• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कामेश्वरनगर क दीवार पर स्लोगन लिखबा पर लागल प्रतिबंध

January 28, 2015
in समाचार
A A

दीवार गंदा करबा पर होएत एफआइआर, प्रशासन उठेलक सराहनीय डेग

दरभंगा रॉक्स सन किछु संगठन करैत रहल छल एहन मांग

प्रचार लेल जगह भेल तय, बाकी परिसर बनल प्रतिबंधित क्षेत्र

दरभंगा । ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय प्रशासन कामेश्व्रनगर क दीवार पर स्लोगन लिखबा आ पोस्टर सटबा पर प्रतिबंध लगा देलक अछि। एक फरवरी क बाद धरोहर कए गंदा करनिहार एक जेल पठाउल जाएत, ओकरा पर विवि प्रशासन प्राथमिकी दर्ज कराउत। उल्लेखनीय अछि जे दरभंगा रॉक्‍स सन किछु छात्र संगठन दरभंगा क धरोहर कए सुंदर बना कए रखबा लेल एहन प्रतिबंधन क मांग बहुत दिन स करैत आबि रहल छल। मांग क आलोक मे कुलपति साकेत कुशवाहा पदाधिकारी सब संग बैसार केलाक बाद तय केलथि अछि जे कामेश्वसर नगर क पूरा परिसर कए धरोहर मानि एकरा गंदा करनिहार पर प्राथमिकी दर्ज कराउल जाये। कुलपति कार्यालय प्रकोष्ठ मे पत्रकार स गप करैत कुलपति डॉ साकेत कुशवाहा एहि संबंध मे जानकारी दैत कहला जे विवि सबहक सामूहिक संपत्ति छी, एहन मे सबकए अपन जवाबदेही तय करै पडत। ओ परिसर कए साफ सुथरा आ सुंदर बनेबा लेल छात्र संगठन, शिक्षक, कर्मी, छात्र-छात्र सहित आम लोक स सेहो सहयोग क अपील केलथि। ओ कहला जे एहन नहि जे छात्र संगठन या अन्य संगठन कए अपन गप कहबा स रोकबा लेल इ प्रयास कैल जा अछि। धरनास्थेल जेका परिसर मे किछु स्थयल कए एहि काज लेल चिह्न्ति कैल जा रहल अछि, जतए विभिन्न संगठन अपन अपन प्रचार-प्रसार क सकताह। मुदा पूरा परिसर कए एहि लेल बर्बाद नहि करै देब। ओ कहला जे हुनकर इच्छाा छल जे परिसर कए सुंदर रखबा मे सब सहयोग दथि, एहि  लेल ओ बेर-बेर निवेदन केलथि जे परिसर धरोहर जेकां अछि एकरा गंदा नहि कैल जाये, मुदा इ सिलसिला नहि रुकल, एहन मे मजबूरन विवि प्रशासन कए प्रतिबंध लगा दंडात्मिक कार्रवाई लेल बाध्यल हुए पडल अछि। ओ कहला जे छात्र संगठन विवि परिवार क हिस्सा होइत अछि। एहन मे एक दिस छात्र परिसर कए बचेबा लेल गुहार क रहल अछि त दोसर दिस छात्र संगठन परिसर कए गंदा करबा स रोकबा मे प्रशासन कए मदद नहि क रहल अछि। परिसर क सौंदर्यीकरण मे सब कए विवि क सहयोग करबाक चाही। ओ दरभंगाक आम लोक स सेहो एहि मुहिम मे विवि प्रशासन क मदद क गुहार केलथि आ कहलथि जे पोस्टहर सटनिहार आ स्लो गन लिखनिहार कए बुझेबा लेल आम लोक कए सामने एबाक चाही। ओ कहला जे परिसर एतबा सुंदर अछि जे एकरा देखबा लेल दूर दूर स लोक अबैत अछि, मुदा सर्वोच्च न्यायालय आ निर्वाचन आयोग क स्पष्ट निर्देश क बावजूद दीवार कए गंदा करबा मे किछु संगठन कए लाज नहि होइत अछि। ओ कहला जे दीवार क सफाई करेबाक काज जारी अछि आ एहि काज मे विवि कए लाख स ऊपर टका खर्च भ चुकल अछि। विवि लग आंतरिक स्त्रोत एतबा नहि अछि जे सब मास एहन सफाई कैल जा सकए। ओ कहला जे परिसर मे लागल मारवल पर कई ठाम छात्र संगठन स्लोगन लिखबा लेल आयल पेंट क प्रयोग त केने अछि, जे पुताई क बाद सेहो नहि झपा रहल अछि। ओ फरवरी माह मे नैक क प्रस्तावित निरीक्षण क जिक्र करैत कहला जे निरीक्षण स पूर्व विवि मे सफाई आ सौंदर्यीकरण क वृहत्त योजना पर काज चलि रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

डीएमसीएच बनल सबस पैघ अस्पताल

Esamaad Epaper Website

मैथिली साहित्य मे आब खगल लोकक चिंता नहि : विद्यानंद

Esamaad Epaper Website

मोकामा मे बनत समानांतर पुल, कोसी सेतु लेल 30 करोड

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि