहौल बदलल अछि। मेधा पलायन पर ब्रेक लगबाक चाही। ओ स्कूल क संस्थापक सचिव प्रो एलके मिश्रा क शैक्षिक दृष्टि क प्रशंसा करैत कहला जे जखन इ स्कूल क स्थापना भेल त हमर जन्म नहि भेल छल। ओहि समय मे एकटा निजी स्कूल खोलबाक विचार दरभंगा सन शहर मे हुनकर मस्तिष्क मे एनाई हुनकर दूर दृष्टि क सबूत अछि। सीबीएसई क पटना क्षेत्रीय अधिकारी एवीवी प्रसाद राव बतौर विशिष्ट अतिथि कहला जे समग्र सतत मूल्यांकन विधि स छात्र क मन स परीक्षा क बोझ हल्लूक करि प्राथमिक शिक्षा क क्षेत्र मे नव क्रांति आनल गेल अछि। एहि स पूर्व प्रो. इंदिरा झा नीतिश मिश्र स प्राथमिक शिक्षा व्यवस्था कए सुदृढ़ करबाक अपील केलथि। अपन अध्यक्षीय भाषण मे प्रो. ब्रजमोहन मिश्र एलके मिश्र क क्षमता क सराहना करैत कहला जे शताब्दी वर्ष मे सेहो बेला पब्लिक स्कूल एहिना चमकैत दमकैत रहत। कार्यक्रम क उदघाटन डीआईजी बलदेव प्रसाद केलथि, जखन कि डीआइजीक कनिया स्कूलक बेवसाइटक लोकार्पण केलथि। कार्यक्रमक संचालन प्रो. पुतुल सिंह आओर धन्यवाद ज्ञापन प्राचार्य आरसी झा देलथि। एहि मौका पर स्कूल क छात्र-छात्रा सब सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत करि कार्यक्रम कए यादगार बना देलक।